16 हम थेसलोनिके सहरमे रहै बखत हमरा कमी भेलै तखुन तुसब बेर बेर मदत करलिही।
पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै।
हमसब तोरासबलग जाइले चाहैत रहियै। हम पावल त औरो घरि घरि आबैले कोसिस करलियै, महज सैतान हमरासबके बाधा देल्कै।
भाइसब, हमरासबके कस्ट आ मेहनत तोरासबके थाहे छौ। तुसब परमेस्वरके सुसमाचार सुनाइबखत ककरो उपर भार नै परौक कैहके हमसब आपन खर्च-बर्च करैले दिन-रात खैटके काम करलियै।
आपन लोकसब असल काममे लागल रहे, ताकी आवसयक परल समयमे सहायता देबे सके आ बेरथमे जिबन नै जिये।