Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -


चुन्ल आर भेज्ल चेलासब 10 - केवट नया कारार

1 कैसरिया सहरमे कर्नेलियस नामके एकटा आदमी रहै, जे रोमी सेनाके इटालिया नाम भेल टुकडीके कप्तान रहै।

2 ऊ परमेश्वरके आराधना करेवाला आदमी रहै, आर पुरे घराना समेत परमेश्वरके भय मान्ते रहै। आर ऊ गरिब यहूदी आदमीसिके खुल्ला दिलसे दान दै, आर हरदम परमेश्वरसे प्रार्थना करै।

3 एक दिन, कर्नेलियस दिपहरियाके लगभग तीन बजेके आसपास दर्शन देखल्कै। उटा दर्शनमे ऊ परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूतके देखल्कै। स्वर्गदूत कर्नेलियसके कहैल्कै, “हे कर्नेलियस।”

4 कर्नेलियस ओकर महर टकटकी लग्याके देखल्कै आर डरैते कहैल्कै, “हे प्रभु कि कहैछ?” स्वर्गदूत कहैल्कै, “तोर प्रार्थनासब आर तोरद्वारा गरिबसिके लिए कैल दयाके कामसब परमेश्वरके समनामे पुग्ल छौ। ऊ यी सभे बातके याद राखल्कौ छे।

5 आब तुहें आदमीसिके योप्पा सहरमे भेजिके सिमोनके, जे पत्रुस कहलाबैछै ओकरा बोलाबैले भेज।

6 ऊ चमडाके काम करेवाला सिमोनके घरमे छै, जकर घर समुन्दरके किनारमे छै।”

7 एतनें कहिके स्वर्गदूत कर्नेलियस लगतसे बिदा भेलै। तकरबाद कर्नेलियस आपन दीटा नोकर आर परमेश्वरके आराधना करेवाला एकटा सिपाहीके बोलैल्कै। ऊ सिपाही सभे दिन कर्नेलियसके सेवा-टहल कर्ते रहै।

8 कर्नेलियस आपन देख्ल सभे बात बत्याके ओकरासिके योप्पा सहरमे भेजल्कै।


पत्रुसके दर्शन

9 दोसर दिन जब कर्नेलियसके द्वारा भेज्ल ऊ तीनटा मरदसब सहरके नज्दिक दिपहरियाके आसपासमे पहुँचलै तखनिहैं पत्रुस प्रार्थना करैले घरके छतमे गेलै।

10 ओकरा भुख लाग्लै आर कुछु खैके मन भेलै, मगर दोसर आदमीसब भोजन तैय्यार कर्ते रहै आर ऊ ध्यान मगन भ्यागेलै।

11 ऊ स्वर्ग उघर्ल देखल्कै आर ओत्तेसे चारो कोनामे पकड्ल बडका तन्नाके जुगुर कुछु धर्ती महर उतर्ते देखल्कै।

12 उटा तन्नामे धर्तीके सभे किसिमके चौपाया जानवर आर ससरेवाला जीव-जन्तु आर आकाशके चिडियासब रहै। एकरामे ऊ जानवर आर चिडियासब सामिल रहै जकर विषयमे मूसाके विधि-विधान कहैछै कि ऊ अशुद्ध आर अपवित्र छै आर यहूदी आदमीसिके ओकरा खैके लिए मनाही छै।

13 तब ऊ एकटा आवाज सुनल्कै, “हे पत्रुस उठ् आर मारिके खो।”

14 मगर पत्रुस कहैल्कै, “नै, नै प्रभु, कहिनेकी हमे कहियो कोनो अपवित्र आर अशुद्ध चीज नैखैलियै छे।”

15 उहे आवाज फेर दोसर बेर सुनल्कै, “जे कुछु परमेश्वर शुद्ध कैल्कै छे, ओकरा तुहें अशुद्ध नैक।”

16 तीनबेर एरं भेलै आर तुरन्ते उटा तन्ना आकाशमहर घिची लेल गेलै।


कर्नेलियसके घरमे पत्रुस

17 जब पत्रुस आपन मनमे दुविधामे रहै, कि यी दर्शनके मतलब कि हुए सकैछै, तब ऊ आदमीसब जकरा कर्नेलियस भेजल्कै रहे, सिमोनके घर पता लग्याके केबाडीके आगुमे आबिके खडा भेलै।

18 ऊसब सोर करिके पुछल्कै, “कि सिमोन जे पत्रुस कहलाबैछै, एत्ते मैजमानी छै?”

19 जब पत्रुस दर्शनके विषयमे विचार कर्तहैं रहै तब पवित्र आत्मा ओकरा कहैल्कै, “देख, तीनटा आदमीसब तोरा खोजैछौ।

20 सेल्याके भला ही ऊसब गैर-यहूदी आदमीसब छै, उठ् आर निच्चा जो, आर बेधडक ओकरसिके संगमे जो, कहिनेकी हम्हीं ओकरासिके भेज्लियै छे।”

21 तब पत्रुस निच्चा उतरिके ऊ आदमीसिके कहैल्कै, “देख, जकरा तुहेंसब खोजैछ, ऊ आदमी हम्हीं छियै। तुहेंसब एत्ते आबैके कारण कि छै?”

22 ऊसब कहैल्कै, “कर्नेलियस कप्तान जे धर्मी आर परमेश्वरके डर राखेवाला आर सारा यहूदी आदमीसिमे सम्मान पैल आदमी छै, ऊ एकटा पवित्र स्वर्गदूतसे यी निर्देशन पैल्कै, कि तोरा आपन घरमे बोल्याके तोरासे उपदेश सुनै।”

23 तब ऊ ओकरासिके भितर बोल्याके स्वागत-सत्कार कैल्कै। आर दोसर दिन पत्रुस ओकरसिके संगे गेलै आर योप्पा सहरके कुछु विश्वासी भ्यासब भी ओकरसिके संगमे गेलै।

24 तेसर दिन ऊसब कैसरिया सहरमे पहुँचलै। आपन कुटुमसिके आर घनिष्ठ मित्रसिके बोल्याके जमा करिके कर्नेलियस ओकरसिके इन्तजार कर्ते रहै।

25 जब पत्रुस भितर जैते रहै, तब कर्नेलियस ओकरसंगे भेट कैल्कै आर ओकर आगुमे झुकिके आराधना कैल्कै।

26 मगर पत्रुस ओकरा एरं कहिके उठैल्कै, “उठ्, हमर आराधना नैकर, हम्हुँ ते आदमीए छियै।”

27 तब ऊसब गफसफ कर्ते घरके भितर गेलै आर ऊ ओत्तेना बहुते आदमीसिके जमा भेल देखल्कै।

28 तब पत्रुस ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब जानैछ, कि गैर-यहूदी आदमीसिके संगत करना या ओकरसिसे भेटघाट करना हमे, यहूदी आदमीसिके लिए हमरसिके नियमके विरुद्ध छै, मगर परमेश्वर हमरा बतैल्कै छे कि कोनो आदमीके अपवित्र या अशुद्ध नैकहिहैं।

29 सेल्याके जब हमरा बोलैल गेलै ते हमे बिना कुछु कहले चल ऐलियै। आब कह, तुहेंसब हमरा कहिने बोलैलह छे?”

30 तब कर्नेलियस कहैल्कै, “चार दिन पहेला, इहे समयमे घरमे हमे दिपहरियाके तीन बजे प्रार्थना कर्ते रहियै, तब चमकौव्वा कपडा पिन्हल एकटा मरद हमर समनामे आबिके खडा भेलै।

31 आर कहैल्कै, ‘हे कर्नेलियस, तोर प्रार्थनासब आर तोरद्वारा गरिबसिके लिए कैल दयाके कामसब परमेश्वरके समनामे पुग्ल छौ। ऊ यी सभे बातके याद राखल्कौ छे।

32 सेल्याके योप्पा सहरमे आदमी भेजिके सिमोनके, जे पत्रुस कहलाबैछै ओकरा बोला, ऊ समुन्दरके किनारमे चमडाके कारोबार करेवाला सिमोनके घरमे मैजमान छै। जब ऊ ऐतौ ते, ऊ तोरा परमेश्वरके तरफसे एकटा सन्देश बतैतौ।’

33 तब हमे तुरन्ते तोरलगत आदमी भेज्लियै आर यी तोर कृपा भेलै कि तुहें हमरलगत ऐलह। आब हमेसब सभेको परमेश्वरके समनामे एत्ते उपस्थित भेल छियै ताकी प्रभु जे कुछु कहैके आदेश तोरा देल्कहौं छे ऊ सभे बात सुनैले हमेसब तैय्यार छियै।”


कर्नेलियसके घरमे पत्रुसके उपदेश

34 तब पत्रुस कहे लाग्लै, “आब हमे बढियाँसे बुझी गेलियै कि परमेश्वर ककरो संगे पक्षपात नैकरैछै।

35 मगर जात-जातके आदमीसब जेसब परमेश्वरसे डराबैछै आर सही काम करैछै, परमेश्वर ओकरा स्वीकार करैछै।

36 तुहेंसब ऊ सन्देशके जानैछ जे परमेश्वर हमरासिके यानिकी इस्राएलीसिके भेजल्कै। ऊ शान्तिके बारेमे खुश-खबरी सुनैल्कै जे आदमीसिके येशू ख्रीष्टमे विश्वासके द्वारा मिले सकैछै। ऊ सभे आदमीसिके प्रभु छै।

37 ऊ वचन तुहेंसब जानैछ, जे बप्तिस्मा दिएवाला यूहन्नाके बप्तिस्माके प्रचार कैलके बाद गालील जिलासे शुरु भ्याके सारा यहूदिया प्रदेशभर फैली गेलै।

38 परमेश्वर कोन तरहसे नासरत गाँवके निवासी येशूके पवित्र आत्मा आर शक्तिसे अभिषेक कैल्कै। आर कोन तरहसे ऊ सभे जगहमे घुमि-घुमिके भलाइके काम कर्ते रहै आर शैतानसे सतैल आदमीसिके ठीक करि देते रहै, कहिनेकी परमेश्वर ओकर संगमे रहै।

39 आर हमेसब ऊ सभे कामके गवाह छियै, जे ऊ यहूदिया प्रदेश आर यरूशलेम सहरमे कैल्कै, आर यरूशलेममे यहूदी आदमीसिके अगुवासब ओकरा क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मारल्कै।

40 मगर परमेश्वर ओकरा तेसर दिनमे मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै आर प्रकट करिके देखैल्कै।

41 सभे आदमीसब ओकरा नैदेखल्कै मगर परमेश्वर हमरासिके यानिकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके शुरुसे ही चुनल्कै, ऊ मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद हमेसब ओकरसंगे खैलियै पिलियै।

42 आर ऊ हमरासिके आज्ञा देल्कै कि सभे आदमीसिके प्रचार कर आर गवाही दहैं, कि येशू उहे छै जकरा परमेश्वर जिन्दा आर मर्ल आदमीसिके फैसला करेवाला नियुक्त कैल्कै छे।

43 सभे परमेश्वरके वक्तासब ओकर गवाही देल्कै छे, जे कोय ओकरापर विश्वास कर्तै कि जे काम ख्रीष्ट क्रूसपर कैल्कै, ऊ कारणसे पापके माफी मिल्तै।”


गैर यहूदी आदमीसब भी पवित्र आत्मा पैल्कै

44 पत्रुस जखनी यी बात बोल्तहैं रहै, तखनी जेसब वचन सुन्ते रहै ओकरासिपर पवित्र आत्मा उतर्लै।

45 आर जतनें यहूदी विश्वासीसब पत्रुसके संगे ऐलै रहे, ऊसब सभेको चकित भेलै कि परमेश्वर गैर-यहूदी आदमीसिके भी पवित्र आत्मा दानके रुपमे दैछै।

46 कहिनेकी ऊसब ओकरासिके अनजान भाषासिमे बोल्ते आर परमेश्वरके प्रशंसा कर्ते सुन्लकै। तब पत्रुस कहैल्कै,

47 “इहोसब ते हमरेसिके जुगुर परमेश्वरके तरफसे पवित्र आत्मा पैल्कै छे। आब एकरासिके पानीसे बप्तिस्मा हुऐसे के मना करैले सक्तै?”

48 तब पत्रुस ओकरासिके येशू ख्रीष्टके नाममे बप्तिस्मा लियैले आज्ञा देल्कै तब ऊसब पत्रुसके कुछु दिन एथै हमरसिके संगे रह कहिके बिन्ती कैल्कै आर सेल्याके ऊसब कुछु दिनके लिए रुकी गेलै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan