२ कोरन्थी 10 - केवट नया कारारआत्मिक लडाई 1 हमे पावल जे तोरसिके समनामे कायर छियै, मगर तोरसिसे दूर रहेला पर साहास देखाबैछियै, तोरासिके ख्रीष्टके नम्रता आर कोमलताके कारण आग्रह करैछियौ। 2 कुछु आदमीसब कहैल्कै छे कि हमेसब यी संसारके आदमीसिके जुगुर काम करैछियै। सेल्याके जब हमे ऐबै ते हमरा आशा छै कि हमरा ओकरसिके संगे कठोर हुए पड्तै। हमे दृढताके साथ निवेदन करैछियौ कि जब हमे ऐबौ ते हमरा तोरसिके संगे एरं व्यवहार नैकरे पडौ। 3 कारण हमेसब यी संसारमे रहैछियै जरुर, मगर हमेसब आपन दुश्मनसिसे मानवीय तरिकासे नैलडैछियै। 4 कहिनेकी जे हतियारसे हमेसब लडैछियै ऊ मानवीय हतियार नैछै। मगर गढसिके ढाहीके गिर्या दियैके लिए परमेश्वरके शक्तिशाली हतियारसब छै। 5 हमेसब परमेश्वरके ज्ञानके विरोधमे खडा हुएवाला विचारसिके, आर सभे खराब तर्कके नाश करैछियै आर हरेक विचारके कब्जा करिके ख्रीष्टके आज्ञाकारी बन्या दैछियै। 6 जब तुहेंसब पुरा तरहसे ख्रीष्टके आज्ञाकारी भ्या जैभैं तब हमेसब सभे आज्ञा नैमानेवाला ऊ आदमीके सजाय दियैके लिए तैय्यार छियै। 7 तुहेंसब बाहरी दिखावटके देखैछैं, यदि कोनो आदमीके खुदपर यी भरोसा छै कि ऊ ख्रीष्टके छै ते, ऊ आदमी यी भी जानी लक, कि जेरंके ऊ ख्रीष्टके छै, ओहिने करिके हमेसब भी ख्रीष्टके छियै। 8 कहिनेकी यदि हमे प्रभुसे मिल्ल अधिकारके विषयमे बेसी गर्व कर्बो कर्बै ते यी बात हमर लिए कोनो लाजके बात नैहैतै। यी अधिकार तोरसिके विश्वासके नाश करैके लिए नै, मगर तोरसिके विश्वासके बढाबैमे सहायता करैके लिए प्रभु हमरा देल्कै छे। 9 तुहेंसब एरं नैबुझैं कि हमे आपन चिट्ठीसिके द्वारा तोरासिके डराबैले चाहैछियौ। 10 कहिनेकी हमर बारेमे तोरसिमेसे कुछु आदमीसिके कहेना छै कि, “ओकर चिट्ठीसब कठोर आर शक्तिशाली ते हैछै, मगर जब ऊ खुद उपस्थित हैछै ते, ऊ कमजोर आदमी लागैछै आर ओकर बातसब बेकार छै।” 11 सेल्याके जे आदमीसब एरं कहैछै, ऊ आदमीसब यी बुझक कि हमेसब आपन अनुपस्थितिमे चिट्ठीसिके द्वारा जे बात कहैछियै, ओहिने ही तोरसिके समनामे हमरसिके काम भी हैतै। 12 हमेसब अपने आपके ओकरसिके जुगुर मानैके या ओकरसिके संगे तुलना करैके साहास नैकरैछियै, जेसब आपन बडै आपनहैं करैछै। ऊसब अपने आपके आपसमे नापी-तौलीके एक-दोसरसे तुलना करिके मूर्ख बनैछै। 13 हमेसब ते उटा कामके सिमासिसे बाहार जे परमेश्वर हमरासिके देल्कै छे कहियो गर्व नैकर्बै, मगर उहे सिमा तक जे परमेश्वर हमरसिके लिए तोकि देल्कै छे, आर ओकरामे तुहेंसब भी आबी गेल्हैं छे। 14 कहिनेकी हमेसब आपन सिमासे बाहार अपने आपके बढाबैले नैचाहैछियै, तोरासिके ख्रीष्टके खुश-खबरी सुनाबैके लिए कोरन्थी सहरतक यात्रा करेवाला हमेसब पहेला आदमी रहियै। आर तोरसिके विषयमे गर्व करै बख्तियाँ हमरसिके हक मुताबिकके काम कैलियै छे। 15 आर हमेसब सिमासे बाहार दोसर आदमीसिके मेहनतपर गर्व नैकरैछियै, मगर हमरासिके आशा छै, कि जेरं-जेरं तोरसिके विश्वास बढते जैतौ ओरं-ओरं हमेसब आपन सिमाके मुताबिक तोरसिके आस-पास आर बहुते आदमीसिके लगत पहुँचैमे सक्षम हैबै। 16 ताकी हमेसब तोरसिसे दूर-दूरके इलाकामे भी खुश-खबरीके प्रचार करे सकियै। यी नै कि हमेसब दोसर आदमीसिके सिमाके भितर ओकरसिके द्वारा कैल गेल कामपर गर्व करियै। 17 जेरं कि धरमशास्त्र कहैछै, “घमण्ड करेवाला आदमीसब प्रभु जे कैल्कै छे उटा बातमे ही घमण्ड करक।” 18 कहिनेकी जे आदमी आपन बडै आपनहैं करैछै, ऊ नै, मगर जकर बडै प्रभु करैछै उहे परमेश्वरद्वारा सच्चा करिके स्वीकार कैल जैछै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation