१ पत्रुस 5 - केवट नया कारारझुण्डके चरवाहा 1 कुछु एरं बातसब छै जे हमे ओत्ते भेल मण्डलीके अगुवासिके कहैले चाहैछियै कहिनेकी हमे भी तोरसिके जुगुर एकटा मण्डलीके रेख-देख करेवाला छियै। हमे खुद उटा दुःखसिके देख्लियै छे जे बहुते समय पहेला ख्रीष्ट सहैल्कै। जब ऊ फेर वापस ऐतै ते, हमे भी ओकर महिमामे सामिल हैबै। आब हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ, 2 जेरंके चरवाहासब आपन भेंडासिके रखवाली करैछै, ओहिने करिके तोरासिके हरेकके रखवाली करना चाही जकरा परमेश्वर तोरसिके देखरेखमे राखल्कौ छे। एकरा स्वेच्छासे कर, कहिनेकी परमेश्वर इहे चाहैछै कि तुहें एरं कर। एरं खाली इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तोरासिके एरं करैके लिए मजबूर कैल गेलौ छे। यी काम इहे ल्याके नैकर कहिनेकी तुहेंसब धन कमाबैके लिए चाहैछैं मगर परमेश्वर आर आदमीसिके सेवा करैके इच्छाके साथ कर। 3 तोरसिके जिम्मामे देल आदमीसिपर शासकके जुगुर हुकुम नैचला, मगर ओकरसिके लिए बढियाँ उदाहरण बन। 4 जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, जे आपनसिके प्रमुख चरवाहा छै, तब तोरासिके एकटा सुन्दर मकुट देतौ, जकर चमक कहियो कम नैहैतै। 5 ओहिने करिके हे जवानसब मण्डलीके अगुवासिके अधिनमे बैठ। तुहेंसब सभेको नम्रताके साथ एक दोसरके सहयोग करे पडैछै। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “परमेश्वर घमण्डीसिके विरोध करैछै, मगर नम्र आदमीसिके अनुग्रह करैछै।” 6 सेल्याके अपने आपके परमेश्वरके समनामे नम्र बना जे रक्षा करैके लिए शक्तिशाली छै ताकी ऊ उचित समयमे तोरासिके महान बनैतौ। 7 परमेश्वरके आपन सभे चिन्ता आर फिकिर बता कहिनेकी ऊ तोरसिके वास्ता करैछौ। 8 सचेत र आर होशियार र, कहिनेकी शैतान, तोर दुश्मन तोरापर हमला करैले चाहैछौ ताकी तुहें परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर। ऊ गर्जेवाला शेरके जुगुर छै जे खोजैछै कि ऊ ककरा ख्या सकैछै। 9 तोरासिके आपन मजगुत विश्वासके साथ ओकर विरोध करना चाही। याद कर कि तोरसिके विश्वासी भ्या-बहिनसब जेसब पुरे संसारमे रहैछै, अहिने किसिमके दुःखसब सहैछै जेरं दुःख तुहेंसब सहैछैं। 10 परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ। 11 ऊ सम्मान पाबैके योग्य छै कहिनेकी ओकर शक्तिके कोनो अन्त नैछै। आमेन। अन्तिम नमस्कार 12 हमे यी छोटका चिट्ठी सिलासके सहायतासे लिख्लियै छे आर तोरासिके भेज्लियौ छे। हमे ओकरा ख्रीष्टमे एकटा विश्वासयोग्य भ्याके रुपमे मानैछियै। यी चिट्ठी लिखैके हमर मकसद तोरासिके उत्साहित करना आर निश्चित करना छै कि जे कुछु भी तुहेंसब अनुभव करैछैं उटा वास्तवमे तोरसिके प्रति परमेश्वरके अनुग्रहके हिस्सा छै। यीटा अनुग्रहमे स्थिर र। 13 तोरेसिके जुगुर परमेश्वरद्वारा चुन्ल बेबिलोन सहरके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। मर्कूस भी तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे, जे हमर बेटाके जुगुर छै। 14 एक दोसरके बहुते ही प्रेमसे ख्रीष्टियन नमस्कार कर। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर ऊ हरेक आदमीके शान्ति दौ जेसब ख्रीष्टके छै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation