Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 4:9 - केवट नया कारार

9 हमर बोली आर काम दोनोसे तुहेंसब जे बात सिख्लहैं आर पैल्हैं उटा आपन व्यवहारमे देखा। तब शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके साथमे रहतौ।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 4:9
36 Cross References  

“देख्, एकटा कुमारी लडकी गर्भधारण कर्तै, आर ऊ एकटा बच्चाके जनम देतै, आर ओकर नाम इम्मानुएल राख्ल जैतै, जकर मतलब छै, ‘परमेश्वर हमरसिके संगे छै।’ ”


हमे जतनें आदेश तोरासिके देलियौ छे उटा सभेटा पालन करैले ओकरासिके सिखा। आर देख, संसारके अन्तके समयतक हमे हमेशा तोरसिके साथमे छियौ।”


हमरा ‘प्रभु-प्रभु’ कहेवाला सभेको परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश नैकर्तै। स्वर्गमे हुएवाला हमर पिताके इच्छा पालन करेवाला आदमी खाली परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश कर्तै।


“हमर कहेल बात नैमानैछैं ते कहिने हमरा ‘हे प्रभु, हे प्रभु’ कहैछैं?


येशू ओकरासिके जबाब देल्कै, “जेसब परमेश्वरके वचन सुनैछै आर पालन करैछै, उहे हमर मयाँ आर हमर छोटका भ्यासब छै।”


आब जब कि तुहेंसब यी बातसब जानैछैं ते, ओकरा कर ताकी तुहेंसब धन्यके भ्याजहैं।”


यदि तुहेंसब हमर आज्ञापालन करैछैं ते तुहेंसब हमर दोस्त छैं।


मगर ओकर मयाँ नोकरसिके कहैल्कै, “येशू जेरं कहैछौ, तुहेंसब ओहिने कर।”


मगर तुहें उठिके सहरमे जो, आर कोय तोरा बतैतौ कि हमे तोरासे कि करवाबैले चाहैछियौ।”


हमे प्रार्थना करैछियै कि शान्ति दिएवाला परमेश्वर तुहेंसब सभैके संगे रहौ। आमेन।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर जल्दी ही शैतानके शक्तिके नाश करिके ओकरा तोरसिके अधिनमे करि देतौ। आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ।


अन्तमे, हमे तोरा यी कहैले चाहैछियौ कि तुहेंसब चाहे खो, चाहे पी या तुहेंसब कुछु भी कर, सभे चीज परमेश्वरके महिमाके लिए कर।


कहिनेकी परमेश्वर गडबडी मचाबेवाला परमेश्वर नैछै मगर शान्ति दिएवाला परमेश्वर छै। आर यी ऊ नियम छै जे परमेश्वरके सन्तसिके सभे मण्डलीसिमे पालन कैल जैछै।


सेल्याके हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि हमर उदाहरणके अनुसरण कर।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब अन्तमे तोरासिके आनन्द मिलौ, सिद्ध बन्ते जो, हमर सल्लाह सुन, आपसमे एक मनके भ्याके शान्तिपूर्वक र। आर प्रेम आर शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके संगे रहतौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब हमर व्यवहारके अनुसरण कर। हमेसब तोरसिके संगे हुऐ बेरियाँ जे व्यवहार तुहेंसब हमरासिमे देख्लहैं ओरंको व्यवहार करेवाला आदमीसिके अनुसरण कर।


तब परमेश्वरके शान्ति, जे आदमीके समझसे बाहार छै, से तोरसिके ह्रदय आर तोरसिके विचारके ख्रीष्ट येशूमे सुरक्षित राख्तौ।


बहुते कष्ट भेलपर भी पवित्र आत्माके देल सन्देशके तुहेंसब आनन्दके साथ स्वागत कैल्हैं। तुहेंसब हमरसिके आर प्रभुके उदाहरणके अनुसरण कैल्हैं।


सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, तुहेंसब यहूदिया प्रदेशमे भेल परमेश्वरके मण्डलीसिके सहेल जुगुर सतावट सहलहैं जेसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछै। कहिनेकी तोरासिके आपने क्षेत्रके आदमीसब दुर्व्यवहार कैल्कौ आर ओकरासिके ओकरेसिके आपने यहूदी आदमीसब दुर्व्यवहार कैल्कै।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।


आर हमरासिके प्रभुमे तोरासिपर भरोसा छै कि हमेसब तोरासिके जे कुछु करैले कहैलियौ छे, तुहेंसब ओहिने करैछैं आर कर्ते रहभैं।


हमे प्रार्थना करैछियौ कि प्रभु तोरसंगे रहौ आर ओकर अनुग्रह भी तोरसंगे रहौ।


परमेश्वरके वचन पालन करेवाला हु, खाली सुनेवाला भ्याके अपने आपके धोखा नैदहैं।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपने आपके आर दोसर आदमीसिके यी देखाबैके लिए आरहौ भी बढियाँ व्यवहार करैके कडा मेहनत कर कि परमेश्वर तोरासिके वास्तवमे चुनल्कौ छे आर तोरासिके आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते तुहेंसब निश्चित रुपसे परमेश्वरसे अलग नैहैभैं।


अपनासब जे कुछु परमेश्वरसे माँगैछियै से अपनासिके ओकरासे मिलैछै, कहिनेकी अपनासब ओकर आज्ञापालन करैछियै आर आपन जीवनमे उहे करैछियै जे ओकरा पसन्द छै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements