२ तिमोथी 4 - केवट नया कारारपरमेश्वरके वचनके प्रचार कर 1 जब येशू ख्रीष्ट राजाके रुपमे राज्य करैके लिए ऐतै, ऊ दोनो जिन्दा आदमीसब आर मर्ल आदमीसिके न्याय कर्तै। सेल्याके परमेश्वर आर ख्रीष्टसंगे गवाहीके रुपमे हमे तोरा आग्रह करैछियौ, 2 कि परमेश्वरके वचनके प्रचार कर, परिस्थिती बढियाँ है या खराब है परमेश्वरके वचन प्रचार करैले तैय्यार र। तुहें आदमीसिके ओकरसिके कैल खराब कामके देखाबे पडैछै, आर ओकरसिके पापके खातिर ओकरासिके धोपे पडैछै। मगर ओकरासिके हौसला दहैं। धीरजके साथ यी सभे काम कर आर ध्यानसे सिखा। 3 कहिनेकी एरं समय आबैछै, जब आदमीसब सच्चा शिक्षाके स्वीकार करैले नैचहतै, मगर अपने आपके पसन्द हुएवाला बात खाली सुने चाहैछै आर ऊसब झुट्ठा शिक्षकसब खोज्तै जेसब ओकरासिके आपन मन-पसन्दके बात सिखैतै। 4 ऊसब सच्चा बातसब नैसुन्तै मगर झुट्ठा आर बनौटी खिसासब सुन्तै। 5 मगर जे कुछु भेलपर भी तोरा अपने आपके वशमे राखे पडैछै, आर जेरं कष्ट भेलपर भी तोरा भोगे पडैछै। तोरा खुश-खबरी प्रचार करे पडैछै, आर परमेश्वरके सेवकके रुपमे तोरा करे पडेवाला सभे कामसब करे पडैछै। 6 हमे तोरा यी आदेशसब दैछियौ कहिनेकी ऊसब हमर जान मार्बो कर्तै ते भी हमे अंगुरके मद्दके जुगुर हैबै जे बलिदान पुरा कराबैके लिए पुजारी बलिदानके अर्घ-बलिके रुपमे चढाबैछै। यानिकी हमर यी संसार छोडिके जैके समय ऐलै छे। 7 जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, हमे भी ख्रीष्टके लिए कडा मेहनत करैले कहियो भी नैछोडलियै छे। हमे येशू ख्रीष्टके द्वारा हमरा देल काम पुरा कैलियै छे। हमे अन्ततक ख्रीष्टके प्रति विश्वासयोग्य भेल छियै। 8 आब प्रभु हमर लिए स्वर्गमे धार्मिकताके मकुट राखल्कै छे, कहिनेकी हमे ओकरा पसन्द हुएवाला जीवन जिलियै छे। ऊ प्रभु जे सहीसे फैसला करैछै, हमरा उटा मकुट तब देतै जब ऊ फेर वापस ऐतै। ऊ खाली हमरा नै मगर ओकरा सभैके देतै जेसब ओकर वापस आबैके बहुते इच्छा करैछै। वक्तिगत सन्देश 9 तिमोथी तुहें हमरलगत जल्दी आबैके कोशिश कर। 10 कहिनेकी डेमास यी संसारमे भेल बातसिके प्रेम करिके हमरा त्यागी देल्कै, आर ऊ थेसलोनिके सहरमे गेलै छे, आर भ्या क्रेसेन्स गलातिया प्रदेशमे गेलै छे, आर तीतस दलमातिया प्रदेशमे गेलै। 11 खाली लूका हमरसंगे छै। जब तुहें ऐभैं, मर्कूसके भी आपनसंगे आन, कहिनेकी ऊ एत्ते हमर काममे सहायता कर्तै। 12 मगर तुखिकसके हमे एफिसस सहरमे भेज्लियै छे। 13 त्रोआस सहरमे कार्पस कते छोड्ल हमर जाडमे पिन्हेवाला कपडा तुहें आबैबेरियाँ आपन संगमे आन। हमर किताबसब भी आनिहैं विशेष करिके, उटा किताबसब जे भेंडाके चमडासे बन्ल छै। 14 अलेक्जेण्डर, जे लुहार छै, हमरा बहुते प्रकारके दुःख देल्कै छे। प्रभु ओकरा ओकर दुष्ट कामके मुताबिक बदला देतै। 15 ओकरासे तहुँ बहुते होशियार र, कहिनेकी ऊ ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके शिक्षाके घोर विरोध कैल्कै। 16 जब पहेला बेर हमरा आरोप लगाबेवालासिके जबाब दियैके लिए हमे रोम सहरमे न्यायधीशके समनामे खडा भेलियै, कोय भी हमर पक्षमे गवाही दियैले नैऐलै। मगर ऊ सभेको हमरा छोडी देल्कै। हमे प्रार्थना करैछियै कि हमरा छोडिके गेल पर भी परमेश्वर ओकरासिके माफ करिदै। 17 मगर प्रभु हमरसंगे खडा भेलै आर ऊ हमरा शक्ति देल्कै, आर हमे येशू ख्रीष्टके बारेमे साफसे खुश-खबरी प्रचार कैलियै ताकी अदालतमे भेल सभे गैर-यहूदी आदमीसब सुने सकै, आर भुख्ल शेरसे बचैल जुगुर परमेश्वर हमरा मौतसे बचैल्कै। 18 प्रभु हमरा सभे हानीसे बचैतै आर ऊ हमरा ओकर स्वर्गीय राज्यमे ल्याजैतै जते ऊ राजाके रुपमे शासन करैछै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ते रहै। आमेन। 19 प्रिस्कीला आर ओकर पति अकिलासके आर ओनिसिफरसके घरानाके हमर नमस्कार कही दहैं। 20 इरास्तस कोरन्थी सहरमे ही रहलै, आर हमे त्रोफिमसके मिलेटस सहरमे छोडी देलियै कहिनेकी ऊ बेमार रहै। 21 जाड शुरु हुऐसे पहलहै आबैके कोशिश कर। युबुलस तोरा नमस्कार भेजल्कौ छे आर पुडेस, लिनस, क्लौडिया आर सभे विश्वासी भ्यासब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। 22 हमे प्रार्थना करैछियौ कि प्रभु तोरसंगे रहौ आर ओकर अनुग्रह भी तोरसंगे रहौ। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation