Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -


फिलिप्पी 4 - केवट नया कारार

1 सेल्याके, हे हमर प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बहुते प्रेम करैछियौ आर तोरसिके भेट करैके लिए इन्तजार करैछियौ। तुहेंसब हमर आनन्द आर मकुट छैं। हमर प्रिय भ्या-बहिनसब, जेरंके हमे कहैलियौ छे ओरंके आपन विश्वासमे मजगुत भ्याके र।


पावलके सल्लाह

2 हमे इयोदिया आर सुन्तुखेके विश्वासी बहिनसिके प्रभुमे मेल-मिलापमे र कहिके बिन्ती करैछियौ।

3 हे हमर सच्चा सहकर्मी, हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि तुहें यी जनानीसिके एक दोसरसे मेल-मिलाप करैले सहायता कर, कहिनेकी ऊसब हमर संगमे खुश-खबरी फैलाबैमे विश्वासी भ्या क्लेमेस आर दोसर सहयोगीसिके संगे मिलिके एक्केसंगे मेहनत कैल्कै छे, ओकरसिके नाम उटा किताबमे लिख्ल छै जकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तै।

4 प्रभुमे सभे दिन आनन्दित र, हमे फेर कहैछियौ आनन्दित र।

5 सभे आदमीसब तोरसिके बढियाँ व्यवहारके जानी लौ। कहिनेकी प्रभु येशू जल्दी वापस आबेवाला छै।

6 कोनो बातके चिन्ता-फिकिर नैकर, मगर हरेक परिस्थितिमे प्रार्थना आर निवेदनके साथ धन्यवादसहित तोरसिके बिन्ती परमेश्वरके चढा।

7 तब परमेश्वरके शान्ति, जे आदमीके समझसे बाहार छै, से तोरसिके ह्रदय आर तोरसिके विचारके ख्रीष्ट येशूमे सुरक्षित राख्तौ।


यी बातसिमे ध्यान लगा

8 सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जे-जे बात सच छै, जे-जे बात प्रतिष्ठित छै, जे-जे बात परमेश्वरके नजरमे धर्मी छै, जे-जे बात पवित्र छै, जे-जे बात सुन्दर छै, आर जे-जे बातसब प्रशंसा करैके योग्य छै। अन्तमे जे कोनो भी बात उत्तम या बढाईके योग्य छै उहे बातमे तोरसिके मन लाग्ल रहौ।

9 हमर बोली आर काम दोनोसे तुहेंसब जे बात सिख्लहैं आर पैल्हैं उटा आपन व्यवहारमे देखा। तब शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके साथमे रहतौ।

10 हमे प्रभुमे बहुते आनन्दित छियै कि आब बहुते दिनके बाद हमर लिए उपहार भेजिके हमर लिए तोरसिके वास्ता फेर बढ्ल छौ। तुहेंसब सच्चे हमर लिए चिन्तित रहैं, मगर तोरासिके हमरा सहायता करैके मौका नैमिल्लौ।

11 हमरा जरुरी पडल चीज हमरलगत नैहुऐके कारणसे हमे यी नैकहैछियौ, कहिनेकी जेरंको भी परिस्थितिमे सन्तुष्ट रहैले हमे सिखी लेलियै छे।

12 हमे कंगाली आर भरपूरी दोनोमे जियैले सिखी लेलियै छे, चाहे हमर पेट भर्ल रहै या भुख्ल रहै, चाहे हमरलगत बहुते रहै या कुछु भी नैरहै, हमे ऊ सभे विषय आर परिस्थितिमे सन्तुष्ट रहैले सिखी लेलियै छे।

13 ख्रीष्टके द्वारा जे हमरा शक्ति दैछै ओकर सहायतासे हमे सभे कुछु करे सकैछियै।

14 तैय्योपर भी हमर लिए पैसा भेजिके हमर कष्टमे तुहेंसब सहभागी भ्याके बहुते बढियाँ कैल्हैं छे।

15 हे फिलिप्पी सहरके आदमीसब, तुहेंसब आपनहैं भी जानैछैं कि तोरासिके शुरुआतमे खुश-खबरी प्रचार करिके माकेडोनिया प्रदेशसे बिदा हुऐके समयमे तोरसिके सिवाय कोनो मण्डली हमरा पैसा द्याके सहायता नैकैल्कै रहे।

16 अहिने करिके जब हमे थेसलोनिके सहरमे रहियै तखनी भी जब हमरा सहायताके जरुरत पड्लै रहे, तुहेंसब दी बेर दान भेजिके हमरा सहायता कैल्हैं रहे।

17 हमे यी नैकहैछियौ कि तुहेंसब हमरा सभे दिन उपहारसब दे मगर तुहेंसब पहलहैसे कैल बढियाँ कामसिके सूचीमे एकरा जोड्ल हमे देखे चाहैछियौ, जकर खातिर परमेश्वर तोरासिके इनाम देतौ।

18 हमे सभे कुछु पाबि लेलियै छे आर बहुते भी छै, जे चीज तुहेंसब इपाफ्रोडिटसके द्वारा भेज्लहैं रहे उटा पाबिके हमे सन्तुष्ट भेलियै छे। तोरसिके उपहारसब हमर लिए पुजारीद्वारा परमेश्वरके चढैल मिठा सुगन्धवाला दान आर बलिदानके जुगुर छै। उटा परमेश्वरके लिए स्वीकार योग्य आर मनमोहक छै।

19 हमर परमेश्वर आपन असीम महिमाके भण्डारसे जे येशू ख्रीष्टमे रहैछै, तोरसिके सभे जरुरतके पुरा करि देतौ।

20 आपनसिके पिता परमेश्वरके महिमा सभे दिन हैते रहै। आमेन।


नमस्कार आर आशीर्वाद

21 ख्रीष्ट येशूमे भेल सभे परमेश्वरके आदमीसिके हमर नमस्कार कहैं। जे विश्वासी भ्यासब हमर संगमे छै उहोसब भी तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे।

22 सभे परमेश्वरके आदमीसब, विशेष करिके रोमी महाराजाके घरानाके विश्वासीसब तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छौ।

23 प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ। आमेन।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Follow us:



Advertisements