25 हम एकदम निसचिन्त चियै कि तोरासबके बिस्बास आ आनन्द औरो बरहाबैके लेल हम बाच्बै आ तोरासबसङे रहबै,
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
बरनाबास ओते एलै आ परमेस्वर ओइसबके मन्डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्बासमे बरहैत रह कैहके उत्साह देल्कै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
आब देख, हम जानैचियै कि, अहाँसब मेसे जकर-जकर बिचमे परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैत घुमलियै, आब फेनो तुसब हमर मुह कहियो नै देखबिही।
तुसब आसा दैबला परमेस्वरमे बिस्बास करनेचिही। ओह्या तोरासबके आनन्द आ सान्तीसे भैरदेबे। तहिनङे पबितर आत्माके सक्तिसे तोरासबके आसा बैढते जाय।
येसु खिरिस्ट हमर जिबनसे करल कामके बारेमे मातरे हम बोलैले साहस करैचियै। उ हमर काम आ परचारसे गैर-यहुदीसब परमेस्वरके आग्यापालन करैले सिखनेछै।
जब हम तोरासबलग एबौ, तब येसु खिरिस्टके देल भरपुर आसिस ल्याके एबौ।
खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै।
हमसब तोरासबके बिस्बासमे अधिकार जमाइले नै चाहैचियौ, बरु तोरासबके खुसिके लेल तोरेसबसे मिलके काम करैले चाहैचियौ। कथिलेकी तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर चिही।
महज तोरासबके लेल हम जिबित रहनाइ बहुत आबसेक छै।
हमरा परभुमे पुरा भरोसा छै कि हम तोरासबलग जल्दिए आबैले सक्बै।
दोसर बात यि चियै कि हमर लेल एकटा कोठली तयार कैरके राखने रहिये, कथिलेकी तोहर परथनाके कारनसे हम्हु तोहर लग आबैके आसा करनेचियै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।