20 आपनसिके पिता परमेश्वरके महिमा सभे दिन हैते रहै। आमेन।
हमे जतनें आदेश तोरासिके देलियौ छे उटा सभेटा पालन करैले ओकरासिके सिखा। आर देख, संसारके अन्तके समयतक हमे हमेशा तोरसिके साथमे छियौ।”
मगर तुहेंसब एरंके प्रार्थना कर: हे हमरसिके परमेश्वर पिता जे स्वर्गमे छह, तोर नाम पवित्र कैल जहौं।
कहिनेकी सभे कुछु परमेश्वरसे आबैछै। ऊ सभे कुछु बनैल्कै छे, आर सभे चीज ओकरे छै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ना चाही! आमेन!
येशू ख्रीष्टके द्वारा एक्केटा सर्वज्ञानी परमेश्वरके सभे दिन महिमा हैते रहै। आमेन।
ओकरा मण्डलीमे आर ख्रीष्ट येशूमे सभे दिन महिमा है। आमेन।
जेरंके गाछ फल फराबैछै ओहिने करिके तुहेंसब परमेश्वरके महिमा आर स्तुतिके खातिर येशू ख्रीष्टसे आबेवाला धार्मिक काम कर।
प्रभु येशू ख्रीष्टके अनुग्रह तोरसिके संगे रहौ। आमेन।
ऊ राजा जे सभे दिनके लिए राज्य करैछै, जे सभे दिनके लिए जिन्दा छै, जकरा कोय नैदेखे सकैछै आर उहे खाली एक्केटा आर सच्चा परमेश्वरके आदर आर महिमा सभे दिन मिल्ते रहै। आमेन।
उहे समयमे, यरूशलेम सहरमे एकटा बहुते बडका भूकम्प भेलै, आर सहरके इमारतसिके दशमा भाग गिरी गेलै। आर उटा भूकम्पसे सात हजार आदमीसब मर्लै आर बच्ल आदमी जेसब नैमर्लै रहे ऊसब बहुते डरैलै, सेल्याके ऊसब स्वर्गके परमेश्वरके महिमा कैल्कै।
ऊ बडका आवाजमे कहैल्कै, “परमेश्वरसे डर आर ओकरा सम्मान दहैं। कहिनेकी आदमीसिके फैसला करैके एखन ओकर समय छै। ओकरा झुकिके आराधना कर कहिनेकी उहे छै जे स्वर्ग, धर्ती, समुन्दर आर पानीके झरनासिके सृष्टि कैल्कै छे।”
ऊसब जोर-जोरसे गैते रहै, “ऊ बलि-भेंडा जकर जान मारि देल गेलै रहे, ऊ महिमाके योग्य छै। ओकर अधिकार महान छै। ओकर बुद्धि गहरा छै। ऊ बहुते शक्तिशाली छै आर ऊ बहुते मातबर छै। या अपनासब ओकर आदर करैछियै। या अपनासब ओकर प्रशंसा करैछियै।”
“हमेसब घोषणा करैछियै कि हमरसिके परमेश्वर महान, शक्तिशाली, प्रतापी आर ज्ञानवान छै। या अपनासब सभे दिनके लिए ओकर प्रशंसा करियै आर ओकरा धन्यवाद दियै। आमेन!”