१ कोरन्थी 10 - केवट नया कारारइस्राएल देशके इतिहाससे चेतावनी 1 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके याद दिलाबे चाहैछियौ कि बहुते पहेला आपनसिके बाप-पुर्खासिके संगे कि भेलै रहे। परमेश्वर ओकरासिके सभैके एकटा बादल भेजिके अगुवाई कैल्कै जे ओकरसिके आगु-आगु जैते रहै, आर परमेश्वर ओकरासिके सभैके सुख्खा जमिनके जुगुर लाल समुन्दरके बीचसे सुरक्षित रुपसे आनल्कै। 2 मूसाके अनुयायीके रुपमे ओकरासिके सभैके बादल आर समुन्दरमे बप्तिस्मा देल गेलै। 3 आपनसिके सभे पुर्खासब उहे रोटी खैल्कै जे भोजन परमेश्वर ओकरसिके लिए स्वर्गसे देल्कै रहे। 4 आर ऊ सभे आदमीसब पानी भी पिल्कै जे पानी परमेश्वर ओकरासिके चट्टानसे देल्कै रहे, आर ऊ चट्टानके तुलना ख्रीष्टके संगे करे सकैछियै, जे ओकरसिके संगे-संगे जैके जीवन देल्कै। 5 मगर परमेश्वर ओकरसिमेसे बहुते आदमीसिसे खुश नैरहै सेल्याके ऊसब सुनसान जगहमे मर्लै। 6 यी बातसब आपनसिके सभैके लिए एकटा चेतावनी रहै ताकी अपनासब ओकरसिके जुगुर खराब काम करैके इच्छा नैकरियै। 7 आर ओकरसिके जुगुर तुहेंसब भी मूर्तिके पूजा नैकर, जेरं कि धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “आदमीसब खान-पिन करैके लिए भोजमे बैठ्लै आर अनैतिक काम करैके लिए उठी गेलै।” 8 अपनासिके अनैतिक काममे फसना नैछै, जेरं ओकरसिमेसे कुछु आदमीसब कैल्कै आर एक्के दिनमे तेईस हजार आदमीसब मर्लै रहे। 9 अपनासिके ख्रीष्टके जचना नैलेना चाही, जेरं आपनसिके पुर्खासिमेसे कुछु आदमीसब कैल्कै, आर साँपसिके द्वारा मर्लै। 10 आर अपनासिके नैकुड-कुडाना चाही, आर जेरंके ओकरसिमेसे कुछु आदमीसब कैल्कै आर एकटा दूत जकरा परमेश्वर भेजल्कै रहे, ऊ ओकरसिके जान मारल्कै। 11 ओकरसिके संगे भेल यी घटनासब चेतावनी रहै, आर ऊ अपनासिके चेतावनी दियैके लिए रहै, जेसब यी संसारके अन्तके समयमे रहैछै। 12 सेल्याके, कोय भी विश्वासी जे सोचैछै कि ऊ आपन विश्वासमे सुरक्षित छै, ओकरा आरहौ बेसी होशियार रहना चाही ताकी ऊ पापमे नैफसै। 13 पाप करैके इच्छासब अपनासब सभैके लगत जरुर ही आबैछै। मगर परमेश्वर विश्वासयोग्य छै। कहिनेकी ऊ अपनासिके आपनसिके क्षमतासे बेसी परीक्षामे पडैले नैदेतौ। जब अपनासब उटा परीक्षामे पड्बै ते ऊ अपनासिके सभे दिन परीक्षासे भागैके रस्ता देतै, ताकी अपनासब उटा परीक्षाके सहैके लिए मजगुत हैबै। मूर्ति-पूजाके भोज आर प्रभु-भोज 14 सेल्याके, हमर प्यारा विश्वासी भ्या-बहिनसब, मूर्ति-पूजासे कोनो लेना-देना नैराख। 15 समझदार आदमीसिके जुगुर हमे तोरासिके कहैछियौ, ध्यानसे सोच कि हमे जे कहैले ज्यावाला छियौ ऊ बात सही छै या नैछै। 16 जब अपनासब येशू ख्रीष्टके मौतके याद करैके लिए जमा हैछियै ते, अपनासब बाटीसे अंगुरके रस पियैछियै, जकर लिए अपनासब परमेश्वरके धन्यवाद देलियै छे आर अपनासब उटा रोटीके भी खैछियै जकरा टुकरा बन्याके तोड्ल गेलै छे। यी एकटा संकेत छै कि अपनासब ख्रीष्टके खून आर शरीरसे आबेवाला आशिष बाँटैछियै। 17 कहिनेकी एकटा रोटी यी बातके चिन्ह छै कि अपनासब जे बहुते छियै ख्रीष्टमे एक्केटा शरीर छियै, कहिनेकी अपनासब सभेको एक्केटा रोटीसे खैछियै। 18 इस्राएलीसिके बारेमे सोच, जब सभे आदमीसब परमेश्वरके बलिदान चढैल ज्यावाला भोजन खैछै ते, परमेश्वरके आराधनामे भाग लैछै। ओहिने करिके मूर्तिसिके बलिदान चढैल ज्यावाला भोजन ख्यावाला आदमीसब भी ऊ मूर्तिसिके पूजामे भाग लैछै। 19 हमे यी नैकहैछियै कि मूर्तिसिके चढैल गेल बलिदानके कोनो मोल छै आर यी कि मूर्तिसिके कोनो मोल छै। 20 मगर हमे यी कहैछियै कि जे चीजके आदमीसब मूर्तिसिके बलिदान चढाबैछै, ऊ परमेश्वरके लिए नै मगर भूतप्रेतसिके लिए चढाबैछै आर तुहेंसब भूतप्रेतसिके संगे सामिल हो कहिके हमे नैचाहैछियै। 21 भूतप्रेतसिके चढैल बलिदान खानपिन करैमे सामिल होना आर संगहै-संग प्रभु-भोजमे सामिल होना जे प्रभुके मौतके याद दिलाबैछै यी तुहेंसब नैकरे सकैछैं। 22 अगर अपनासब एरं कैलियै ते अपनासब प्रभुके बहुते गोस्सा उठ्या देबै आर अपनासब प्रभुसे बेसी शक्तिशाली नैछियै। ख्रीष्टियन आजादी 23 तुहेंसब कहैछैं, “हमेसब कुछु भी करैके लिए आजाद छियै।” हौं, मगर आपनसिके लिए सभे कुछु बढियाँ नैछै। अपनासब कुछु भी करैके लिए आजाद छियै, मगर सभे कुछु परमेश्वरमे आपनसिके विश्वासके मजगुत नैबनाबैछै। 24 कोय भी आदमी खाली आपने भलाइके बारेमे नैसोच, मगर दोसर आदमीसिके भलाइके बारेमे भी सोच। 25 तोरासिके यी करना चाही, तुहेंसब बजारमे बेच्ल ज्यावाला कोनो भी मासके ख्या सकैछैं। बेचेवाला आदमीसिके यी नै पुछ कि यी मूर्तिसिके लिए चढैल गेलै रहे या नै, आर फेर तोरसिके विवेक तोरासिके दोष नैलगैतौ। 26 तुहेंसब ख्या सकैछैं कहिनेकी धरमशास्त्र कहैछै, “कहिनेकी धर्ती आर एकरामे भेल सभे कुछु परमेश्वरके छै।” 27 आर यदि अविश्वासीसिमेसे कोय तोरासिके भोजमे खैले निमन्त्रण दैछौ आर तोरा जैके इच्छा भेलौ ते, जे कुछु तोरा खैले देल्कौ छे उहे खो। तैय्योपर, तोरा यी नै पुछना चाही कि यी भोजन मूर्तिके लिए चढैल गेलै छे या नै, ताकी अगर एकर बलिदान देल भी गेलै छे ते तुहेंसब दोषी महसुस नैकर्भैं। 28 मगर यदि कोय आदमी आबिके तोरासे कहैछौ कि, “यी भोजन मूर्तिसिके लिए चढैल गेलै रहे” ते, उटा भोजन नैखो, आपन विवेकके कारणसे नै मगर ऊ आदमीके विवेकके कारण जे आदमी आबिके तोरा बतैल्कौ रहे। कहिनेकी हमर आजादीके कोनो दोसर आदमीके विवेकद्वारा दोष नैलगैल जाना चाही। 29 हमर कहैके मतलब तोर विवेक नै, मगर ऊ दोसर आदमीके विवेकसे छै। यदि तुहें आपन आजादीमे अडीग छैं कि मूर्तिके चढैल भोजन खैल ज्या सकैछै आर दोसर आदमी सोचैछै कि यी पाप छै ते कि फैदा? ओकरासे कुछु फैदा नैहैछै। 30 अगर हमे मूर्तिसिके चढैल आपन भोजन धन्यवाद देलके बाद खैछियै ते, यी बातके कारण हमरा आरोप नैलगैल जाना चाही। 31 अन्तमे, हमे तोरा यी कहैले चाहैछियौ कि तुहेंसब चाहे खो, चाहे पी या तुहेंसब कुछु भी कर, सभे चीज परमेश्वरके महिमाके लिए कर। 32 तुहेंसब कक्रहौ भी ख्रीष्टमे विश्वास करैसे दूर लजाबेवाला काम नैकर, चाहे ऊ यहूदी आदमीसिके है, या गैर-यहूदी आदमीसिके है या परमेश्वरके मण्डलीके है। 33 हमर देख-सिख्खा कर। हमे जे भी करैछियै, दोसर आदमीसिके खुश बनाबैके कोशिशमे करैछियै कहिनेकी हमे आपन भलाइ नैसोचैछियै मगर दोसर आदमीसिके भलाइके बारेमे सोचैछियै ताकी ऊसब आपन पापके सजायसे बचे सकै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation