Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

१ थेसलोनिकी 1 - केवट नया कारार


नमस्कार

1 हमे, पावल यी चिट्ठी सिलास आर तिमोथीके संगे लिखैछियै। हमेसब यी चिट्ठी थेसलोनिके सहरके मण्डलीके लिखैछियै, जे परमेश्वर पिता आर प्रभु येशू ख्रीष्टसे सम्बन्धित छै। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके अनुग्रह आर शान्ति दौ।


थेसलोनिके सहरके आदमीसिके बढियाँ उदाहरण

2 हमरसिके सभे दिनके प्रार्थनामे तोरासिके लगातार याद कर्ते हमेसब परमेश्वरके तोरसिके सभैके लिए धन्यवाद दैछियै।

3 आर जब हमेसब आपनसिके परमेश्वर पितासे प्रार्थना करैछियै, विश्वासके खातिर तोरसिके कैल कामसब, विश्वासीसिके प्रेम देखाबैके लिए कैल तोरसिके कडा मेहनत आर प्रभु येशू ख्रीष्टके दोसर आगमनके आशामे तोरसिके भोग्ल सतावटके हमेसब निरन्तर याद करैछियौ।

4 आर हे विश्वासी भ्यासब, परमेश्वरसे प्रेम कैल गेल आदमीसब, हमरासिके मालुम छै कि परमेश्वर तोरासिके ओकर आदमीसब हुऐके लिए चुनल्कौ छे।

5 कहिनेकी येशू ख्रीष्टके बारेमे हमरसिके खुश-खबरी तोरसिकेलगत खाली बोलीमे नैऐलौ, मगर पवित्र आत्माके शक्तिमे आर ऊ सच छै कहिके पुरा निश्चयताके साथ ऐलौ छे। तुहेंसब जानैछैं कि तोरसिके कल्याणके लिए तोरसिके बीचमे रहै बेरियाँ हमरसिके चालचलन केरं रहै।

6 बहुते कष्ट भेलपर भी पवित्र आत्माके देल सन्देशके तुहेंसब आनन्दके साथ स्वागत कैल्हैं। तुहेंसब हमरसिके आर प्रभुके उदाहरणके अनुसरण कैल्हैं।

7 एत्तेतक कि माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशमे सभे विश्वासीके बीचमे तुहेंसब नमुना बन्लहैं।

8 कहिनेकी तोरसिकेद्वारा परमेश्वरके वचन खाली माकेडोनिया प्रदेश आर अखैया प्रदेशमे प्रचार कैल नैगेलै, मगर हमेसब जते जैछियै परमेश्वरमे तोरसिके विश्वासके बारेमे हमरासिके बताबेवाला आदमीसिसे भेट भेलै। सेल्याके हमरासिके तोरसिके बारेमे दोसर आदमीसिके बताना जरुरी नैछै।

9 कहिनेकी ऊ आदमीसब दोसर आदमीसिके कहैछै कि हमेसब तोरसिकेलगत आबैबेरियाँ तुहेंसब हमरासिके केरंके स्वागत कैल्हैं। आर जिन्दा आर सच्चा परमेश्वरके सेवा करैके लिए केरंके तुहेंसब मूर्तिसे दूर भ्याके परमेश्वरमे ऐल्हैं।

10 आर ऊसब तुहेंसब केरंके स्वर्गसे परमेश्वरके बेटा फेरसे वापस आबैके रस्ता देखैछैं कहिके कहैछै, यानिकी येशू, जकरा परमेश्वर मुर्दासे फेर जिन्दा बनैल्कै। उहे ही अपनासिके आबेवाला परमेश्वरके क्रोधसे बचाबैछै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan