47 येसु यि बातसब कहते रहलै, कि तखनिए यहुदा जे ओकर बारह गोरा चेलामेसे एकटा छेलै से एलै। ओकरसङे लाठी आ तलबार लेने लोकसबके एकटा भिर छेलै। ओइसबके मुल पुजारीसब आ अगुवासब पठेने छेलै।