34 महज भिरमे भेल्हा लोकसब ककरो कहै एकटा बात त दोसरके दोसर बात। अहै कारन सेनापती झगराके खास बात थाहे नै पाबे सक्लै। तै खातिर पावलके सिपाहीसब रहैबला गढ़मे लजाइके आग्या देल्कै।