17 हे भाइ-भैयासब तुसब हमर देखासेखी कर। हमसब तोरासबके लेल असल नमुना बनलियौ। आब ओहै नमुना अनुसार चलैबला लोकसबके पछा लाग।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तोरासबके सिख्याल सिक्छाके बिपरित सिखाइबला लोकसबसे होसियार रह। यि तोरासबके फुट करेतौ आ बिस्बाससे बहकेतौ। ओहन लोकसबसे दुरे रह।
तुसब ककरो ठेस लागैबला काम नै कर, चाहे यहुदीके, चाहे गिरिकके या चाहे परमेस्वरके मन्डलीके हेबे।
जहिनङ हम खिरिस्टके देखासेखी करैचियै तहिनङ तुसब सेहो हमर देखासेखी कर।
तैखातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, तुसब हमर देखासेखी कर।
तुसब जे बात हमरसे सिखलिही, गरहन करलिही, सुनलिही आ हमरमे देखलिही, ओहिनङे कर तब सान्तीके परमेस्वर तोरासबसङे रहतौ।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।
कथिलेकी कनङके हमरासबके देखासिखी करैके चाही से तुसब जान्बे करैचिही। हमसब तोरासबसङे रहलियौ त कोढिया भ्याके नै रहलियौ।
सहायता पाबैके हक नै चियै से बात नै, बल्की तोरासबके लेल एकटा सिख हेबे कैहके हमसब ओनङ करलियै।
जबान भेलाके कारन कोइ नै तोरा निच ठाने। बरु तु बोलि-बचनमे, चाल-चलनमे, परेममे, बिस्बास आ पबितरतामे बिस्बासीसबके अगा एकटा नमुना बन।
तोरासबके सुरुमे परमेस्वरके बचन सिखाइबला अगुवासबके नै बिसर। ओकरासबके जिबनमे एल असल परिनामके बिचार कर आ परमेस्वरमे ओकरासबके जखा भरोसा कर।
तोरासबके जिम्मामे देल बिस्बासीसब उपर हुकुम नै चला महज ओइसबके लेल एकटा उदाहरन बन।