२ कोरन्थी 5 - केवट नया कारारआपनसिके स्वर्गीय घर 1 कहिनेकी अपनासब जानैछियै यदि धर्तीमे भेल आपनसिके यी अस्थायी शरीर खतम भ्याजैतै ते अपनासिके परमेश्वरके तरफसे स्वर्गमे एकटा एरंको घर मिल्तै, जे हातसे बन्ल नै मगर सभे दिन रहेवाला छै। 2 अपनासब जबतक यी शरीरमे रहैछियै तबतक कुहरते रहैछियै आर स्वर्गीय घरमे रहैके लिए ललायित रहैछियै। 3 जब अपनासिके ऊ स्वर्गीय शरीर मिल्तै ते, अपनासब बिना शरीरके नैरहबै। 4 आर अपनासब यी अस्थायी शरीरमे बोझसे दब्ल कुहरते रहैछियै, कहिनेकी अपनासब यी संसारिक शरीरके छोडैले नैचाहैछियै मगर अपनासब चाहैछियै कि परमेश्वर अपनासिके स्वर्गीय शरीर दै, ताकी यी शरीर जे मरि जैतै यी उटा शरीरमे बदली जैतै जकरामे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। 5 आर ऊ परमेश्वर छै, जे अपनासिके नया शरीरके लिए तैय्यार कैल्कै छे, उहे अपनासिके बैनाके रुपमे पवित्र आत्मा भी देल्कै छे। ताकी अपनासिके मालुम है कि आपनसिके लिए तैय्यार कैल सभे चीज अपनासब पैबै। 6 सेल्याके हमरासिके पुरा निश्चय छै आर हमेसब जानैछियै, कि जबतक अपनासब शरीरमे रहबै, तबतक प्रभुसे दूर रहबै, जे स्वर्गमे छै। 7 जब अपनासब एखन यी संसारमे जियैछियै ते, अपनासब विश्वासके द्वारा प्रभुके पाछु चलैछियै, नै कि ओकरा देखिके। 8 सेल्याके हमेसब निश्चिन्त रहैछियै आर जब हमेसब मर्बै ते, यी शरीरके छोडिके प्रभुके संगे आपनसिके घरमे रहना आरहौ भी उत्तम मानैछियै। 9 सेल्याके हमरसिके बडका इच्छा भी इहे छै कि चाहे हमेसब ओकरसंगे स्वर्गमे रहियै चाहे हमेसब एत्ते यी धर्तीमे रहियै खाली ओकरा पसन्द हुएवाला काम कर्बै। 10 कहिनेकी अपनासब सभेको एक दिन फैसलाके लिए ख्रीष्टके समनामे खडा हैबै। सभे आदमीसब यी जीवनमे बढियाँ आर खराब जेरं काम कैल्कै छे, उहे मुताबिक फल पैतै। ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके संगे मेल-मिलाप 11 सेल्याके हमेसब प्रभुके डर मानिके सचमे विश्वास करैके लिए आदमीसिके आग्रह करैछियै। आर परमेश्वर हमरासिके बढियाँसे जानैछै आर हमर आशा यी छै कि तोरसिके विवेक भी हमरासिके बढियाँसे जानैछौ। 12 हमेसब फेर तोरसिके समनामे आपन बडै नैकरैछियै, मगर तोरासिके हमरासिपर गर्व करैके मौका दैछियौ, ताकी तुहेंसब ओकरासिके जबाब दिए सक्हैं, जेसब आदमीके भितरी चरित्रमे नै मगर बाहरी देखावटी बातसिमे गर्व करैछै। 13 यदि कोय आदमी कहैछै कि हमेसब पागल छियै ते हमे परमेश्वरके लिए छियै आर अगर हमरसिके होश ठेकानामे छै कहिके दोसर आदमीसब कहैछै ते यी तोरसिके फैदाके लिए छौ। 14 कहिनेकी ख्रीष्टके प्रेम हमरासिके मजबूर करैछै, सेल्याके हमेसब निश्चित छियै कि एकटा आदमी सभे आदमीसिके लिए मरि गेलै, इहे ल्याके सभे आदमीसब ख्रीष्टके संगे मरि गेलै। 15 आर ख्रीष्ट यी खातिर सभैके लिए मर्लै, ताकी जेसब जिन्दा छै, ऊसब आब खाली खुदके खुश करैके लिए नैजियै, मगर ओकर लिए जियै। ख्रीष्ट ओकरसिके खातिर मर्लै आर परमेश्वर ओकरा फेर जिन्दा बनैल्कै। 16 इहे ल्याके आब हमेसब कोनो आदमीके बाहरी चीजके आधारपर मूल्याङ्कन नैकरैछियै। पहेला हमेसब ख्रीष्टके भी बाहरी चीजके आधारपर मूल्याङ्कन कैलियै रहे, मगर आब हमेसब ओकरा ओरंके नैदेखैछियै। आब हमेसब ओकरा जानी गेलियै छे। 17 इहे ल्याके, यदि कोय ख्रीष्टमे विश्वास करैछै ते, ऊ एकटा नया स्वभाव पैल्कै छे, पुरना स्वभाव बिती गेलै छे। देख, ओकर सभेटा स्वभाव नया भेल छै। 18 यी सभे परमेश्वरके तरफसे भेलै छे, जे ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके आपनसंगे फेर स्थापित कैल्कै छे आर ख्रीष्ट हमरासिके परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके बीचमे शान्ति कायम करवाबैके काम देल्कै छे। 19 यानिकी परमेश्वर सभे आदमीसिके लिए एकटा रस्ता बनैते रहै कि जे कुछु ख्रीष्ट कैल्कै छे ओकरद्वारा आपनसंगे शान्ति कायम करे सकै। आर ऊ आदमीसिके पापसिके दोष ओकरासिपर नैलगैल्कै आर शान्तिके विषयमे ओकर सन्देशके सुनाबैके काम हमरासिके सौंपी देल्कै छे। 20 सेल्याके अपनासब ख्रीष्टके राजदूतसब छियै। परमेश्वर ओकर सन्देशके स्वीकार करैके लिए आपनसिके द्वारा आदमीसिसे आग्रह करैछै। हमेसब ख्रीष्टके तरफसे तोरासिके निवेदन करैछियौ, कि परमेश्वरके संगे शान्ति कायम कर। 21 ख्रीष्ट, जे निष्पाप रहै, ओकरा परमेश्वर आपनसिके लिए पाप बन्या देल्कै ताकी अपनासब परमेश्वरके द्वारा धर्मी घोषित कैल जैयै कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके सजाय आपन उप्परमे ल्या लेल्कै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation