15 तोरासबके खिरिस्ट येसुके बारेमे सिखाइबला दसो हजार गुरुसब भेलोपर पिता त बहुत नै छौ। महज सुसमाचार परचार कैरके खिरिस्ट येसुमे हम तोरासबके पिता भेलचियौ।