11 हमरा खाचो परलै कैहके नै कहैचियौ, कथिलेकी चाहे कोनोभी परिस्थितीमे हेबे हम सन्तुस्ट रहैले सिखने चियै।
सिपाहीयोसब पुछल्कै, “हमरासबके कथी करेपरतै?” युहन्ना ओकरासबके कहल्कै, “तुसब ककरोसे जबरजस्ती कैरके आ झुठा आरोप लग्याके एको टका बेसी नै उठा। बरु आपने कमाइमे सन्तुस्ट रहैजाइजो।”
हम कतहेक रात नै सुइतके खुब मेहनत करलियै। हम बहौत बेर खाना बिना भुखे पियासे रहलियै आ बस्तर नै भेलासे जारसे कठुवाइलियै।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
कथिलेकी अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबके थाहे छौ, उ धनिक छेलै तयौ तोरासबके लेल उ गरिब भेलै ताकि ओकर गरिबीसे तुसब धनिक बनैले सक।
परमेस्वर तोरासबके हरेक परकारके आसिस परसस्त कैरके दैले सक्तौ, ताकि तोरासबसङे सबदिन हरेक चिज परसस्त हेबे आ हरेक असल कामके लेल तुसब परसस्त कैरके दैले सक।
साँचोके कहबै त, खिरिस्ट येसु हमर परभुके चिन्हैले पाबैबला अनमोल बातके तुलनामे औरो सब बातके हम बेकार सम्झैचियै। खिरिस्टके पाबैले सकी कैहके ओकरलेल हम सबबातके नोक्सानी भोगने चियै आ सब चिजके मैला सम्झैचियै,
तुसब जहलमे परलहा लोकसबके दया देखाइलिही, आपन सम्पती लुटलगेलै तैयो खुसिसाथ सहन करलिही, कथिलेकी तुसब जानैछेल्ही, कि औरो उतम आ सबदिन रहैबला सम्पती आपनेसङे छै।