१ कोरन्थी 12 - केवट नया कारारपवित्र आत्माके वरदान 1 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब ऊ सवालसिके विषयमे जे तुहेंसब पवित्र आत्माके वरदानके विषयमे आपन चिट्ठीमे पुछलहैं रहे। हमे चाहैछियै कि तुहेंसब ओकर विषयमे स्पष्ट रुपसे जान्हैं। 2 तुहेंसब जानैछैं कि तुहेंसब विश्वासी बनैसे पहेला केरंको जीवन जिते रहैं, तुहेंसब ऊ निर्जीव मूर्तिसिके आराधना करैके लिए बहुते बातसिके द्वारा प्रभावित भेल रहैं। 3 सेल्याके हमे चाहैछियै कि तुहेंसब समझ कि जे कोय आदमी परमेश्वरके आत्माके अगुवाईसे बोलैछै, ऊ आदमी यी नैकहैछै कि येशू श्रापित छै। पवित्र आत्मा ही एकटा छै जे कक्रहौ भी यी बात कहैके योग्य बनाबे सकैछै कि “येशू प्रभु छै।” 4 आब विभिन्न प्रकारके आत्मिक वरदान छै, मगर यी उहे पवित्र आत्मा छै जे उटा सभे वरदानके स्रोत छै। 5 अलग-अलग तरहके काम छै जे अपनासब प्रभुके लिए करैछियै, मगर अपनासब एक्केटा प्रभुके सेवा करैछियै। 6 आपनसिके जीवनमे काम करैके परमेश्वरके अलग-अलग तरिका छै, मगर यी उहे परमेश्वर छै जे अपनासिके ओकर लिए काम करैके क्षमता दैछै। 7 अपनासिमेसे हरेक आदमीके एकटा एरंको क्षमता देल जैछै जे पवित्र आत्माके उपस्थितिके देखाबैछै, ताकी अपनासब आपन संगी विश्वासीसिके सहायता करे सकियै। 8 पवित्र आत्मा एकटा आदमीके क्षमता दैछै एरंको सन्देश बोलैके लिए जे बुद्धिसे भर्ल छै, आर उहे पवित्र आत्मा दोसर आदमीके क्षमता दैछै एरं सन्देश बोलैके लिए जे ज्ञानसे भर्ल छै। 9 ऊ एकटा आदमीके ख्रीष्टमे बहुते विश्वास करैके क्षमता दैछै, आर दोसर आदमीके उहे पवित्र आत्मा बेमार आदमीसिके ठीक करैके क्षमता दैछै। 10 पवित्र आत्मा एकटा आदमीके चमत्कार करैके लिए शक्ति दैछै, दोसर आदमीके परमेश्वरके सन्देश बोलैके वरदान, आर कक्रहौ ऊ यी क्षमता दैछै उटा वरदानसिके बीचमे फरक बताबैके लिए जे पवित्र आत्माके तरफसे छै आर जे पवित्र आत्माके तरफसे नैछै। एकटा आदमीके ऊ अलग-अलग किसिमके अनजान भाषामे बात करैके क्षमता दैछै, जकर बारेमे ऊसब कहियो अध्ययन भी नैकैल्कै छे, आर दोसर आदमीसिके ऊ क्षमता दैछै यी अनजान भाषाके मतलब बताबैके लिए जकर बारेमे ऊ आदमीसब कहियो अध्ययन नैकैल्कै छे। 11 मगर सभे वरदान एक्केटा आत्माके काम छै। पवित्र आत्मा हरेक विश्वासीके आपन इच्छाके मुताबिक वरदान दैछै। एक्केटा शरीर आर बहुते अंगसब 12 आपनसिके एकटा शरीरमे बहुते अंग हैछै, आर एकटा शरीरके बहुते अंगसब भेलपर भी एक्केटा शरीर छै। ओहिने करिके अपनासब ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला बहुते भेलपर भी, अपनासब ख्रीष्टमे एक्केटा शरीर छियै। 13 कहिनेकी अपनासब सभेको यहूदी आदमीसब छियै आर जेसब गैर-यहूदी आदमीसब छियै, जे दास छियै आर जे दास नैछियै अपनासब एक्केटा पवित्र आत्माके द्वारा एक्केटा शरीर हुऐके लिए बप्तिस्मा पैलियै छे आर अपनासब सभेको उहे पवित्र आत्मा पैलियै छे, जेरंके अपनासब एक्केटा कटौरीमेसे पियैछियै। 14 कहिनेकी आपनसिके शरीरमे खाली एक्केटा अंग नैछै मगर बहुते अंगसब छै। 15 मानीले, अगर पैर कहतै कि, “हमे हात नैछियै, सेल्याके हमे शरीरके अंग नैछियै” ते, कि ओकर एरं कहलेसे ऊ शरीरके अंग नैरहतै? 16 आर यदि कान कहतै, “हमे आँख नैछियै, सेल्याके हमे शरीरके अंग नैछियै” ते, कि ओकर एरं कहलेसे ऊ शरीरके अंग नैरहतै? 17 यदि पुरे शरीर खाली आँख ही हैतियै ते केरंके सुन्तियै? यदि पुरे शरीर कान ही हैतियै ते केरंके सुंघतियै? 18 मगर सचमे परमेश्वर आपनसिके शरीरके सभे अंगसिके आपन इच्छाके मुताबिक व्यवस्थित रुपसे सही जगहसिमे राखल्कै छे। 19 यदि खाली एक्केटा अंग हैतियै ते कोनो शरीर नैहैतियै। 20 सेल्याके, भला ही शरीरके बहुते अंगसब छै, तैय्योपर भी एक्केटा शरीर छै। 21 आँख हातके नैकहे सकैछै कि “हमरा तोर जरुरत नैछै” आर नैते शिर पैरसे कहे सकैछै कि “हमरा तोर जरुरत नैछै।” 22 मगर शरीरके उटा अंगसब जे दोसर अंगसिसे कमजोर दिखाई पडैछै ओकर बहुते जरुरत छै। 23-24 आर जे अंगसिके अपनासब कम आदरके योग्य सम्झैछियै ओकरा सभैसे बेसी ध्यानसे कपडा पिन्हाबैछियै। सेल्याके अपनासब ध्यानसे ऊ अंगसिके हिफाजत करैछियै जकरा देख्ल नैजाना चाही, जब कि बेसी आदरके योग्यके अंगसिके यी विशेष देखभालके जरुरत नैहैछै। सेल्याके परमेश्वर शरीरके एरंके बनैल्कै छे कि उटा अंगसिके बेसी सम्मान आर देखभाल कैल जै जे कम महत्वपूर्ण छै। 25 परमेश्वर एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी शरीरके कुछु अंगसिके बीचमे झगडा नैहै, मगर ऊसब समान रुपसे एक दोसरके देखभाल करै। 26 आर अगर आपनसिके एकटा भी अंग बेमार हैछै ते पुरा शरीर दरदमे हैछै आर ओहिने करिके अगर आपनसिके शरीरके कोनो एकटा अंगके बढियाँसे देखभाल कैल जैछै, ते पुरा शरीर खुश हैछै। 27 आर ओहिने करिके तुहेंसब सभेको मिलिके ख्रीष्टके शरीर छैं, आर तोरासिमेसे हरेक ओकर शरीरके अंगके समान ख्रीष्टके छैं। 28 आर मण्डलीमे परमेश्वर अलग-अलग किसिमके काम देल्कै छे, पहेला ऊ आदमीसब छै जे चुन्ल आर भेज्ल चेला छै, दोसर परमेश्वरके वक्तासब छै जे परमेश्वरके बातसब बोलैछै, तेसर ऊ आदमीसब छै जे आदमीसिके सिखाबैछै। तकरबाद ऊ आदमीसब छै जकरा ऊ चमत्कार करैके अधिकार देल्कै छे। तकरबाद ऊ आदमीसब छै जकरा ऊ बेमारी ठीक करेवाला अधिकार देल्कै छे, फेर ऊसब छै जकरा दोसर आदमीसिके सहायता करैके क्षमता मिल्लै छे, फेर ऊसब छै जेसब अगुवासब छै, फेर ऊ आदमीसब छै जकरा पवित्र आत्माके द्वारा देल गेल अनजान भाषासिके बोलैके क्षमता देल गेलै छे। 29 सभेको चुन्ल आर भेज्ल चेलासब, परमेश्वरके वक्तासब आर शिक्षकसब नैछै। आर सभैके लगत चमत्कार करैके शक्ति नैछै। 30 सभैके बेमारी ठीक करैके वरदान नैमिल्लै छे। आर सभैके अनजान भाषासब बोलैके वरदान नैमिल्लै छे। आर सभेको उटा अलग-अलग भाषासिके मतलबके व्याख्या करैके वरदान नैपैल्कै छे। 31 सेल्याके, पवित्र आत्मासे बढियाँ योग्यतासिके पाबैके इमानदारीसे इच्छा कर। मगर वास्तवमे सबसे बढियाँ कि छै, आब, इहे हमे तोरासिके बतैबौ। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation