२ कोरन्थी 1 - केवट नया कारारनमस्कार 1 यी चिट्ठी हमेसब, पावल आर तिमोथीके तरफसे छै। हमे परमेश्वरके इच्छासे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमेसब यी चिट्ठी कोरन्थी सहरके मण्डलीके आर अखैया प्रदेशके सभे सन्तसिके लिखैछियै। 2 हमे प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ। 3 आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके प्रशंसा है। जे दयाके पिता आर सान्त्वना दिएवाला परमेश्वर छै। 4 परमेश्वर आपनसिके सभे तकलीफमे सान्त्वना दैछै, ताकी अपनासब दोसर आदमीसिके सान्त्वना दिए सकियै। अपनासब दोसर आदमीसिके ओहिने करिके सान्त्वना दिए सकैछियै जेरंके परमेश्वर अपनासिके सान्त्वना दैछै। 5 ख्रीष्टके जुगुर अपनासब बडका कष्ट सहेलपर भी परमेश्वर अपनासिके ख्रीष्टद्वारा सान्त्वना दैछै कहिनेकी अपनासब ख्रीष्टके छियै। 6 हमेसब तकलीफ पैबै ते यी तोरेसिके सान्त्वना आर उद्धारके लिए छौ। हमेसब सान्त्वना पैबै ते तुहेंसब भी सान्त्वना पैभैं। तब धीरजके साथ हमरसिके जुगुर भोग्ल तकलीफ भोगैके आर सहैके शक्ति भी तोरासिके मिल्तौ। 7 आर तोरसिके विषयमे हमरसिके आशा दृढ छै। कहिनेकी हमेसब जानैछियै कि जेरंके तुहेंसब हमरसिके तकलीफमे सामिल भेल छैं, ओहिने करिके तुहेंसब हमरसिके सान्त्वनामे भी सामिल हैभैं, जे हमरासिके परमेश्वरके तरफसे मिल्लै छे। 8 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे चाहैछियै कि तुहेंसब उटा तकलीफसिके विषयमे जान जे हमरासिके एशिया प्रदेशमे भोगैले पड्लै। यी तकलीफ सहना हमरसिके बरदाससे बाहार रहै, एत्तेतक कि हमेसब जियैके पुरा उम्मीद ही छोडी देलियै रहे। 9 हमरासिके आपन मनमे लाग्ते रहै कि हमरसिके जरुर जान मार्ल जैतै। यी सभे इहे ल्याके भेलै ताकी हमेसब अपनापर नै, मगर परमेश्वरपर भरोसा राखे सकियै जे मुर्दासिके जिन्दा बनाबैछै। 10 ऊ हमरासिके मौतके भयानक जोखिमसे बचैल्कै आर बचैतै भी। हमरासिके ओकरापर पुरा आशा छै कि ऊ हमरासिके आबेवाला समयसिमे भी निरन्तर बचैते रहतै। 11 इहे बातमे तुहेंसब प्रार्थनाद्वारा हमरासिके सहायता करैछैं। एरंके बहुते आदमीसिके प्रार्थनाके जबाबमे जे आशिषसब हमरासिके मिल्तै, ओकर खातिर बहुते आदमीसब हमरसिके कारण परमेश्वरके धन्यवाद देतै। पावलके योजनामे परिवर्तन 12 हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै। 13-14 हमेसब हमेशा तोरासिके लिखैछियौ ताकी तुहेंसब पढे सक्हैं आर बुझे सक्हैं। तैय्योपर भी तुहेंसब एखन हमरासिके कुछु हद तक बुझैछैं आर हमे आशा करैछियै कि तुहेंसब पुरा रुपसे हमरासिके बुझ्भैं। ताकी हमेसब जेरंके तोरसिके विषयमे गर्व करैछियै ओहिने करिके प्रभु येशू फेर वापस आबैके समयमे तुहेंसब भी हमरसिके विषयमे गर्व कर्भैं। 15 हमरा यी बातके निश्चय रहै कि सभैसे पहेला तोरसिके भेट करैके हमरसिके योजना तुहेंसब बुझ्लहैं। आर एरंके हमे दी बेर तोरसिके भेट करिके तोरासिके दुगन्ना आशिष दियैले चहते रहियै। 16 हमर योजना यी रहै कि हमे माकेडोनिया प्रदेश जैबेरियाँ तोरसिके भेट करिके जैयै आर फेर ओत्तेसे वापस लौटैके समयमे तोरसिकेलगत आबियै आर अन्तमे हमे तोरसिके लगतसे यहूदिया प्रदेशके यात्रामे जैके लिए आपन जरुरत पडल सहायता लिये सकियै। 17 सेल्याके यी करैले चाहै बेरियाँ हमे अस्थिरता देखैलियौ से? कि हमे आपन योजना बनाबै बेरियाँ संसारिक आदमीके जुगुर एक्केटा मुखसे हँ आर नै भी कहेवाला छियै से? 18 परमेश्वरमे भरोसा कैल ज्या सकैछै आर सेल्याके तुहेंसब हमरासिपर भी भरोसा करे सकैछैं, जब कि हमेसब तोरसिकेलगत आबैके प्रतिज्ञा करैछियै। 19 कहिनेकी परमेश्वरके बेटा येशू ख्रीष्ट जकर हमरसिकेद्वारा यानिकी हमर आर सिलास, तिमोथीके द्वारा तोरसिके बीचमे प्रचार भेलौ, ओकरामे कखनिहौं “हौं” आर कखनिहौं “नै” वाला बात नैछै, मगर ओकरामे सभे दिनसे खाली “हँ” छै। 20 कहिनेकी परमेश्वरके जतनें प्रतिज्ञासब छै, ऊ सभेटा ख्रीष्टमे “हौं” छै। आर इहे ल्याके अपनासब परमेश्वरके महिमाके लिए येशू ख्रीष्टद्वारा “आमेन” कहैछियै जकर मतलब छै “हौं”। 21-22 परमेश्वर ही छै, जे तोरसिके संगे हमरासिके ख्रीष्टमे मजगुत करैछै। ऊ अपनासिके अभिषेक कैल्कै छे। परमेश्वर अपनासिपर आपन मोहर लग्याके बैनाके रुपमे पवित्र आत्मा आपनसिके हृदयमे राखी देल्कै छे ताकी परमेश्वरके प्रतिज्ञा कैल सभे बढियाँ चीजसब अपनासब पाबियै। 23 परमेश्वर हमर यी सच्चाईके गवाह छै कि हमे कोरन्थी सहरमे इहे ल्याके नै ऐलियौ कि हमे तोरासिके झपाडन दियैले नैचहते रहियौ। 24 हमेसब तोरसिके विश्वासपर अधिकार जमाबैले नैचाहैछियै, बल्की तोरसिके आनन्दके लिए तोरसिके संगे-संगे मिलिके काम करेवाला छियै। कहिनेकी तुहेंसब ते आपन विश्वासमे स्थिर छैं। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation