7 सभे बातमे तोरा उदाहरणके रुपमे बढियाँ काम करना चाही, जकरा दोसर आदमीसब सभे दिन पालन करे सकै। जब तुहें विश्वासीसिके परमेश्वरके बारेमे सिखाबैछैं, तुहें बढियाँ विचारसे आर आदरयोग्य तरिकासे सिखाबे पडैछै।