तब येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके कहैचियौ, बटी उठाइबला लोक फरिसीसे बेसी धरमी ठहैरके आपन घर गेलै। कथिलेत जे आपनके बरका सोचैछै उ सबसे छोट हैछै आ जे आपनके छोट सोचैछै उ सबसे बरका हैछै।”
कथिलेत हम तोरासबलग भेट करैले एबौ त हमर आस करल जखा नै हेबौ आ तोरासबके आस करल जखा हम नै हेबौ कि से हमरा डर लागल छै। तोरासबके बिचमे झगरा करैबला, डाह करैबला, रिस करैबला, आपने भलाइ चाहैबला, बदनाम करैबला, घमन्ड आ गोलमाल करैबलासब भेटतै कि कैहके हमरा डर लागल छै।
उ लोक घमन्डसे भरल रहैछै आ कुछो नै जानैछै। एहेन लोक बेरथेमे बाद-बिबाद करैछै। बात-बातमे झगरा करैछै। एहेन बातसबसे त डाह, फुट, बदनाम आ संखासब हैले लागैछै।