फिलिप्पी 4:5 - केवट नया कारार5 सभे आदमीसब तोरसिके बढियाँ व्यवहारके जानी लौ। कहिनेकी प्रभु येशू जल्दी वापस आबेवाला छै। See the chapter |
जब तोरासिमेसे एकटा विश्वासी आदमी दोसर विश्वासी आदमीके अदालतमे ल्याजैछै ते, तुहेंसब एक दोसरके संगे बढियाँसे जियैले नैसकैछै। यी बढियाँ हैतै यदि तुहेंसब दोसर विश्वासी आदमीसिके आपनसंगे गलत करैले दहैं आर कोनो अदालतमे नैजो आर ओकरासिपर दोष नैलगा। यदि दोसर विश्वासी आदमी धोखा द्याके तोरासिसे कुछु छिनी लेल्कौ ते, ओकरा कुछु नैकर।
दौडमे हिस्सा लिए चाहेवाला आदमीसब पहेला अभ्यास करैछै आर खुदके अनुशासनमे राखैछै। ऊसब एरं इहे ल्याके करैछै ताकी ऊसब जिते सकै आर आदर पाबे सकै। ओकरासिके आदर करैके लिए ओकरासिके फूलके मल्ला लग्या दैछै जे बहुते समयतक नैरहैछै। मगर येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखेवाला सभेको आदर पैतै आर अपनासिके देल आशिष सभे दिन रहतै। सेल्याके अपनासिके खुदके अनुशासनमे राखना चाही।