Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

१ तिमोथी 5 - केवट नया कारार


मण्डलीके सदस्यसिसे व्यवहार

1 आपनसे बेसी उमेरके आदमीके अपमानके विचारसे नैधोप, मगर आपने बाबुके जुगुर ओकरासिके आदरके साथ सल्लाह दहैं। आर तोरसिसे छोटका विश्वासी भ्याके आपने भ्याके जुगुर व्यवहार कर।

2 तुहेंसब बुढ जनानीसिके आपने मयाँके जुगुर व्यवहार कर आर जवान जनानीसिके आपन बहिनके जुगुर व्यवहार कर। यी कामसब शुद्ध ह्रदयसे करिहैं।

3 ओरंको मोसामातसिके आदर कर जकरसंगे ओकरसिके जरुरत पुरा करेवाला आर देखभाल करेवाला कोय भी नैछै।

4 आर यदि कोनो मोसामातके बेटाबेटी या नाती नतनीसब छै ते, सबसे पहेला ओकरासिके आपन परिवारके आदमीसिके देखभाल करिके ईश्वरीय व्यवहार करैके लिए सिखना चाही आर एरं करिके आपन मयाँ-बाबु या दादो-दादीके लिए आपन बचपनके समयमे ओकरसिके द्वारा कैल उपकारके बदलामे कुछु करे सकैछै। कहिनेकी परमेश्वरके इहे बात पसन्द छै।

5 ओरंको मोसामातसब जकरसंगे ओकरसिके जरुरत पुरा करेवाला आर देखभाल करेवाला कोय भी नैछै, ऊसब परमेश्वरमे ही आशा राखैछै आर रात दिन बिन्ती आर प्रार्थनामे परमेश्वरके संगे सहायता माँग्ते रहैछै।

6 ऊ मोसामातसब जेसब आपन सारा समय सुख-विलासमे मस्त रहैछै ते, ऊसब शरीरमे जिन्दा रहैछै मगर आत्मिक रुपमे मर्ल हैछै।

7 यी निर्देशनसब विश्वासीसिके बता जकर कारणसे कोय भी ओकरासिके दोष नैलगैतै।

8 अगर कोय आपन रिश्तेदारसिके, खास करिके आपन परिवारके आदमीसिके देखभाल नैकरैछै ते एकरासे साफ जाहीर हैछै कि ऊसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै आर विश्वास नैकरेवाला आदमीसे भी खराब छै।

9 तुहेंसब मोसामातसिके सूचीमे खाली साठ सालसे उप्परके उमेरके मोसामातके आर जे आपन पतिके प्रति वफादार छै ओकरे नाम खाली लिख।

10 आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।

11 मगर कम उमेरके मोसामातसिके नाम मोसामातसिके सूचीमे नैलिख, कहिनेकी जब ओकरसिके शारीरिक इच्छा मोसामातके रुपमे ख्रीष्टके सेवा करैके प्रतिज्ञासे बेसी मजगुत हैछै, तब ऊसब फेर बिहा करैके इच्छा करैछै।

12 फेर बिहा करिके ऊसब अपने आपपर सजाय आन्तै कहिनेकी ऊसब फेर बिहा नैकरिके ख्रीष्टके सेवा करैके पहेला प्रतिज्ञाके पालन नैकैल्कै छे।

13 एकर साथे-साथ ऊसब घरे-घर घुमिके कोढनियाँ हुऐले सिखैछै आर खाली कोढनियाँ नै मगर दोसर आदमीसिके बारेमे गलत बात फैलाबैछै, आर दोसरके काममे बेकारमे दखल दैछै आर जे बात नैकहना चाही उटा बातसब कहैछै।

14 सेल्याके हमे चाहैछियै कि कम उमेरके मोसामातसब बिहा करक, बालबच्चा पाबक, आर घरद्वार सम्भालक आर दुश्मन हमरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैके मौका नैदै।

15 कहिनेकी कुछु जवान मोसामातसब पहलहैसे ही परमेश्वरसे दूर भ्यागेलै छे आर शैतानके अनुसरण करैले शुरु करिदेल्कै छे।

16 अगर कोनो विश्वासी जनानीके घरमे मोसामातसब छै ते ऊ आपन घरके मोसामातसिके सहायताके लिए मण्डलीके जिम्मा नैदेना चाही। ताकी मण्डलीके विश्वासीसब ऊ मोसामातसिके सहायता करे सकै जकरा सहायता करेवाला कोय नैछै।

17 कोनो भी मण्डलीके बढियाँसे देखरेख करेवाला मण्डलीके अगुवासब उचित सम्मान आर प्रशस्त तलब पाना चाही, विशेष करिके ओकरासिके जे परमेश्वरके सन्देश सिखाबैके लिए आर प्रचार करैके लिए कडा मेहनत करैछै।

18 कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “दौनी करेवाला गरुके मुखमे जाबी नैलगैहैं।” फेर धरमशास्त्रके दोसर जगहमे एरंके लिख्ल छै, “एकटा जनके आपन मालिकसे रोजी पाबैके अधिकार छै।”

19 जबतक दी झन या बहुते आदमीसब यी नैकहैछै कि ऊसब मण्डलीके अगुवाके गलत काम कैल देखल्कै छे, तबतक न्याय करैके लिए मण्डलीके अगुवाके विरुद्धमे आरोप स्वीकार नैकर।

20 तुहें पाप करेवाला मण्डलीके अगुवासिके सभे विश्वासी आदमीसिके समनामे धोप ताकी बाँकी मण्डलीके अगुवासिके डर है।

21 परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके समनामे आर चुन्ल स्वर्गदूतसिके समनामे हमे तोरा कडा आज्ञा दैछियौ कि कोनो भेदभाव आर पक्षपात नैकरिके यी नियमसब तुहें पालन कर।

22 जबतक कोनो आदमी ख्रीष्टमे विश्वासयोग्य साबित नैहैछै, ओकरापर हात राखिके मण्डलीके अगुवाके रुपमे नियुक्त नैकर। यदि तुहेंसब ओरं कर्भैं ते, ओकर पापके लिए तुहें भी जिम्मेदार हैभैं। अपने आपके पापसे दूर राख।

23 पहेलाके जुगुर खाली पानी नैपी, मगर तोर पेटके लिए आर घुरी-घुरी बेमारी हुऐके कारणसे कनेजरा अंगुरके मद्द पी।

24 हमे तोरासिके कहैछियौ कि मण्डलीके अगुवासिके जल्दबाजीमे नियुक्त नैकर, कहिनेकी कुछु आदमीसब खुल्लम-खुल्ला पाप करैछै आर तुहें एकर बारेमे जानी लेभैं, एकरासे पहेला कि तुहें जाँचे सक्हैं कि ऊसब केरं व्यवहार करैछै। मगर दोसर आदमीसिके पाप लम्बा समयतक नै जान्ल जैछै।

25 ओहिने करिके, जब आदमीसब बढियाँ काम करैछै ते, यी बात दोसर विश्वासीसिके द्वारा साफसे देख्ल जैछै। आर यदि ऊसब ओकरसिके काम एखन साफसे नैदेख्ल पर भी, अन्तमे दोसर विश्वासीसब ओकरासिके चिन्ही लेतै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan