२ कोरन्थी 12 - केवट नया कारार1 जब कि गर्व करना ते हमर लिए ठीक नैछै तैय्योपर करे पडैछै, मगर हमे प्रभुके द्वारा देल गेल दर्शनसब आर प्रभुके द्वारा प्रकट कैल गेल रहस्यसिके चर्चा कर्बै। 2 हमे ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला एकटा आदमीके जानैछियै जे चौदह साल पहेला स्वर्ग लजैल गेलै, जते परमेश्वर छै, हमे नैजानैछियै कि ऊ ओत्ते आपन भौतिक शरीरमे रहै या खाली आपन आत्मामे ही रहै, यी बात खाली परमेश्वर ही जानैछै। 3 हमे दोहराबैछियै, हमे जानैछियै कि यी आदमीके स्वर्गमे लजैल गेलै रहे। फेर, हमे यी नैजानैछियै कि एरं वास्तवमे भेलै रहे या यी एकटा दर्शन रहै, यी बात खाली परमेश्वर जानैछै। 4 आर ऊ स्वर्गमे एरंको बातसब सुनल्कै, जे कोनो शब्दसे बयान कैल नै ज्या सकैछै आर जकर विषयमे बताबैके कोनो आदमीके अनुमति नैछै। 5 एरंको आदमीपर ते हमे गर्व कर्बै, मगर अपनापर आपन कमजोरीके सिवाय आपन विषयमे गर्व नैकर्बै। 6 यदि हमे गर्व करैले चहबै ते भी हमे मूर्ख नैहैबै, कहिनेकी हमे सच ही बोल्बै। मगर हमे यी नैकर्बै ताकी आदमीसब जेरं हमरा कर्ते देखैछै आर कहते सुनैछै, ओकरे मुताबिक ही मूल्याङ्कन करै, नै कि ओकरासे बढिके। 7 मगर हमरा ऊ अदभुत रहस्यसिके विषयमे घमण्ड नैकरना चाही जे परमेश्वर हमरा देखैल्कै छे। इहे ल्याके एकरासे निपटैके लिए हमर शरीरमे एकटा बहुत कठिन समस्या देल गेलै। शैतानके तरफसे एकटा दूत हमरा मारैके आर हमरा घमण्डी हुऐसे रोकैके इरादासे देल गेलै। 8 एकर विषयमे हमे तीनबेर प्रभुसे प्रार्थना कैलियै कि यी हमरासे दूर भ्याजै। 9 मगर ऊ हमरा कहैल्कै, “हमर अनुग्रह तोर लिए काफी छौ, कहिनेकी हमर शक्ति कमजोरीमे ही सिद्ध हैछै।” इहे ल्याके हमे आनन्दसे आपन कमजोरीपर गर्व कर्बै, ताकी ऊ कमजोरीसिके द्वारा हमरामे ख्रीष्टके शक्ति काम कर्ते रहै। 10 इहे ल्याके ख्रीष्टके लिए हमे आपन कमजोरीसिमे, अपमानसिमे, कष्टसिमे, सतावटसिमे आर विपत्तिसिमे खुश रहैछियै। कहिनेकी जब हमे कमजोर हैछियै तखनिहैं हमे ख्रीष्टके शक्तिसे बलवान हैछियै। कोरन्थीके विश्वासीसिके लिए पावलके चिन्ता 11 हमे मूर्ख बन्लियै, मगर ऊ तुहींसब छैं जेसब हमरा एरं करैके लिए मजबूर कैल्हैं छे, उचित ते यी रहै कि तोरासिके हमर बडै करना रहौ, जब कि हमे कोनो चीजके भी लायक नैछियै, तैय्योपर भी कोनो बातमे हमे सभैसे बडका चुन्ल आर भेज्ल चेलासिसे कम नैछियै। 12 सच्चा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके लक्षण भी तोरसिके बीचमे सभे प्रकारके धीरजके साथ, चिन्हसब, चमत्कारसब आर शक्तिके कामके साथ तोरसिके बीचमे देखैल गेलौ रहे। 13 एकटा काम जे हमे तोरसिके संगे नैकैलियौ जे कि हमे दोसर मण्डलीसिसे कैलियै, ऊ यी छै कि हमे कहियो भी तोरासिपर आर्थिक बोझ नैबन्लियौ। कि तोरासिके एरं लागैछौ कि जे हमे कैलियै छे उटा गलत कैलियै छे? यी हमर गल्ती छै, एकर लिए हमरा माफ कर! 14 आब, तेसर बेर तोरसिकेलगत आबैले हमे तैय्यार छियै, आर हमे तोरसिसे कोनो माँग नैकर्बौ। कहिनेकी हमे तोरसिके धन-दौलत नैचाहैछियौ मगर तोरासिके चाहैछियौ। बाल-बच्चासिके मयाँ-बाबुके लिए धन-दौलत जमा नैकरना चाही मगर मयाँ-बाबुके बाल-बच्चासिके लिए धन-दौलत जमा करना चाही। 15 हमे तोरसिके लिए हमर आपन सभे कुछु तोरासिके द्या देबौ आर आपन जीवन सहित द्या देबौ। हमे तोरसिसे बहुते प्रेम करैछियौ, मगर एरं लागैछै कि तुहेंसब हमरासे बहुते कम प्रेम करैछैं। 16 तोरासिके मालुम छौ कि हमे तोरासिपर बोझ नैबन्लियौ। मगर दोसर आदमीसिके लागैछै कि हमे चलाक छियै आर हमे तोरासिके पूर्ण रुपसे धोखा देलियौ छे, जे बात एकटा झुठ छै। 17 हमे तोरसिसे आपन लिए धन लियैके लिए तीतस या कोनो दोसर आदमीके इस्तमाल नैकैलियै छे। 18 हमे तीतससे तोरसिकेलगत जैके लिए जोर देते हुए आग्रह कैलियै आर ओकरसंगे दोसर विश्वासी भ्याके भी भेज्लियै। कि तीतस तोरसिसे कोनो आर्थिक सहायता पैल्कौ? नै, तोरासिके मालुम छौ कि तीतस आर हमर एक्के मकसद रहै आर हमेसब एक समान व्यवहार कैलियौ। 19 तुहेंसब सोच्ते हैभैं कि एखनतक हमेसब तोरसिके समनामे आपन सफाई दैछियै। मगर हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, बात यी नैछै, बल्की हमेसब परमेश्वरके समनामे ख्रीष्टके देल अधिकारसे यी सभे बात बोलैछियै। आर यी सभे बात तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबैके लिए छौ। 20 कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ। 21 आर कहीं एरं नैहै कि जब हमे दोबारा तोरसिसे भेट करैले वापस ऐबौ, हमर परमेश्वर हमरा लज्जित बनाबै। आर हमरा बहुते झनके लिए फेर शोक करे पडै, जेसब पहेला पाप कैल्कै रहे, आर आपन कैल अशुद्ध व्यवहार, व्यबिचार, आर भोग-विलासके लिए पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै छे। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation