Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

२ तिमोथी 3 - केवट नया कारार


अन्तके दिनके चेतावनी

1 तिमोथी, हमे चाहैछियै कि तुहें यी बात जानीके राख कि यी संसारके अन्तके दिनमे कठिन समय ऐतै।

2 कहिनेकी आदमीसब खाली अपने आपके प्रेम कर्तै, रुपिया पैसाके मोह कर्तै, घमण्डी हैतै, ऊसब दोसर आदमीसिके निन्दा कर्तै, मयाँ-बाबुके आज्ञापालन नैकर्तै, धन्यवादी नैहैतै आर परमेश्वरके सम्मान नैकरिके दुष्ट बन्तै।

3 ऊसब दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमके बिना हैतै, ऊसब दोसर आदमीसिके माफ नैकर्तै, दोसर आदमीसिके दोष लगैतै, ऊसब आपन इच्छासिके काबुमे राखे नैसक्तै, ऊसब क्रूर हैतै, ऊसब बढियाँ चीजके घृणा कर्तै।

4 ऊसब आपन साथीसिके संगे विश्वासघात कर्तै, ऊसब बिना सोची विचारीके काम कर्तै, ऊसब अपने आपके दोसर आदमीसिसे बेसी महत्वपूर्ण सोच्तै आर ओहिने व्यवहार कर्तै आर परमेश्वरसे बेसी सुख विलासके प्रेम कर्तै।

5 ऊसब परमेश्वरके भक्त हुऐके देखावा कर्तै, मगर ऊसब खुदके भक्त बनाबे सकेवाला शक्तिके इन्कार कर्तै। एरंको आदमीसिके संगे संगत नैकर।

6 एकरासिमेसे कुछु आदमीसब आदमीसिके घरमे जैछै आर मूर्ख जनानीसिके पूर्ण रुपसे काबु करैछै, जकर हृदय ओकरसिके पापके दोषसे लादल हैछै आर सभे प्रकारके इच्छासे चलैल हैछै।

7 ऊ जनानीसब सभे दिन अलग शिक्षा सिखैछै, मगर कहियो भी ख्रीष्टके बारेमे सच बात बुझे नैसकैछै।

8 यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके सच्चा सन्देशके प्रचार करैसे रोकैके कोशिश करैछै, जेरं यान्नेस आर याम्ब्रेस मूसाके विरोध कैल्कै रहे। ओकरसिके दिमाग भ्रष्ट छै आर ऊसब आपन विश्वासके अनुसरण करैमे असफल भेल छै।

9 मगर ऊसब आदमीसिके बहुतेबेर तक धोखा दिये नैसक्तै, कहिनेकी जेरंके यान्नेस आर याम्ब्रेस मूर्ख आदमीसब रहै कहिके आदमीसब चिन्हल्कै, ओहिने करिके एरंको दुष्ट आदमीसब भी मूर्ख छै कहिके सभे आदमीके मालुम हैतै।


तिमोथीके पावलद्वारा अन्तिम आदेशसब

10 मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।

11 आदमीसब हमरा सतैल्कै आर हमरा बहुते कष्ट देल्कै। तोरासिके मालुम छौ पिसिदिया प्रदेशके एन्टीओखिया सहरमे, आइकोनियन सहरमे आर लुस्त्रा सहरमे आदमीसब हमर विरुद्धमे कैल भयानक कामसिके बारेमे आर ओत्ते हमे केरं सतावटसब सहलियै ओकर बारेमे तोरासिके मालुम छौ। तैय्योपर प्रभु हमरा ऊ सभैसे बचैल्कै।

12 परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहेवाला आर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला सभे आदमीके अविश्वासी आदमीसब सतैतै।

13 मगर दुष्ट आर धोखेबाज आदमीसब आरहौ बेसी दुष्ट कामसब कर्तै। ऊसब आदमीसिके धोखा देतै आर ऊसब खुद भी दोसर आदमीसिसे धोखा पैतै।

14 जे बात हमेसब तोरा सिखैलियौ छे, तोरा उटा बात पर निरन्तर विश्वास करना चाही आर तुहें निश्चित छैं। कहिनेकी तुहें जानैछैं आर हमरासिपर भरोसा करे सकैछैं जेसब तोरा यी सच्चाईसब सिखैल्कौ छे।

15 बचपनसे ही, तुहें धरमशास्त्रसे परिचित छैं, जे तोरासिके येशू ख्रीष्टमे विश्वास कैलके बाद परमेश्वर तोरासिके बचाबैछै कहिके बुझैले सहायता करैछै।

16 सारा धरमशास्त्र ऊ वचनसब छै जे परमेश्वर ऊ आदमीसिके विचारमे देल्कै जेसब यी धरमशास्त्र लिखल्कै आर अपनासब यी सभे बात आदमीसिके सच्चा शिक्षा दियैके लिए, गल्ती करेवाला आदमीसिके धोपैके लिए, आदमीसिके ओकरसिके गलत चालसब सुधारैके लिए, आर आदमीसिके जे काम सही छै उटा करे पडैछै कहिके सिखाबैके लिए प्रयोग करे सकैछियै।

17 ताकी परमेश्वरके आदमीसब सभे प्रकारके बढियाँ कामसब करैके लिए तैय्यार आर सुसज्जित हुए सकै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan