Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

२ थेसलोनिकी 1 - केवट नया कारार


शुभकामना

1 हमे, पावल यी चिट्ठी सिलास आर तिमोथीके संगे लिखैछियौ। हमेसब यी चिट्ठी थेसलोनिके सहरके मण्डलीके लिखैछियै, जे परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्टके छै।

2 हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


पापके आदमी यानिकी विनाशके बेटा

3 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तोरसिके लिए सभे दिन हमरासिके परमेश्वरके धन्यवाद चढाना चाही, आर यी करना हमरसिके लिए उचित छै, कहिनेकी तुहेंसब निरन्तर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं आर एक दोसरप्रतिके तोरसिके प्रेम भी बढते गेलौ छे।

4 सेल्याके हमेसब परमेश्वरके मण्डलीके विश्वासीसिमे तोरसिके विषयमे गर्व करैछियै। तुहेंसब परीक्षा आर दुःख कष्टमे पडल पर भी आरहौ भी धीरजके साथ सहैछैं आर आरहौ भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं।

5 आर परमेश्वर यी सतावटके न्यायके लिए आर तोरासिके ओकर राज्यके योग्य बनाबैके लिए प्रयोग कर्तौ, जकर खातिर तुहेंसब कष्ट भोगैछैं।

6 कहिनेकी परमेश्वर हमेशा न्याय करैछै आर ऊ तोरासिके कष्ट दिएवालासिके कष्ट दैछै।

7 ऊ तोरासिके जे एखन कष्ट भोगैछैं आर हमरासिके भी सान्त्वना देतै। यी बात तब हैतै जब प्रभु येशू आपन शक्तिशाली स्वर्गदूतसिके संगे बर्ल आगिनमे स्वर्गसे प्रकट हैतै।

8 आर परमेश्वरके स्वीकार नैकरेवाला आदमीसिके आर आपनसिके प्रभु येशूके बारेमे खुश-खबरी नैमानेवालासिके ऊ सजाय देतै।

9 ऊसब सभे दिनके लिए प्रभुसे अलग हैतै आर ओकर आदरमे भाग नैपैतै। आर ऊ ओकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला सजाय द्याके विनाश कर्तै।

10 यी तब हैतै जब प्रभु येशू ओकर आदमीसिसे प्रशंसा पाबैके लिए फेर वापस ऐतै, आर ओकरापर विश्वास करेवाला आदमीसब ओकरा आदर देतै आर उटा दिन ओकर प्रशंसा करेवाला आदमीसिमेसे तहुँसब भी हैभैं, कहिनेकी हमेसब ओकर विषयमे जे तोरासिके कहैलियौ ऊ बातमे तुहेंसब विश्वास कैल्हैं।

11 सेल्याके हमेसब तोरसिके सभैके लिए लगातार प्रार्थना भी करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर तोरासिके उटा काम करैके लिए काबिल बनैतौ जे कामके लिए ऊ तोरासिके बोलैल्कौ छे। आर ऊ आपन शक्तिसे तोरसिके सभे बढियाँ मकसदसिके पुरा करौ आर सभे उटा कामके ऊ सफल बनाबौ जे तोरसिके विश्वासके फल छै।

12 एरंके आपनसिके प्रभु येशूके नाम तोरसिकेद्वारा महिमा पैतै। आर तुहेंसब ओकरद्वारा आदर पैभैं। यी सभे कुछु आपनसिके परमेश्वरके आर प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रहसे सम्भव भेल छै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan