१ तिमोथी 1 - केवट नया कारारपावलद्वारा तिमोथीके नमस्कार 1 हमे, पावल, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमरसिके आशा राख्ल उद्धारकर्ता परमेश्वर आर येशू ख्रीष्टके अधिकारमे हमे प्रभु येशू ख्रीष्टके कामके लिए ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। 2 हमे यी चिट्ठी तिमोथीके लिखैछियै। तुहें हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ। झुट्ठा शिक्षाके विरुद्धमे चेतावनी 3-4 तिमोथी, तोरा मालुम छौ कि एफिसस सहरमे गलत बात सिखाबेवाला कुछु आदमीसब छै। ऊसब निरन्तर झुट्ठा शिक्षासब आर बाप-पुर्खासिके लम्बा सूचीसब सिखाबैछै। जब हमे एफिसस सहरसे माकेडोनिया प्रदेशमे जैके लिए तैय्यार रहियै, हमे तोरासिके एफिसस सहरमे रहैके लिए आर ओकरासिके ओरं शिक्षा नैदियैके लिए बताबैके लिए बिन्ती कैलियौ। जब ऊसब ओरंको बातसब सिखाबैछै, नतिजा यी छै कि आदमीसब उटा बातके विषयमे बहस करैछै। ऊ शिक्षकसब परमेश्वरके देल काम नैकरैछै, जे काम ऊसब परमेश्वरमे भरोसा राखिके खाली करे सकैछै। 5 यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं। 6 झुट्ठा शिक्षकसब यी सभे बात करैले छोडल्कै छे आर खाली बेकारके बातसब करैछै। 7 ऊसब मूसाके यहूदी धरमशास्त्रके पण्डित हुऐले ते चाहैछै, मगर वास्तवमे ऊसब खुद भी नैबुझे सकैछै कि ऊसब दोसर आदमीसिके कि सिखाबैछै आर ऊसब कि दाबी करैछै। 8 हमरासिके मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान बढियाँ छै यदि एकरा आदमीसब सही तरिकासे सिखाबैछै। 9 हमरासिके यी भी मालुम छै कि मूसाके विधि-विधान परमेश्वरके नजरमे सही भेल आदमीसिके लिए नैछै मगर परमेश्वरके विधि-विधानके बेवास्ता करिके जानी-जानीके आज्ञा नैमानेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके आराधना नैकरेवाला आर निरन्तर पाप करेवाला आदमीसिके लिए, आर परमेश्वरके सम्मान नैकरेवाला दुष्ट आदमीसिके लिए, आर आपन मयाँ-बाबुके आर दोसर आदमीसिके जान मारेवाला आदमीसिके लिए छै। 10 उटा विधि-विधान ऊसब आदमीसिके लिए भी छै जे व्यबिचारी, समलिंगी, आदमीके दास बनाबैके लिए अपहरण करेवाला आदमी, झुठ बोलेवाला आदमी, सच बोलैके वादा करिके भी झुठ बोलेवाला आदमी आर ऊ आदमीसिके लिए भी जे उटा सभे कुछु करैछै जकरा सही शिक्षा अपनासिके करैसे रोकैछै। 11 यी सही शिक्षा आपनसिके अदभुद परमेश्वरके महिमाके विषयमे खुश-खबरीसे सहमत हैछै, जे हमरा प्रचार करैके जिम्मेदारी देल्कै छे। पावलके गवाही 12 हमरा शक्ति दिएवाला आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके हमे धन्यवाद दैछियै, कि ऊ हमरा विश्वासयोग्य सम्झिके आपन सेवामे नियुक्त कैल्कै। 13 हमे विश्वासी हुऐसे पहेला ख्रीष्टके बारेमे अपमानके बातसब बोल्ते रहियै, आर विश्वासीसिके सताबियै, आर ओकरसिके प्रति क्रूर व्यवहार करियै। तखनतक हमे ख्रीष्टमे विश्वास नैकैलियै रहे आर सेल्याके हमे यी बात नैबुझ्लियै रहे कि हमे जे काम कर्ते रहियै उटा काम गलत रहै। सेल्याके ख्रीष्ट हमरप्रति दयालु भेलै। 14 आपनसिके प्रभु हमरा ओकर अपार अनुग्रह निरन्तर देखैल्कै। ऊ हमरा विश्वास करैके क्षमता आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम देल्कै कहिनेकी हमे येशू ख्रीष्टसंगे एकतामे रहियै। 15 यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा करे सकैछियै कि येशू ख्रीष्ट अपनासब, पापी आदमीसिके बचाबैके लिए यी संसारमे ऐलै, आर ऊ पापी आदमीसिमेसे सभैसे बडका पापी आदमी हम्हीं छियै। 16 मगर येशू ख्रीष्ट हमरापर दया कैल्कै। कहिनेकी हमे पापी आदमीसिमेसे भी खराब रहियै आर ऊ हमरा प्रयोग करिके यी देखैल्कै कि ऊ पूर्ण रुपसे धीरजी छै। यी ऊ आदमीसिके लिए एकटा उदाहरण हैतै, जे पाछु ओकरापर विश्वास कर्तै आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पैतै। 17 ऊ राजा जे सभे दिनके लिए राज्य करैछै, जे सभे दिनके लिए जिन्दा छै, जकरा कोय नैदेखे सकैछै आर उहे खाली एक्केटा आर सच्चा परमेश्वरके आदर आर महिमा सभे दिन मिल्ते रहै। आमेन। तिमोथीके जिम्मेदारी 18 तिमोथी तुहें जे हमर बेटाके जुगुर छैं, हमर देल आदेशसब यी छै: हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि परमेश्वरके वक्तासब पहेला तोर विषयमे कहेल बात याद कर। ऊ झुट्ठा शिक्षकसिके विरुद्धमे खुश-खबरीके सच्चाईके लिए बढियाँसे लडैके लिए उटा शब्दसब प्रयोग कर। 19 तुहें निरन्तर ख्रीष्टमे विश्वास कर आर साफ विवेक राख। कुछु आदमीसब साफ विवेकके इन्कार कैल्कै छे। नतिजा स्वरुप ऊसब आब ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै। 20 ओकरामेसे हुमेनियस आर अलेक्जेण्डर छै, जकरा हमे मण्डलीसे बाहार निकाल्लियै आर शैतानके शक्तिमे सौंपी देलियै ताकी ऊसब परमेश्वरके अपमान नैकरैके लिए सिखै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation