२ तिमोथी 2 - केवट नया कारारकठिनाईसिके सामना करैके लिए निर्देश 1 सेल्याके तिमोथी, तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, येशू ख्रीष्टमे परमेश्वर तोरा देल अनुग्रहके द्वारा अपने आपके निरन्तर मजगुत बना। 2 तुहें हमरा बहुते आदमीसिके समनामे ख्रीष्टके विषयमे सन्देश सिखैते सुन्लहैं छे। सेल्याके, हमे चाहैछियै कि तुहें भी आपन भरोसा कैल दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखा, आर ऊ विश्वासीसब भी दोसर विश्वासीसिके इहे सन्देश सिखाबैके योग्य हैतै। 3 येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सिपाहीके जुगुर हमरसंगे दुःख भोगैमे सामिल हु। 4 सेनामे भर्ती भेल एकटा सिपाही कोनो दोसर किसिमके काम नैकरैछै, कहिनेकी ऊ आपन कप्तानके खुश बनाबैले चाहैछै। 5 संगहै संग, जब कोय कोनो खेलमे मुकाबला करैछै ते ऊ तबतक इनाम नैजितैछै जबतक नियम मुताबिक मुकाबला नैकरैछै। 6 मेहनत करेवाला किसान फसलके हिसाके पाबैके लिए पहेला आदमी हुऐके हकदार छै। 7 यी उदाहरणसब कि शिक्षा दैछै ओकर बारेमे सोच, आर प्रभु तोरा हमर कहैके मतलब बुझैके लिए सहायता कर्तौ। 8 येशू ख्रीष्ट के छै कहिके सभे दिन याद राख। ऊ दाऊद राजाके सन्तान छै। परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, आर आदमीसिके प्रचार करेवाला हमर खुश-खबरी इहे छै। 9 हमे खुश-खबरीके प्रचार करैके कारणसे एकटा अपराधीके जुगुर जेलमे दुःख भोगैछियै। मगर कोनो भी चीज आदमीसिके परमेश्वरके खुश-खबरी फैलाबैसे रोके नैसकैछै। 10 सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै। 11 यी बात सही छै, कि यदि ख्रीष्टसंगे आपनसिके मौत भेल छै, ते अपनासब ओकरसंगे जिन्दा भी हैबै। 12 यदि अपनासब ओकर लिए दुःख सहबै ते, अपनासब ओकरेसंगे राजाके जुगुर राज्य भी कर्बै। मगर यदि अपनासब ओकरा चिन्हैसे इन्कार करैछियै ते, उहो भी कहतै कि अपनासब ओकर नैछियै। 13 यदि अपनासब ख्रीष्टके प्रति वफादार नै भी हैबै ते, ऊ आपनसिके प्रति वफादार रहतै कहिनेकी ऊ झुट्ठा भ्याके खुद अपने आपके विरुद्ध नैहुए सकैछै। उत्तम कारीगर 14 जे बात हमे तोरा सिखैलियौ छे ऊ बात विश्वासीसिके घुरी-घुरी सिखा। आर प्रभुके समनामे कडा आज्ञा दहैं कि ऊसब बेकारके शब्दसिके विषयमे बहस नैकरै, जे भलाइ नैकरैछै, मगर यी सुनेवाला आदमीसिके हानी पहुँचाबैछै। 15 कडा मेहनत कर ताकी तुहें अपने आपके परमेश्वरके समनामे एरंको आदमीके रुपमे पेश करे सक्हैं, जकरा ऊ स्वीकार करे सकै। एकटा एरंको कारीगरके जुगुर बन जे बढियाँसे काम करैछै आर जकरा आपन कामके कारण लज्जित हुए नैपडै, आर जे सचके वचनके सही तरिकासे सम्हारैछै। 16 परमेश्वरके आराधना नैहुएवाला चीजसे आर बेकारके छलफल करैसे बच। कहिनेकी एरंको आदमीसब जे परमेश्वरके आराधना नैहुएवाला चीजमे भाग लैछै ऊसब आरहौ बेसी ईश्वरहीन भ्याजैछै। 17 ओकरसिके बातसब फैल्ले जैतै आर अन्तमे यी बात सुनेवाला आदमीसिके विश्वासके नाश कर्तै। ओकरासिमेसे दी झन हुमेनियस आर फिलेतस छै। 18 यी दीटा आदमीसब सच्चाईमे विश्वास करैले बन्द कैल्कै छे। ऊसब कहैछै कि परमेश्वर पहलहैसे ही मर्ल विश्वासीसिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके लिए उठ्या लेल्कै छे। नतिजा स्वरुप, ऊसब कुछु विश्वासीसिके ख्रीष्टके शिक्षासिमे विश्वास करैके लिए रोकैछै। 19 मगर परमेश्वरके आदमीसब एकटा जगके जुगुर छै, यानिकी ऊसब सभे दिन आपन विश्वासमे स्थिर रहैछै। यी जगमे यी शब्दसब लिख्ल छै: “प्रभु आपन आदमीसिके चिन्हैछै” आर यी भी लिख्ल छै, “जे आदमीसब कहैछै कि ऊसब परमेश्वरके छै ऊ आदमीसिके दुष्ट कामसब करैके लिए बन्द करे पडैछै।” 20 मातबर आदमीसिके घरमे कुछु बर्तनसब सोना आर चानीके हैछै आर कुछु बर्तनसब लकडी आर माटीसे बन्ल हैछै। किमती बर्तनसब विशेष कामके लिए प्रयोग कैल जैछै आर सस्ता बर्तनसब दैनिक कामके लिए प्रयोग कैल जैछै। 21 अहिने करिके जे विश्वासी खुदके उटा सभे खराब कामसे अलग करि लेतै, ते ओकर जीवन पवित्र हैतै। ऊ आपन मालिकके लिए उपयोगी हैतै आर कोनो भी किसिमके बढियाँ काम करैके लिए ऊ तैय्यार रहैछै। 22 सेल्याके तिमोथी तुहें जवान आदमीसिके आकर्षित करेवाला पापी इच्छासिसे बच। शुद्ध ह्रदयसे परमेश्वरके पुकारा करेवालासिके संगे परमेश्वरके समनामे सही हु, विश्वासमे लाग्ल र, दोसरके प्रेम कर आर शान्तिमे र। 23 मगर मूर्ख आर बेकारके सवाल जबाबके इन्कार कर। कहिनेकी तुहें जानैछैं कि एकरासे झगडा हैछै। 24 प्रभुके सेवक झगडा करेवाला नै होना चाही, मगर ओकरा सभैके प्रति दयालु होना चाही, परमेश्वरके वचन साफसे सिखाबैके लिए सक्षम होना चाही आर खुदके विरोध करेवाला आदमीसिके संगे धीरज राखना चाही। 25 आपन विरोधमे भेल आदमीसिके ऊ नम्रताके साथ सुधारना चाही, आर कि पता परमेश्वर ओकरासिके मन बदलैके लिए सहायता कर्तै, ताकी ऊसब भी ख्रीष्टके सच्चाईके चिन्हे सकै। 26 आर ऊसब होशमे आबे सकै आर शैतानके शक्तिसे भागे सकै, जे ओकरासिके धोखा द्याके आपन इच्छाके मुताबिक चलैल्कै छे। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation