१ तिमोथी 6 - केवट नया कारारविश्वासी दाससिके आचरण 1 सभे विश्वासी जे दास छै, ओकरासिके हरेक तरिकासे आपन-आपन मालिकके आदर करना चाही ताकी दोसर आदमीसब परमेश्वरके आर हमरसिके शिक्षाके अपमान नैकरै। 2 दाससिके आपन विश्वासी मालिकसिके आदर दिए पडैछै कहिनेकी ऊसब ख्रीष्टमे भ्या-भैय्यारीसब छै आर ऊ दाससब आपन मालिकसिके लिए आरहौ बेसी बढियाँसे काम करक, कहिनेकी ऊ मालिकसब जकर लिए दाससब काम करैछै ऊसब भी विश्वासीसब छै आर ऊ मालिकसब ओकरासिके बहुते प्रेम करैछै। ओकरासिके इहे नियमसिके शिक्षा दहैं आर उटा पालन करैके लिए उत्साह दहैं। 3 अगर कोय झुट्ठा शिक्षा सिखाबैछै आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल सही शिक्षा आर परमेश्वरके आदर हुएवाला निर्देशनसंगे सहमत नैहैछै ते, 4 ऊ घमण्डी हैछै, आर ऊ कुछु नैबुझैछै। एरंको आदमी बेकारके मुद्दासब आर शब्दसिके बारेमे बहस करैले आर झगडा करैले चाहैछै। यी बातसे डाहा, कलह, निन्दा आर खराब शंकासब उत्पन्न कराबैछै। 5 ओकरसिके दिमाग दुष्ट शंकासे भर्ल छै, आर ऊसब निरन्तर दोसर आदमीसिके संगे वाद-विवाद करैछै, आर ऊसब आब नै समझे सकैछै कि सच्चाई कि छै। ऊसब सोचैछै कि परमेश्वरके बारेमे शिक्षा देना पैसा कमाबैके रस्ता छै। 6 मगर हमरसिके लिए यी बढियाँ छै कि अपनासब उटा काम करियै जे परमेश्वरके खुश करैछै आर ओकरामे सन्तोष करियै जे परमेश्वर अपनासिके दैछै। 7 कहिनेकी जब अपनासब जनमलियै, यी संसारमे कुछु ल्याके नै ऐलियै आर जब अपनासब मर्बै ते यी संसारसे कुछु ल्याके नैजैबै। 8 मगर यदि आपनसिके लगत खैले खाना आर लगाबैले कपडा छै ते अपनासिके ओक्रहैमे सन्तोष करना चाही। 9 मगर मातबर हुऐके इच्छा करेवाला आदमीसब सभे किसिमके पाप करैके लिए आसानीसे धोखा खैछै, आर जानवरके जुगुर फाँसमे फसैछै। ऊसब ऊ चीजसब करैले चाहैछै जे ओकरसिके लिए मूर्खतापूर्ण आर खतरनाक छै आर यी इच्छा ओकरासिके बर्बादीके तरफ ल्याजैतै आर नाश करि देतै। 10 कहिनेकी रुपिया-पैसाके प्रेम सभे प्रकारके खराबीके जड छै। कुछु आदमीसब कले-कले ख्रीष्टके विषयमे शिक्षासिके उप्परमे विश्वास करैके लिए छोडी देल्कै कहिनेकी ऊसब रुपिया-पैसा हुऐके बहुते इच्छा कर्ते रहै, आर ऊसब बहुते किसिमसे कष्ट भोगैछै, एकटा एरंको आदमीके जुगुर जे अपने आपके एकटा हतियारसे भोकी लेल्कै छे। व्यक्तिगत निर्देशन 11 मगर तिमोथी, तुहें परमेश्वरके सेवा करेवाला आदमी छैं, तोरा यी सभे चीजसिके करैसे दूर रहना चाही, जे सही छै खाली ओकरा करैके लिए हर सम्भव कोशिश कर। परमेश्वरके आदर दिएवाला जीवन जी। ख्रीष्टमे भरोसा राख। दोसर आदमीसिके प्रेम कर। परमेश्वरके आज्ञापालन करैके लिए कठिन परिस्थितीसिमे स्थिर र। दोसर आदमीसिके संगे भला आदमी बन। 12 जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे। 13 सभैके जीवन दिएवाला परमेश्वरके आर पन्तियस राज्यपाल पिलातसके समनामे मुकदमा चलैके समयमे दृढताके साथ बोलेवाला येशू ख्रीष्टके गवाह बन्याके हमे तोरासिके आज्ञा दैछियौ, 14 कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट स्वर्गसे फेर वापस नै आबैतक तुहेंसब कोनो भी गल्ती बिना तोरा करैले कहेल सभे आज्ञासब पालन कर। 15 परमेश्वर, जे खाली एक्केटा राजा छै, जे प्रशंसाके योग्य छै, राजासिके भी राजा आर प्रभुसिके भी प्रभु, उहे ख्रीष्टके सही समयमे प्रकट कर्तै। 16 खाली उहे छै जे सभे दिन जिन्दा रहैछै आर ऊ एतनें उजेतमे रहैछै कि कोय भी ओकर नज्दिक आबे नैसक्तै। कोय आदमी ओकरा कहियो नैदेखल्कै छे आर नैते कहियो देखे सक्तै। आदर आर शक्ति युग-युगतक ओक्रहै मिल्ते रहै। आमेन। मातबर आदमीसिके निर्देशन 17 यी संसारके मातबर आदमीसिके आदेश दहैं कि ऊसब घमण्डी नैबनै आर अस्थाई धन-दौलतमे ऊसब आपन आशा नैराखै, मगर उदारताके साथ अपनासिके सभे चीज दिएवाला परमेश्वरमे भरोसा राखक ताकी हमेसब आनन्दित हुए सकियै। 18 ओकरासिके बहुते बढियाँ कामसब करैके लिए कहैं। ऊसब बढियाँ काम करैमे मातबर हुए पडैछै आर जरुरत पडल आदमीसिके उदारताके साथ दै आर ओकरसिके संगमे जे छै से चीजसब बाँट-चुट कर्ते रहै। 19 एरं करिके, ऊसब आपन लिए खजानाके जुगुर ओकर बढियाँ कामसब जमा कर्तै, जे स्वर्गमे ओकरसिके भविष्यके जीवनके लिए मजगुत आधार हैतै ताकी ऊसब परमेश्वरके चहेल जेरं निश्चित रुपसे आपन सच्चा जीवनके अनुभव करे सकै। विश्वासके रखवाली 20 तिमोथी परमेश्वरके देल काम करैके लिए सुनिश्चित कर। ईश्वरहीन आर बेकारके बातसब आर परमेश्वरके सच्चा शिक्षाके विरोध करेवाला शिक्षासिसे दूर र, जकरा ऊसब गलत तरिकासे “ज्ञान” कहैछै। 21 कुछु आदमीसब यी बेकारके बातसिके स्वीकार कैल्कै छे, आर एरंको करिके ऊसब ख्रीष्टके विषयमे सच्चा शिक्षाके विश्वास नैकरैछै। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वरके अनुग्रह तोरसिके सभैके संगे रहते रहौ। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation