उहे प्रतिज्ञाके पुरा हुऐके आशा राख्ते हुए आपनसिके बारहो कुल आपन सारा मनसे रात-दिन परमेश्वरके आराधना कर्ते ऐलै छे। हे राजा अग्रिपास, इहे आशाके कारण जे परमेश्वर यहूदी आदमीसिसे पुरा करैके प्रतिज्ञा कैल्कै रहे यी यहूदी अगुवासब हमरापर आरोप लगाबैछै।
यी सुन्दर नामके बन्दरगाह जाडके समय बिताबैके लिए बढियाँ भी नैरहै। सेल्याके बहुते आदमीसब कोनो भी हालतमे ओत्तेसे निक्लीके फोनिक्स बन्दरगाहमे पहुँचैके कोशिशमे रहै। यी क्रेट टापुके किनारके बन्दरगाह रहै जकर द्वार दक्खिन-पच्छिम आर उत्तर-पच्छिम दिशामे छै, सेल्याके यी खराब मौसमसे बढियाँसे सुरक्षित रहै।
यी आदमीसब मुर्दासे जिन्दा कैल ज्यावालासिमे सभैसे पहेला रहै आर यीसब विशेष रुपसे धन्य आर पवित्र छै। दोसर मौतके ओकरासिपर कोनो शक्ति नैछै। ऊसब परमेश्वरके आर ख्रीष्टके पुजारी हैतै आर एक हजार सालतक राज्य कर्तै। यी एक हजार सालसे पहेला कोनो दोसर मुर्दा आदमीसिके जिन्दा नैकैल गेलै।