14 महज जे ओकरमे बिस्बासे नै करने छै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्बे नै करने छै, तकरमे कनङके बिस्बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्तै?