Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

२ कोरन्थी 6 - केवट नया कारार

1 परमेश्वरके सहकर्मी हुऐके कारणसे हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ओकर अनुग्रहके बेकार हुऐले नैदहैं।

2 कहिनेकी धरमशास्त्रमे परमेश्वर कहैल्कै छे, “सही समयमे हमे तोर पुकारा सुन्लियौ, आर उद्धारके दिनमे हमे तोरा सहायता कैलियौ।” सुन! एखन सही समय छै, एखन उद्धारके दिन छै।

3 परमेश्वरके सहकर्मीके रुपमे, हमरसिके कैल कामके निन्दा नैहै कहिके हमेसब कक्रहौ बाधा दियैके काम नैकरैछियै।

4 मगर हर तरहसे हमेसब देखाबैछियै कि हमेसब परमेश्वरके सच्चा सेवकसब छियै। हमेसब धीरजसे समस्यासिके, कठिनाईसिके आर सभे प्रकारके विपत्तिसिके सहन करैछियै।

5 हमेसब मार खैछियै, जेलमे कैद कैल जैछियै, भीडके उत्पातमे पडैछियै। मेहनत करैछियै, रात-रातभर जाग्ल आर भुख्ल रहैछियै।

6 हमेसब यी सभे बातके सामना शुद्ध मनसे, ज्ञानसे, धीरज आर दयाके साथ करैछियै। हमेसब यी काम पवित्र आत्माके अनुसरण करैके द्वारा आर सच्चा प्रेमके द्वारा करैछियै।

7 परमेश्वरके सच्चाईके वचनमे आर ओकर शक्तिमे, हमेसब धार्मिकताके हतियारसब दहिना हातमे हमलाके लिए आर बायाँ हातमे बचावके लिए प्रयोग करैछियै।

8 जब आदमीसब हमरसिके प्रशंसा करैछै या जब ऊसब हमरासिके तुच्छ सम्झैछै, जब आदमीसब दोसर आदमीसिके बताबैछै कि हमेसब खराब आदमी छियै या बढियाँ आदमी छियै, हमेसब इमानदार छियै, मगर ऊसब कहैछै कि हमेसब झुट्ठा छियै।

9 कुछु आदमीसब हमरासिके प्रसिद्ध सम्झैछै, मगर कुछु आदमीसब हमरासिके अनचिन्हार सम्झैछै। हमेसब मर्ल आदमीसिके जुगुर दिखाई दैछियै आर फेर भी जिन्दा छियै। सजाय पाबैछियै मगर जानसे मार्ल नैजैछियै।

10 हमरसिके लगत दुःखके समय रहै, मगर सभे दिन आनन्दित रहैछियै। हमेसब खुद ते कंगाल छियै, मगर बहुते आदमीसिके आत्मिक रुपसे मातबर बन्या दैछियै। हमरसिके लगत आपन कुछु नैहैते पर भी सभे कुछु छै।

11 हे कोरन्थीके विश्वासीसब, हमेसब खुलिके तोरसिसे बात कैलियौ छे, हमेसब तोरासिके पुरा दिलसे प्रेम करैछियौ।

12 हमेसब तोरसिके प्रति आपन प्रेमके सिमित नैकरैछियै, मगर तुहेंसब हमरसिके प्रति आपन प्रेमके सिमित करैछैं।

13 मगर आपन बच्चासब जानीके तोरासिके कहैछियौ, कि तुहेंसब भी ओकर बदलामे आपन पुरा दिलसे हमरासिके प्रेम कर।

14 अविश्वासी आदमीसिके संगे सहभागी नैहो। कहिनेकी धार्मिकता आर अधार्मिकताके कोनो मेलजोल नैहैछै या उजेत आर अनहारके कोनो सम्बन्ध नैहैछै।

15 ख्रीष्टके आर शैतानके बीचमे कोनो सम्झौता नैछै। विश्वासी आदमी आर अविश्वासी आदमीसिके कोनो साजी नैहैछै।

16 मूर्तिसिके परमेश्वरके मन्दिरमे कोनो जगह नैछै। कहिनेकी अपनासब ते जिन्दा परमेश्वरके मन्दिर छियै, जेरंके परमेश्वर धरमशास्त्रमे कहैल्कै छे, “हमे यी आदमीसिके संगे रहबै आर ओकरसिके बीचमे चलफिर कर्बै, आर हमे ओकरसिके परमेश्वर हैबै आर ऊसब हमर आदमी हैतै।”

17 सेल्याके प्रभु अपनासिके धरमशास्त्रके द्वारा कहैछै, “ऊ आदमीसिके बीचसे बाहार आबी जो, जेसब परमेश्वरके अनुसरण नैकरैछै, आर ओकरसिसे तुहेंसब अलग र, आर गन्दा चीजसब जे हमे वर्जित कैलियौ छे ओकरासे हट्ल र, तब हमे तोरासिके स्वीकार कर्बौ।

18 हमे तोरसिके पिता हैबौ आर तुहेंसब हमर बेटा-बेटीसब हैभैं, यी सर्वशक्तिमान प्रभुके वचन छै।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan