चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 13 - केवट नया कारारबरनाबास आर शाउलके भेज्ल गेलै 1 एन्टीओखिया सहरके बहुते मण्डलीसिमे परमेश्वरके वक्तासब आर शिक्षकसब रहै, यानिकी बरनाबास आर शिमियोन जकर दोसर नाम निगेर भी रहै, कुरेनी सहरके रहेवाला लुकियस, आर देशके चौथाई भागके हेरोद राजाके दूध भ्या मनेन आर शाउल। 2 जब ऊसब उपास सहित प्रभुके आराधना कर्ते रहै ते पवित्र आत्मा कहैल्कै, “हमर लिए शाउल आर बरनाबासके ऊ सेवाके लिए अलग कर जकर लिए हमे ओकरासिके बोलैलियै छे।” 3 तब उपास आर प्रार्थना करिके ओकरसिके मथामे हात राखिके परमेश्वरके कामके लिए भेजल्कै। पावलके पहेला प्रचार यात्रा 4 शाउल आर बरनाबास पवित्र आत्माके कहेल मुताबिक एन्टीओखिया सहरसे सिलुकिया सहरमे गेलै आर ओत्तेसे पानी जहाजमे चढिके साइप्रस टापुमे गेलै। 5 आर सलामिस सहरमे पहुँचीके, परमेश्वरके वचन यहूदी आदमीसिके सभाघरसिमे सुनैल्कै, आर यूहन्ना मर्कूस ओकरासिके सहायता करैले ओकरसिके संगे गेलै। 6 तकरबाद ऊसब टापुमे सहर-सहरके यात्रा कर्ते पाफोस सहरमे पहुँचलै। ओत्ते ओकरासिके बार-येशू नामके एकटा जादुगर मिल्लै, जे एकटा यहूदी आदमी आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्ता रहै। 7 ऊ जादुगर एकटा प्रदेशके शासक सर्गीयस पौलुससंगे रहते रहै। सर्गीयस पौलुस बुद्धिमान आदमी रहै। ऊ बरनाबास आर शाउलके बोल्याके परमेश्वरके वचन सुनैके इच्छा कैल्कै। 8 मगर ऊ एलुमास, जकर नाम यूनानी भाषामे जादुगर रहै, ऊ शाउल आर बरनाबासके विरोध करिके सर्गीयस पौलुसके येशूमे विश्वास करैसे रोकैके कोशिश कैल्कै। 9 मगर शाउल जकरा पावल भी कहैछै, पवित्र आत्मासे परिपूर्ण भ्याके जादुगर महर टकटकी लग्याके देखिके कहैल्कै, 10 “हे शैतानके बच्चा! हरेक बढियाँ कामके विरोध करेवाला! तुहें सभे तरहके छल-कपट आर बैमानीसे भर्ल छैं। कि तुहें प्रभुके सोझ रस्ताके टेढ करैले नैछोड्भैं? 11 देख! आब प्रभु तोरा सजाय देतौ। आर कुछु समयतक तुहें अनराह भ्या जैभैं आर सुरुजके उजेत नैदेख्भैं।” तखनिहैं ओकर आगुमे धुनरह आर अनहार भरि गेलै, आर ऊ इन्हर-उन्हर हथरे लाग्लै ताकी कोय ओकर हात पक्डीके ओकर सहायता करै। 12 तब प्रदेशके शासक जे कुछु ओत्ते भेलै रहे से देखिके प्रभु येशूमे विश्वास कैल्कै। प्रभुके शिक्षा ओकरा चकित करिदेल्कै। पावल पिसिदियाके एन्टीओखिया सहरमे प्रचार कैल्कै 13 पावल आर ओकर साथीसब पाफोस सहरसे समुन्दरके यात्रा शुरु कैल्कै आर ऊसब पानी जहाजमे चढिके पामफिलिया प्रदेशके पर्गा सहरमे पहुँचलै आर यूहन्ना मर्कूस ओकरासिके छोडिके यरूशलेम सहर वापस भ्यागेलै। 14 आर ऊसब पर्गा सहरसे निक्लीके गलातिया प्रदेशके पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे पहुँचलै। आर यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे यहूदी आदमीसिके सभाघरमे जैके बैठ्लै। 15 मूसाके विधि-विधान आर परमेश्वरके वक्तासिके किताबसे पाठ पढ्लके बाद यहूदी आदमीसिके सभाघरके मुखियासब ओकरसिके लगत एरं कहिके आदमी भेजल्कै, “हे भैय्यासब तोरसिकेलगत आदमीसिके लिए उपदेशके कुछु वचन छै ते कह।” 16 तब पावल खडा भ्याके हातके इशारा करिके शान्त करैल्कै आर कहैल्कै, “हे इस्राएलीसब आर परमेश्वरके डर मानेवाला गैर-यहूदी आदमीसब, सुन। 17 यी इस्राएलीसिके परमेश्वर आपनसिके बाप-पुर्खासिके चुनल्कै, आर जब ऊसब मिश्र देशमे परदेशी भ्याके रहते रहै ते ओकरसिके उन्नति कैल्कै, आर आपन महान शक्ति देख्याके ओकरासिके मिश्र देशसे निकालीके आनल्कै। 18 सुनसान जगहमे लगभग चालीस सालतक परमेश्वर ओकरसिके देखभाल कैल्कै। जब कि ऊसब बार-बार परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै। 19 आपन बाप-पुर्खासब मिश्र देशमे ऐल चार स पचास सालके बाद कनान देशके सातटा जातके खतम करिके अधिकार करे लाग्लै। 20 यी घटनाके बाद परमेश्वर न्यायकर्तासिके इस्राएलीसिपर शमूएल परमेश्वरके वक्ताके समयतक शासन करैले नियुक्त कैल्कै। 21 तकरबाद जब शमूएल ओकरसिके अगुवा रहबे करै ऊसब एकटा राजा माँगल्कै, तब परमेश्वर बेन्यामिन कुलके कीशके बेटा शाऊलके ओकरसिके राजा बनैल्कै। शाऊल इस्राएलीसिपर चालीस सालतक राज कैल्कै। 22 फेर परमेश्वर राजा शाऊलके पदसे हट्याके ओकर जगहमे दाऊदके राजा बनैल्कै, जकर विषयमे परमेश्वर गवाही द्याके कहैल्कै, ‘हमे यिशैके बेटा दाऊदके हमर हृदय मुताबिकके आदमी पैलियै, जे हमर सभे इच्छा पुरा कर्तै।’ 23 ओकरे वंशसे परमेश्वर आपन प्रतिज्ञाके मुताबिक इस्राएलीसिके लिए एकटा उद्धारकर्ता यानिकी येशूके भेजल्कै। 24 ओकर आबैसे पहेला बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना सभे इस्राएलीसिके पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा आर बप्तिस्मा ले कहिके प्रचार कैल्कै। 25 आर जब बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्ना आपन सेवाके काम खतम करै पर रहै ते, ऊ कहैल्कै, ‘तुहेंसब हमे के छियै कहिके सोचैछैं? हमे ख्रीष्ट नैछियै। मगर देख, हमरबाद एकझन आबेवाला छै, ऊ हमरासे बहुते महान छै एत्तेतक कि हमे ओकर पैरीके जुत्ताके फित्ता भी खोलैके लायक नैछियै।’ 26 हे भैय्यासब, तुहेंसब जे अब्राहमके सन्तान छह, आर तुहेंसब जे परमेश्वरके डर मानेवाला यहूदी आदमीसब छह, परमेश्वर तोरसिकेलगत येशूके विषयमे यी सन्देशके भेजल्कहौं छे, जे आदमीसिके बचाबैछै। 27 यरूशलेम सहरमे रहेवाला आदमीसब आर ओकरसिके अगुवासब येशू ख्रीष्टके नैपहचानल्कै आर ऊसब सभे यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे पढ्ल ज्यावाला परमेश्वरके वक्तासिके वचन नैबुझल्कै। सेल्याके ऊसब ओकरा सजाय देल्कै आर एरंके ऊसब परमेश्वरके वक्तासिके कहेल वचन पुरा कैल्कै। 28 ऊसब येशूके मौतके सजाय दियैके कोनो दोष नैपैल्कै तैय्योपर ऊसब येशूके मौतके सजाय देल जै कहिके रोमी राज्यपाल पिलातससे माँग कैल्कै। 29 येशूके बारेमे जे कुछु पहेलासे धरमशास्त्रमे लिख्ल रहै, ऊ सभे बात ओकरसिके द्वारा पुरा भेलै, ऊसब येशूके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारल्कै आर ओकरा क्रूससे निच्चा उतारिके सारामे राखल्कै। 30 मगर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। 31 आर ऊ जेसब ओकरसंगे गालील जिलासे यरूशलेम सहरमे ऐलै रहे, बहुते दिनतक आपन चेलासिके दिखाई देते रहलै। आब यी आदमीसब जे येशूके देखल्कै, उहेसब आदमीसिके लिए गवाह छै। 32 हमेसब यी खुश-खबरी तोरासिके सुनाबैके लिए ऐलियै छे जे बातके प्रतिज्ञा परमेश्वर आपनसिके बाप-पुर्खासिके संगे कैल्कै रहे, 33 यानिकी, केरंके परमेश्वर येशूके मुर्दासे जिन्दा करिके उठ्याके उहे प्रतिज्ञा आपनसिके सन्तानके लिए पुरा करिदेल्कै, जेरं भजन संग्रहके किताबमे भी लिख्ल छै, परमेश्वर ख्रीष्टके बारेमे कहैल्कै, ‘तुहें हमर बेटा छैं, ऐज हमे तोरा आपन बेटाके रुपमे प्रकट करैछियौ।’ 34 कहिनेकी परमेश्वर यी प्रतिज्ञा कैल्कै रहे कि ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैतै, ताकी ओकर शरीर फेर कहियो नैसड्तै। यी बातके प्रतिज्ञा ऊ यी वचनमे देल्कै रहे, ‘पवित्र आर अटल रहेवाला आशीर्वादके वचन जे दाऊद राजाके देल गेलै रहे, ऊ वचन हमे तोरासिमे पुरा कर्बौ।’ 35 दाऊद राजा यी बात फेर दोसर भजनमे भी कहैछै, ‘हे परमेश्वर, तुहें आपन पवित्र जनके लासके पाताल लोकमे सडैले नैदेभ।’ 36 कहिनेकी दाऊद राजा ते परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक आपन समयमे सेवा करिके मर्लै, आर आपन बाप पुर्खासंगे गाड्ल गेलै, आर ओकर शरीर सडी भी गेलै। यी बातसे हमरासिके मालुम छै कि दाऊद राजा आपन विषयमे नैबोल्ते रहै। 37 मगर ऊ येशू ख्रीष्टके बारेमे कहते रहै, जकरा परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ओकर शरीर सडैले नैपैल्कै। 38 सेल्याके, हे भैय्यासब, तुहेंसब जानी ल्या कि येशूके द्वारा पापसिके माफीके समाचार तोरासिके देल जैछौं। 39 आर जे बातसिसे तुहेंसब मूसाके विधि-विधानके द्वारा निर्दोष नैठहरे सक्ते रह, ओक्रहैसिमेसे हरेक विश्वास करेवाला आदमी येशूके द्वारा निर्दोष ठहरैछै। 40 सेल्याके होशियार रह, एरं नैहै कि जे बात परमेश्वरके वक्तासिके किताबमे लिख्ल छै, तोरहौसिपर आबी जहौं: 41 ‘हे निन्दा करेवाला आदमीसब, देख आर चकित हु, आर नाश भ्याजो, कहिनेकी तोरसिके समयमे हमे एकटा काम कर्बौ, एरंको काम जकर विषयमे कोय बयान भी करि देतौ ते तुहेंसब कहियो विश्वास नैकर्भैं।’ ” 42 जब पावल आर बरनाबास यहूदी आदमीसिके सभाघरसे निक्लीके जैबेरियाँ आबेवाला यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे भी यी बातसब हमरासिके सुनाब कहिके आदमीसब ओकरासिके बिन्ती करे लाग्लै। 43 सभा विसर्जन भेलके बाद यहूदी आदमीसब आर यहूदी धरम मानेवाला बहुते गैर-यहूदी आदमीसब पावल आर बरनाबासके पाछु लाग्लै आर ऊसब ओकरसिके संगे बातचित कर्ते परमेश्वरके अनुग्रहमे बन्ल रहैके लिए सम्झैल्कै। 44 अगला यहूदी आदमीसिके विश्रामके दिनमे सहरके लगभग सभे आदमीसब परमेश्वरके वचन सुनैले जमा भेलै। 45 मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब भीडके देखिके जर्नीसे भरि गेलै, आर निन्दा कर्ते पावलके कहेल बातके विरोधमे बोले लाग्लै। 46 तब पावल आर बरनाबास निडर भ्याके कहैल्कै, “परमेश्वरके वचन सभैसे पहेला तोरहैसिके सुनाना जरुरी रहै। मगर तुहेंसब एकरा नकारी देल्ह छे आर अपने आपके कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके अयोग्य ठहरैलह छे। सेल्याके आब हमेसब गैर-यहूदी आदमीसिके लगत जैबै। 47 कहिनेकी प्रभु हमरासिके आज्ञा देल्कै छे, ‘हमे तोरा गैर-यहूदी आदमीसिके लिए उजेत ठहरैलियौ छे, तुहें परमेश्वरके बचाबेवाला शक्ति धर्तीके सभे आदमी लगत पुगाबेवाला छैं।’ ” 48 यी बात सुनिके गैर-यहूदी आदमीसब आनन्दित भेलै, आर परमेश्वरके वचनके प्रशंसा करे लाग्लै आर जतनें आदमी कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके लिए परमेश्वरसे चुन्ल रहै ऊसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैल्कै। 49 तब प्रभुके वचन सभे इलाका महर फैले लाग्लै। 50 मगर यहूदी आदमीसिके अगुवासब परमेश्वरके भक्ति करेवाला आर कुलीन जनानीसिके आर सहरके प्रमुख आदमीसिके भडकैल्कै, आर पावल आर बरनाबासके विरुद्ध उपद्रव कर्याके ओकरासिके आपन सिमानासे बाहार निकाली देल्कै। 51 तब पावल आर बरनाबास ऊ आदमीसिके परमेश्वर इन्कार कैल्कै छे आर सजाय देतै कहिके देखाबैके लिए आपन पैरीके धुर झाडल्कै आर आइकोनियन सहरमे चल गेलै। 52 चेलासब एन्टीओखिया सहरमे आनन्दसे आर पवित्र आत्मासे परिपूर्ण हैते रहलै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation