18 तहिनङे तुहुसब खुसी हो आ हमरसङे आनन्द मना।
अहै खातिर हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हम तोरासबके खातिर जे कस्ट भोग्नेचियै उ देखके हार नै मान। यि त तोरासबके खातिर गौरबके बात चियौ।
यदि तोरासबके बिस्बाससाथ करल सेबाके कामके खातिर हमरा लहु बहाबैले परतै तैयो हम खुसिसे बहेबौ आ तोरेसबसङे आनन्द मनाइबौ।
परभु येसुके इक्छा हेतै त हम जल्दिए तिमोथीके तोरासबलग पठाबैके आसा करैची, ताकी तोरासबके हाल-समाचार सुइनके हम्हु खुसी हैले सकी।
अन्तमे भाइ-भैयासब, परभुमे आनन्द कर। यि बात तोरासबके घरी-घरी लिखैके लेल हमरा झनझट नै लागैछै आ तोरेसबके सुरक्छाके लेल चियौ।
परभुमे सबदिन आनन्द कर। हम फेनसे कहैचियौ, आनन्द कर।