21 उ आपन सक्तीसे सब चिजके आपन अधिनमे लाबेसकैछै। ओकर यि सक्तीसे अपनासबके यि मैर जाइबला देहके ओकर आपन महिमाके देह जखा हैले परिबरतन कैरदेतै।
चेलासबके अगारीमे येसुके रुप बदैलगेलै। ओकर चेहरा सुरुज जखा चमके लाग्लै आ ओकर बस्तर उजर चमकदार भ्यागेलै।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “तुसब भरममे परलचिही। तुसब पबितर धरमसास्तर आ परमेस्वरके सक्तीके बारेमे नै जानैचिही।
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
परमेस्वर सन्सार बनाबैसे पहिने ओकरासबके चिन्हने छेलै आ उसब ओकर बेटा येसु खिरिस्ट जखा बने आ उ सब भाइ-भैयासबसे जेठ हेबे कैहके चुनल्कै।
तोरासबके साँचोके जिबन त खिरिस्टे चियौ। जखैन उ परगट हेतौ तखैन तुसब ओकरे महिमामे परगट हेब्ही।
पिरिय सङिसब, अखुन अपनासब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। महज पाछे कथी हेबै से अखुन तलिक जानकारी नै देनेछै। खिरिस्ट एलाकेबाद अपनोसब ओकरे जखा हेबै कथिलेत उ जैहनङ छै, अपनासब तैहनङे देख्बै।
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।