11 परमेस्वरके महिमा आ परसन्साके लेल येसु खिरिस्टसे आबैबला धारमिकताके फलसे तुसब भरिभराउ हो।
अहिनङ तोरोसबके इजोत लोकसबके बिचमे चम्के, जहिनङ लोकसब तोरासबके असल काम देखके, स्वरगमे रहैबला पिताके परसन्सा करे।”
तुसब हमरा नै चुनलिही, महज हम तोरासबके चुनलियौ। आब जो आ सबदिन रहैबला फल फराइहे कैहके हम तोरासबके चुनलियौ। तहैलेल तुसब हमर नाममे पितासे जे कुछ माङबिही उ तोरासबके देतौ।
हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै।
जब तुसब बहुत फल फराइबिही त हमर पिताके महिमा परकट हेतै आ तुसब हमर असल चेला चिही से बात परमानित हेतौ।
तैखातिर यरुसलेमके मन्डलीके लेल पठ्याल रुपैया-पैसा ओइसबके जिम्मा लगेलाके बाद हम इस्पेन परदेस दिसर जाइबखत तोरासबके सेहो बाटेमे भेट करबौ।
आब तुसब पापके बन्धनसे छुटकरा पाइबके परमेस्वरके दास भेलचिही। ओइसे तोरासबके पबितर बनाइतौ आ तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
तैखातिर तुसब खो, पि या जेकुछ कर, सबकुछ परमेस्वरके महिमाके लेल कर।
परमेस्वर खेति-किसानी करैबलासबके छिटैले बिया आ खाइले भोजन दैबला तोरासबके बिया देतौ आ ओइमे बहौत बिरधी कैरदेतौ तब तोरासबके धारमिकताके बाली बरह्यादेतौ।
ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
महिमामय परमेस्वरके परतिग्या करल पुरा मुक्ती नै पाबैतक पबितर आत्मा बैना जखा चियै। आब अपनासब ओकरा परसन्सा करु।
कथिलेत हमसब असल कामसबके लेल खिरिस्ट येसुमे सिरिस्टी भ्याल ओकर हाथके सिप चियै। ओह्या अनुसार अपनासब चल कैहके उ पहिनेसे तयार करने रहै।
कथिलेत इजोतके फल त सब किसिमके भलाइ, धारमिकता आ सत्यता चियै।
हम तोरासबसे भेटी नै चाहैचियौ, महज तुसब जनङ मदत करलिही ओकर आसिस परमेस्वर तोरासबके देबे कैहके हम इक्छा करैचियै।
तब तुसब परभुके मनपरैबला जिबन बिताके ओकरा खुसी करैले सकबिही। सब असल काममे तुसब फल फराइत परमेस्वरके ग्यानमे बैढते जेब्ही।
यि सुसमाचार तोरोसबके बिचमे एलछौ आ खिरिस्टके यि सुसमाचार सन्सारके बहुतो ठामसबमे लोकसब सुइनके बिस्बास कैररहलछै आ ओइसबके जिबन परिबरतन भ्यारहलछै। तुसब परमेस्वरके अनुगरहके बारेमे सत बात सुनल आ बुझल दिनसे सुसमाचार तोरोसबमे सेहो ओहिनङे काम कैर रहलछौ।
एहनङे अपनासबके परमेस्वर आ परभु येसु खिरिस्टके अनुगरहसे परभु येसुके नाउके आदर-परसन्सा हेबे। तब ओकरसे तोरौरोके आदर-परसन्सा मिले।
आपन लोकसब असल काममे लागल रहे, ताकी आवसयक परल समयमे सहायता देबे सके आ बेरथमे जिबन नै जिये।
सब किसीमके अनुसासन सुरुमे सुखद नै हैछै महज पिरा दायक हैछै। अनङ तालिम पाबलहासब धारमिक जिबन जियैछै आ औरोसङे मेलमिलापमे रहैछै।
परमेस्वरमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बिचमे तोरासबके चालचलन निक हेबे। उसब तोरासबके खराब काम करैबला कैहके दोख लगाइतौ तैयो तोरासबके असल काम देखे आ परमेस्वर नियाय करैले आबैतखिना ओकर महिमा करे।
तुसब जिबित पथल चिही। परमेस्वर तोरासबके परयोग कैरके आपन आत्मिक मन्दिर बन्यारहलछौ, ताकी तुसब पबितर पुजारी भ्याके येसु खिरिस्टसे परमेस्वरके मनपरैबला आत्मिक बलिदान चरहाइले सकबिही।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
खिरिस्टके पछा चलैके कारन तोरासबके अपमान करैछौ त, तुसब धन्यके चिही, कथिलेकी परमेस्वरके महिमीत आत्मा तोरासबमे रहैछौ।