6 जब हेरोद पतरुसके जनताके सामने आनैसे पहिन्का रात, पतरुसके दुइटा सिकरीसे बाइन्हके दुइटा पहरा करैबला सिपाहीसबके बिचमे सुइत रहल छेलै आ पहरा करैबला सिपाहीसब देहरीमे ठार भ्याके पहरा करैछेलै।