फिलिप्पी 3:19 - केवट नया कारार19 विनाश ओकरसिके अन्त छै, ऊसब खाली आपन शारीरिक इच्छा पुरा करैले जियैछै। लाज लागेवाला बातमे ऊसब गर्व करैछै, आर ऊसब सभे दिन खाली संसारके बातके बारेमे सोचैछै। See the chapter |
जेरंके बहुते पहेला गलत शिक्षासब सिखाबेवाला आदमीसब इस्राएलीसिके बीचमे दिखाई देल्कै रहे, ओहिने करिके ही तोरसिके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब दिखाई देतौ। ऊसब झुट्ठा शिक्षासिके गुप्त रुपसे फैल्या देतौ, जे बात आदमीसिके ख्रीष्टमे विश्वास करैसे रोकी देतै। यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके आपन मालिक मानैसे भी इन्कार करि देतै आर जे ओकरासिके पापके शक्तिसे छुटकारा देल्कै छे। एरंके ऊसब अपने आपके अचानक नाश करैतै।
हमे तोरासिके लिखैछियौ कहिनेकी कुछु आदमीसब जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके दिखावा करैछै, ऊसब तोरसिके मण्डलीमे सामिल भ्या गेलौ छे। ऊसब परमेश्वरके सम्मान नैकरैछै आर ऊसब एरं कहिके गलत शिक्षा दैछै, कहिनेकी परमेश्वर आपन अनुग्रहसे आपनसिके पापसिके माफ करि दैछै, इहे ल्याके अपनासब अनैतिक जीवन जिये सकैछियै। ऊसब येशू ख्रीष्टके अस्वीकार करैछै, जे आपनसिके एक्केटा मालिक आर आपनसिके प्रभु छै। बहुते समय पहेला धरमशास्त्र कहैछै कि परमेश्वर एरं आदमीसिके सजाय देतै।
मगर उटा जंगली जानवरके पक्डी लेल गेलै आर ओकरसंगे उटा झुट्ठा-भविष्यवक्ताके भी पक्डी लेल गेलै जे जंगली जानवरके तरफसे झुट्ठा चमत्कारसब देख्याके ऊ आदमीसिके बहकैते रहै, जे आदमीसब ऊ जंगली जानवरके छाप आपन कपारमे लेल्कै रहे आर ओकर मूर्तिके पूजा कैल्कै रहे। ऊ जंगली जानवर आर झुट्ठा-भविष्यवक्ता दोनोके गन्धकसे धधक्ते रहेवाला आगिनके कुण्डमे जिन्दे फेकि देल गेलै।
मगर जे हमरापर विश्वास नैराखैछै, ओकरासिके जबरजस्ती गन्धकसे जरेवाला उटा तालाबमे फेक्ल जैतै, जे कि दोसर मौत छै। आर यी नतिजा ओकरसिके भी हैतै, जेसब आदमीसिके समनामे हमरा स्वीकार करैसे डराबैछै, खराब कामसब करैछै, जेसब हत्यारासब छै, जेसब व्यबिचार करैछै, जादु-टोना करैछै आर मूर्तिसिके पूजा करैछै या झुठ बोलैछै।”