Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

१ यूहन्ना 5 - केवट नया कारार


संसारपर विजय

1 येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके विश्वास करेवाला सभेको परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छै। जे परमेश्वर पिताके प्रेम करैछै ऊ ओकर बेटा-बेटीसिके भी प्रेम करैछै।

2 जब अपनासब परमेश्वरके प्रेम करैछियै आर ओकर आज्ञासब पालन करैछियै, तब एक्रहैसे मालुम हैछै, कि अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीके प्रेम करैछियै।

3 परमेश्वरके प्रेम करैके मतलब ओकर आज्ञापालन करना छै आर ओकर आज्ञापालन करना कठिन नैछै।

4 कहिनेकी विजयके लिए ख्रीष्टमे भरोसा राखिके परमेश्वरके हरेक बेटा-बेटीसब यी दुष्ट संसारके पराजित कैल्कै छे। आर अपनासब यी दुष्ट संसारके आपनसिके विश्वासद्वारा पराजय करे सकैछियै।

5 दुष्ट संसारके विरुद्धमे के विजय प्राप्त करे सकल्कै छे? खाली उहे जकर विश्वास छै कि येशू ही परमेश्वरके बेटा छै।


ख्रीष्टके विषयमे गवाही

6 ऊ येशू ख्रीष्ट छै, जकरा परमेश्वर यी संसारमे भेजल्कै, जे पानीसे बप्तिस्मा लेल्कै आर पाछु जब ऊ मर्लै ओकर खून बहलै। ऊ खाली बप्तिस्मा लियैके लिए नैऐलै मगर क्रूसमे आपन खून बहयाके मरैके लिए भी ऐलै। आर पवित्र आत्मा गवाही दैछै कि येशू ख्रीष्ट परमेश्वरसे ऐलै छे आर पवित्र आत्मा जहिया भी सच बोलैछै।

7 सच ते यी छै कि तीनटा गवाह छै:

8 हमरासिके सच मालुम छै, कहिनेकी पवित्र आत्मा आपनसिके संगे बोलैछै आर येशू यूहन्नाके द्वारा बप्तिस्मा लेल्कै, ऊ मर्लै आर ओकर खून क्रूसमे बहलै। यी तीनोटा बात एक्केटा बातके गवाही दैछै।

9 यदि अपनासब आदमीके गवाही स्वीकार करैछियै ते, परमेश्वरके गवाही आरहौ बेसी बडका छै। आर परमेश्वरके गवाही यी छै, कि ऊ आपन बेटाके विषयमे गवाही देल्कै छे।

10 जे कोय परमेश्वरके बेटा येशूमे विश्वास करैछै, ओकर हृदयमे यी बातके गवाही हैछै। आर परमेश्वरमे विश्वास नैकरेवाला आदमी परमेश्वरके झुट्ठा बनाबैछै। कहिनेकी परमेश्वर आपन बेटाके विषयमे देल गवाहीके ऊ विश्वास नैकरैछै।

11 आर ऊ गवाही यी छै, कि परमेश्वर अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देल्कै, आर अपनासब यी कहियो खतम नैहुएवाला जीवन परमेश्वरके बेटा येशूके द्वारा पैलियै छे।

12 जे कोय परमेश्वरके बेटाके संगे एक भ्याके रहैछै, ओकरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। आर जे कोय परमेश्वरके बेटाके संगे एक भ्याके नैरहैछै, ओकरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन नैछै।


कहियो खतम नैहुएवाला जीवन

13 हमे तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ जेसब परमेश्वरके बेटाके अधिकारमे विश्वास करैछैं ताकी तुहेंसब यी जान्हैं कि तोरासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै।

14 परमेश्वरमे हमरसिके पुरा भरोसा छै कि ओकर इच्छा बमोजिम अपनासब जे भी प्रार्थनामे माँग्बै ते परमेश्वर आपनसिके प्रार्थना सुनैछै।

15 अपनासब प्रार्थनामे जे भी माँग्बै ऊ बात परमेश्वर सुनैछै कहिके हमेसब जानैछियै ते, हमे यी भी जानैछियै कि ओकरासे अपनासब जे माँग्लियै छे ऊ अपनासिके दैछै।

16 यदि कोय आपन विश्वासी भ्या-बहिनके पाप कर्ते देखैछै आर ऊ पाप मौतमे लजाबेवाला नैछै ते, ओकरा उटा विश्वासी भ्या-बहिनके लिए प्रार्थना करि दिए पडैछै, आर जकर पाप आत्मिक मौतमे लजाबेवाला नैछै, परमेश्वर ओकरा जीवन दैछै। मगर एरंको पाप भी हैछै, जे आत्मिक मौतमे ल्याजैछै, जकर लिए कक्रहौ बिन्ती करि दिए पड्तै कहिके हमे नैकहैछियै।

17 सभे प्रकारके खराब काम जे परमेश्वरके नजरमे सही नैछै से पाप छै, मगर एरंको भी पाप हैछै जे आत्मिक मौतमे नैल्याजैछै।

18 हमेसब जानैछियै कि परमेश्वरके बेटा-बेटी कोय भी निरन्तर पाप कर्ते नैरहैछै, कहिनेकी परमेश्वरके बेटा, येशू ओकरा सुरक्षित राखैछै आर शैतान ओकरा हानी करे नैसकैछै।

19 हमेसब जानैछियै, अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै आर सारा संसार ऊ शैतानके अधिनमे छै।

20 आर हमेसब यी भी जानैछियै कि परमेश्वरके बेटा, येशू ख्रीष्ट यी संसारमे ऐलै छे। अपनासब ऊ सच्चा परमेश्वरके चिन्हे सकियै कहिके ऊ अपनासिके समझ देल्कै छे। अपनासब सच्चा परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछियै कहिनेकी अपनासब ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके संगे एक भ्याके रहैछियै। सच्चा परमेश्वर आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन इहे छै।

21 तुहेंसब जे हमर बच्चासिके जुगुर छैं, तोरसिके हृदयमे परमेश्वरके जगह लिए सकेवाला कोनो भी बातसे दूर र।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan