25 होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?