6 येसु उसबके जबाफ देल्कै, “ए कपटीसब, यसैया अगमबक्ता तोरासबके बारेमे ठिके अगमबानी करने छेलौ, ‘यि जाती हमरा आपन मुहसे मातर आदर करैछै, महज उसबके हिरदय हमरसे दुर छै।