Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

२ कोरन्थी 13 - केवट नया कारार

1-2 धरमशास्त्रमे यी लिख्ल छै कि “हरेक बात दी या तीन आदमीके गवाहीके द्वारा सच साबित कैल जाना चाही।” हमे पहेला ही पाप करेवाला आदमीसिके चेतावनी द्या देलियै छे जब हमे आपन दोसर यात्रा कर्ते रहियै। आब हमे फेरसे ओकरासिके आर दोसर सभे आदमीसिके यी चिट्ठीमे चेतावनी दैछियै, जेरं हमे पहेला कैलियै रहे। आब हमे तेसर बेर तोरसिकेलगत आबेवाला छियौ आर यदि ऊसब आब भी पाप करैले बन्द नैकैल्कै ते, कोय भी सजायसे नैबच्तै।

3 हमे यी कहैछियौ कहिनेकी तुहेंसब सबूत माँगैछैं कि ख्रीष्ट हमरद्वारा बोलैछै, जब ख्रीष्ट तोरासिके सुधारैछौ ओकरामे ऊ कमजोर नैछै, मगर तोरसिके बीचमे शक्तिशाली छौ।

4 कहिनेकी ऊ कमजोर भ्याके क्रूसमे काँटी ठोकिके जान मार्ल गेलै, मगर परमेश्वरके शक्तिसे ऊ जिन्दा भेलै। हमेसब ओहिने कमजोर छियै जेरं ख्रीष्ट रहै। तैय्योपर भी परमेश्वरके शक्तिद्वारा हमेसब तोरसिके संगे व्यवहार करैके लिए ओकरसंगे रहबै।

5 तुहेंसब अपने आपके जाँच, यी देखैके लिए, कि तोर विश्वास सच्चा छौ या नै। कि तुहेंसब आपन विषयमे यी नैजानैछैं जे येशू ख्रीष्ट तोरासिमे छौ? नैते तुहेंसब निकम्मा भेल छैं।

6 मगर हमर आशा छै कि तुहेंसब जानी लेभैं कि हमेसब निकम्मा नैभेलियै।

7 हमेसब परमेश्वरसे प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब कोनो भी खराब काम नैकर्भैं, यी देखाबैके लिए नै कि तोरसिके बीचमे हमरसिके सेवकाई सफल रहलै, बल्की इहे ल्याके कि हमेसब चाहैछियै कि तुहेंसब सही काम करहैं चाहे हमेसब असफल ही दिखाई पडियै।

8 कहिनेकी हमेसब सचके विरुद्धमे कुछु नैकरे सकैछियै, मगर सचके लिए ही करे सकैछियै।

9 कहिनेकी हमेसब कमजोर छियै आर तुहेंसब विश्वासमे मजगुत छैं ते, हमेसब आनन्दित हैछियै आर हमेसब प्रार्थना करैछियै कि तुहेंसब विश्वासमे सिद्ध भ्याजहैं।

10 इहे ल्याके हमे तोरासिके यी बातसब लिखैछियौ, एकरासे पहेला कि हमे तोरसिकेलगत आबियौ ताकी तोरासिके सजाय द्याके हमरा आपन अधिकार प्रयोग करैके जरुरत नैपडै जे प्रभु हमरा देल्कै छे। कहिनेकी हमे आपन अधिकारके प्रयोग तोरसिके विश्वासके मजगुत बनाबैके लिए करैले चाहैछियै नै कि नाश करैके लिए।


नमस्कार आर आशीर्वाद

11 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब अन्तमे तोरासिके आनन्द मिलौ, सिद्ध बन्ते जो, हमर सल्लाह सुन, आपसमे एक मनके भ्याके शान्तिपूर्वक र। आर प्रेम आर शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके संगे रहतौ।

12 एक दोसरके बहुते ही प्रेमसे ख्रीष्टियन नमस्कार कर।

13 सभे विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार कहैछौ।

14 प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह, परमेश्वरके प्रेम आर पवित्र आत्माके संगति तोरसिके सभैके संगे बन्ल रहौ।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan