यदि तुहेंसब दुष्ट भ्याके भी आपन बेटा-बेटीसिके बढियाँ चीज दिए जानैछैं ते, स्वर्गमे भेल तोरसिके परमेश्वर पिता ओकरसे माँगेवालासिके कतनें बेसी करिके पवित्र आत्मा देतै।”
अपनासब, जे विश्वासमे मजगुत छियै यी जानैछियै कि यी बातसिसे कोय फरक नैपडैछै, मगर अपनासब खाली खुदके खुश बनाबैके लिए एरं नैकरे सकैछियै। अपनासिके ऊ आदमीसिके शंका आर डरसिपर धीरज करना चाही जे यी बातसिके गलत मानैछै।
तैय्योपर भी हमे जे आदमीसब आत्मिक रुपसे परिपक्क छै ओकरसिके बीचमे ज्ञानके सन्देशके घोषणा करैछियै। मगर यी ज्ञान संसारिक ज्ञान नैछै आर नैते यी संसारके शासकसिके ज्ञान छै, जेसब नाश हुएवाला छै।
हमे परमेश्वरपर भरोसा राखैछियै कि ऊ तोरासिके झुट्ठा शिक्षासिपर विश्वास करैसे बच्याके राख्तौ। मगर तोरसिके लिए परेशानी खडा करेवाला सभे आदमीसब परमेश्वरके द्वारा सजाय पैतै।
हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके महिमामय पिता, तोरासिके आत्मिक ज्ञान आर समझ दौ आर तोरा यी समझैके लिए सहायता करौ कि परमेश्वरके जानैके मतलब कि छै।
इपाफ्रास जे तोरसिके सहरसे छै, आर ख्रीष्ट येशूके दास छै, तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। आर ऊ सभे दिन तोरसिके लिए लगनशील भ्याके यी प्रार्थना करैछौ कि तुहेंसब परमेश्वरके सभे इच्छामे पूर्ण रुपसे आज्ञाकारी हुऐके कारणसे विश्वस्त हुए सक्हैं।
मगर आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके प्रति प्रेमके विषयमे कक्रहौ तोरासिके लिखैके जरुरत नैछै, कहिनेकी एक दोसरके प्रेम करिहैं कहिके तुहेंसब आपनहैं परमेश्वरसे शिक्षा पैल्हैं छे।