१ यूहन्ना 4 - केवट नया कारारसचके आत्मा आर झुठके आत्मा 1 हे प्रिय दोस्तसब, पवित्र आत्माद्वारा बोलैछियै कहिके दाबी करेवाला सभैके विश्वास नैकर, मगर आत्मासब परमेश्वरसे ऐल छै कि नैछै कहिके ओकर जाँच कर। कहिनेकी बहुते झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब यी संसारमे छै। 2 परमेश्वरके आत्माके तुहेंसब एरंके चिन्हे सकैछैं। हरेक आत्मा जे येशू ख्रीष्ट आदमी बनिके ऐलै कहिके कहैछै से आत्मा परमेश्वरके तरफसे छै। 3 मगर यदि कोय कहैछै कि येशू आदमी बनिके यी संसारमे नैऐलै छे ते ऊ आत्मा परमेश्वरके तरफसे नैछै, इहे ख्रीष्ट विरोधीके आत्मा छै। जकर विषयमे ऊ ऐतै कहिके तुहेंसब सुन्लहैं छे। ऊ एखन ही यी संसारमे चल ऐलै छे। 4 तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, तुहेंसब परमेश्वरके आदमीसब छैं, आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिपर विजय पाबि लेल्हैं छे। कहिनेकी पवित्र आत्माके शक्ति जे तोरासिमे छौ, उटा शक्ति शैतानके शक्तिसे महान छै, जे यी संसारमे परमेश्वरमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसिपर शासन करैछै। 5 ऊ झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब संसारके छै, सेल्याके ऊसब संसारके शिक्षा सिखाबैछै, आर संसारके आदमीसब ओकर शिक्षा सुनैछै। 6 मगर अपनासब परमेश्वरके छियै। जे परमेश्वरके चिन्हैछै, ऊ हमरसिके बात सुनैछै मगर जे परमेश्वरसे नैऐलै छे ऊसब हमरसिके बात नैमानैछै। एरंके अपनासब जाने सकैछियै कि कोन सचके आत्मा छै आर कोन झुठके आत्मा छै। परमेश्वर प्रेम छै 7 हे प्रिय दोस्तसब, अपनासब एक-दोसरके निरन्तर प्रेम कर, कहिनेकी प्रेम परमेश्वरसे आबैछै। जे कोय दोसरसे प्रेम करैछै, ऊ परमेश्वरके बेटा-बेटी छै आर ऊ आदमी परमेश्वरके चिन्हैछै। 8 आर जे कोय दोसरसे प्रेम नैकरैछै, ऊ परमेश्वरके नैचिन्हैछै, कहिनेकी परमेश्वर प्रेम छै। 9 परमेश्वरके प्रेम आपनसिके बीचमे एरंके प्रकट भेलै, कि ऊ आपन एक्केटा बेटाके संसारमे भेजल्कै ताकी बेटाद्वारा अपनासब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन पाबे सकियै। 10 सच्चा प्रेम यी छै: यी आपनसिके द्वारा परमेश्वरके कैल प्रेम नैछै मगर परमेश्वर अपनासिके कैल प्रेम छै। परमेश्वर आपन बेटाके आपनसिके पापके सजायसिके मेटाबैके लिए प्रायश्चितके बलिदानके रुपमे भेजल्कै। 11 हे प्रिय दोस्तसब, यदि परमेश्वर अपनासिके एरं प्रेम कैल्कै छे ते, अपनासिके भी एक-दोसरके प्रेम करना चाही। 12 परमेश्वरके कोय कहियो नैदेखल्कै छे। यदि अपनासब एक-दोसरके प्रेम कर्बै ते परमेश्वर अपनासिमे रहतै आर ओकर प्रेम अपनासिमे सिद्ध हैछै। 13 एक्रहैसे अपनासब जानैछियै, कि अपनासब ओकरसंगे एक भ्याके रहैछियै आर ऊ आपनसिके संगे एक भ्याके रहैछै। कहिनेकी ऊ आपन पवित्र आत्मासे अपनासिके देल्कै छे। 14 हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे। 15 यदि कोय येशू परमेश्वरके बेटा छै कहिके स्वीकार करैछै, ऊ परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछै आर परमेश्वर ओकरसंगे एक भ्याके रहैछै। 16 अपनासिके बढियाँसे मालुम छै आर अपनासब विश्वास करैछियै कि परमेश्वर अपनासिके प्रेम करैछै। परमेश्वर प्रेम छै, आर जेसब प्रेममे रहैछै ऊ परमेश्वरमे एक भ्याके रहैछै, आर परमेश्वर ओकरामे एक भ्याके रहैछै। 17 अपनासिके दोसर आदमीसिके पूर्ण रुपसे प्रेम करे पडैछै आर यदि अपनासब ओरं करैछियै ते, जब परमेश्वरके आपनसिके न्याय करैके समय ऐतै ते अपना निश्चिन्त हैबै कि ऊ अपनासिके दोषी नैठहरैतै। जेरंके येशू परमेश्वरके संगे एक रहै, ओहिने करिके अपनासब भी संसारमे परमेश्वरके संगे एक भ्याके जियैछियै। 18 यदि अपनासब परमेश्वरके सच्कोर प्रेम करैछियै ते, अपनासब परमेश्वरसे नैडरैबै। कहिनेकी जे परमेश्वरके पूर्ण रुपसे प्रेम करैछै, ऊ परमेश्वरसे नैडराबे सकैछै। यदि अपनासब डराबैछियै ते, ऊ डर न्यायके लिए छै, आर यी अपनासिके परमेश्वरप्रतिके सच्चा प्रेममे सिद्ध नैभेल देखाबैछै। 19 अपनासब परमेश्वरके आर एक-दोसरके प्रेम करैछियै, कहिनेकी सबसे पहेला परमेश्वर अपनासिके प्रेम कैल्कै। 20 यदि कोनो आदमी हमे परमेश्वरके प्रेम करैछियै कहैछै, मगर आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके घृणा करैछै ते, ऊ झुट्ठा छै। कहिनेकी ऊ आपन देख्ल विश्वासी भ्या-बहिनके प्रेम नैकरैछै ते जे परमेश्वरके ऊ नैदेखल्कै छे ऊ परमेश्वरके प्रेम करे नैसक्तै। 21 अपनासब ओकरासे यी आज्ञा पैलियै छे, कि जे कोय परमेश्वरके प्रेम करैछै ओकरा आपन विश्वासी भ्या-बहिनके भी प्रेम करे पडैछै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation