Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

२ कोरन्थी 7 - केवट नया कारार

1 कहिनेकी हे प्रियसब, परमेश्वर अपनासिके आपन बेटा-बेटीसिके जुगुर स्वीकार करैके लिए एरं प्रतिज्ञा कैल्कै छे, इहे ल्याके अपनासब उटा सभे खराब काम बन्द कर जे तोरसिके शरीर आर आत्माके अशुद्ध बनाबैछै। परमेश्वरके भय मान आर आदर कर। या अपनासब पुरा तरहसे पवित्र हुऐके लिए काम करैछियै।


पावलके आनन्दके विषय

2 आपन पुरा दिलसे हमरासिके प्रेम कर। हमेसब ककरो संगे अन्याय नैकैलियै छे, हमेसब कक्रहौ नै बिगाडलियै छे, हमेसब कोनो आदमीसे फैदा नैउठैलियै छे।

3 हमेसब तोरासिके दोषी बनाबैके लिए यी नैकहैछियौ कहिनेकी हमेसब पहलहै कही चुक्लियौ छे कि हमेसब तोरासिके आपन पुरा दिलसे प्रेम करैछियौ आर सभे दिन प्रेम कर्ते रहबौ चाहे कुछु भी भ्याजै।

4 तोरासिपर हमरा पुरा भरोसा छै आर हमे तोरासिपर बहुते गर्व करैछियै। हमे खुब उत्साहित छियै आर हमर सभे कष्टसिमे हमे आनन्दसे भरपुर रहैछियै।

5 कहिनेकी जब हमेसब त्रोआससे निकल्लियै आर माकेडोनिया प्रदेशमे ऐलियै, तखन भी हमरासिके एक्कोरति आराम नैरहै, मगर सभे महरसे तकलीफ झेल्ते रहियै, सभे जगहमे झर-झगडा आर हमरसिके मनमे डरे-डर रहै।

6 मगर निराश भेल आदमीसिके सान्त्वना दिएवाला परमेश्वर तीतसके आगमनसे हमरासिके सान्त्वना देल्कै।

7 ओकर आगमनसे खाली नै, मगर उटा सान्त्वनासे भी जे सान्त्वना ऊ तोरासिसे पैल्कै रहे। हमरसे भेट करैके तोरसिके बडका इच्छाके बारेमे ऊ हमरासिके कहैल्कै। हमर खातिर तोरसिके शोकके विषयमे आर हमरप्रति तोरसिके गहरा चिन्ताके विषयमे भी ऊ बतैल्कै आर एरंके हमे आरहौ बेसी आनन्दित भेलियै।

8 हमरा यी बातसे पछतावा नैछै कि हमे तोरासिके चिट्ठी लिख्लियै रहे, जब कि यी चिट्ठी तोरासिके दुखित बनैल्कौ रहे। पहेला हमरा पछतावा भेलै रहे जब हमे देख्लियै कि यी तोरासिके कुछु समयके लिए दुखित बनैल्कौ रहे।

9 मगर आब हमे खुशी छियै, यी ल्याके नै कि तुहेंसब दुखित भेल्हैं, मगर इहे ल्याके कि जे उहे दुःखके परिणाम यी भेलै कि तुहेंसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैलहैं। कहिनेकी यी ओरंको दुःख रहै जे परमेश्वर चाहैछै कि ओकर आदमीसिके है। आर हमरसिके कारण तोरासिके कोनो हानी नैपहुँचलौ।

10 यदि कोनो आदमी परमेश्वरके इच्छाके मुताबिक दुखित हैछै ते ऊ पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैतै आर बची जैतै। यी कोनो दुःखके बात नैछै। मगर संसारिक आदमीसिके दुःख कहियो खतम नैहुएवाला मौतके तरफ ल्याजैछै।

11 ध्यान दहैं कि परमेश्वरके तरफसे ऐल दुःख तोरासिमे कोन-कोन परिवर्तन कैल्कौ छे, एरं उत्सुकतासे भर्ल तत्परता, आपन पक्ष स्पष्ट करैके एरं बडका इच्छा, अन्यायके प्रति एरं गोस्सा, संकटके प्रति एरंको सावधानी, हमरासे भेट करैके एरंको बडका इच्छा, सेवाके प्रति एरंको उत्साह आर दुराचारीके सजाय दियैके लिए एरंको तेजीके द्वारा तुहेंसब यी साबित करि देल्हैं कि सभे कुछु ठीक-ठाक करैमे तुहेंसब कोनो भी कमी नैछोडलहैं छे।

12 वास्तवमे उटा कठोर चिट्ठी जे हमे तोरासिके लिख्लियौ रहे, ऊ नैते ओकर कारण जे अन्याय कैल्कै आर नैते ओकर कारण जकरापर अन्याय कैल गेलै, मगर इहे कारणसे लिख्लियौ जे परमेश्वरके समनामे तुहेंसब बुझे सक्हैं कि हमरसिके लिए तोरसिके कतनें वास्ता छौ।

13 एक्रहैसे हमरासिके प्रोत्साहन मिल्लै छे। प्रोत्साहनके साथ-साथ हमरासिके तीतसके आनन्दके देखिके विशेष खुशी सेहो भेलै छे, कहिनेकी ओकर मन तोरसिके सभैके द्वारा उत्साहित भेलै छे।

14 हमे तीतसके समनामे तोरसिके बारेमे गर्व कैलियै रहे, तकर खातिर हमरा लज्जित नैहुए पड्लै। जेरंके हमेसब सभे दिन तोरासिके सच कहैलियौ, ओहिने करिके तीतसके समनामे तोरसिके विषयमे हमरसिके गर्व करना सेहो सच साबित भेलै।

15 आर जब-जब ऊ फेरसे सोचैछै कि केरंके तुहेंसब ओकर आज्ञापालन कैल्हैं, जब तुहेंसब अधिनता आर बडका सम्मानके साथ ओकर स्वागत कैल्हैं ते, ऊ तोरासिके आरहौ भी बेसी प्रेम करैछौ।

16 हमे आनन्दित छियै कि हमे तोरासिपर पुरा भरोसा राखे सकैछियै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan