फिलिप्पी 3:12 - केवट नया कारार12 हमे यी दाबी नैकरैछियै कि हमे सभे कुछु पहलहैसे पाबि लेलियै छे, हमे ऊ सिद्धता पाबैके लिए कडा कोशिश कर्ते आगु बढैछियै जे इनामके लिए येशू ख्रीष्ट हमरा चुन्लकै छे। See the chapter |
यी अपनासब विश्वास करेवालासिके संगे भी अहिने छै, कहिनेकी अपनासब एकटा एरंको आदमीके जुगुर छियै जे एकटा खराब ऐनामे चेहरा देखैछै, कहिनेकी अपनासब सभे कुछु स्पष्ट रुपसे नैबुझैछियै। खाली भविष्यमे अपनासब वास्तवमे सभे कुछु बुझी जैबै, कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके अमना-समनामे देख्बै। एखन हमर ज्ञान पुरा नैछै मगर भविष्यमे हमे वास्तवमे ओकरा जान्बै, जेरंके परमेश्वर भी हमरा जानैछै।
हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।
आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।
परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।