Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 2:25 - केवट नया कारार

25 हमे इपाफ्रोडिटसके तोरसिकेलगत भेजैले जरुरी महसुस कैलियै। ऊ हमर विश्वासी भ्या, हमरसंगे-संगे काम करेवाला आर खुश-खबरीके रक्षा करेवाला संगी सिपाहीके जुगुर, आर सन्देशवाहक आर हमरा जरुरी पडल बातमे सेवा करेवाला आदमी छै।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 2:25
19 Cross References  

हमे तोरासिके सच कहैछियौ, मालिकसे बडका नोकर नैहैछै आर कोय भी सन्देशवाहक खबर भेजेवाला से बडका नैहैछै।


जेरंके तुहें हमरा संसारमे भेज्लह छे, हम्हुँ ओकरासिके संसारमे भेज्लियै छे।


विश्वासी बहिन प्रिस्कीला आर ओकर पति अकिलासके जे ख्रीष्ट येशूमे हमर सहकर्मी छै, हमर नमस्कार।


उर्बानस, जे ख्रीष्टमे हमर सहकर्मी छै आर हमर प्रिय दोस्त स्ताखुसके भी हमर नमस्कार कही दहैं।


कहिनेकी हमेसब परमेश्वरके सहकर्मी छियै, आर तुहेंसब, कोरन्थी सहरके विश्वासीसब परमेश्वरके खेतसब छैं। संगहै संग, हमे तोरासिके उटा भवनसंगे तुलना करैछियै जकरा परमेश्वर निर्माण करि रहलै छे।


आपनसिके विश्वासी भ्या तीतसके नैदेखिके हमर मनमे चैन नैभेलै। सेल्याके त्रोआस सहरके विश्वासीसिसे बिदा भ्याके हमे तीतसके भेट करैके लिए माकेडोनिया प्रदेशमे वापस ऐलियै।


कहिनेकी तोरसिके सभैके भेट करैके लिए ऊ बहुते इच्छा कैल्कौ छे, आर यी बातसे चिन्तित छौ कि तुहेंसब ऊ बेमार भेल बात सुनी लेल्हैं छे।


हमे सभे कुछु पाबि लेलियै छे आर बहुते भी छै, जे चीज तुहेंसब इपाफ्रोडिटसके द्वारा भेज्लहैं रहे उटा पाबिके हमे सन्तुष्ट भेलियै छे। तोरसिके उपहारसब हमर लिए पुजारीद्वारा परमेश्वरके चढैल मिठा सुगन्धवाला दान आर बलिदानके जुगुर छै। उटा परमेश्वरके लिए स्वीकार योग्य आर मनमोहक छै।


हे हमर सच्चा सहकर्मी, हमे तोरासे बिन्ती करैछियौ कि तुहें यी जनानीसिके एक दोसरसे मेल-मिलाप करैले सहायता कर, कहिनेकी ऊसब हमर संगमे खुश-खबरी फैलाबैमे विश्वासी भ्या क्लेमेस आर दोसर सहयोगीसिके संगे मिलिके एक्केसंगे मेहनत कैल्कै छे, ओकरसिके नाम उटा किताबमे लिख्ल छै जकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तै।


इहे बातके शिक्षा तुहेंसब हमरसिके प्रिय विश्वासी भ्या इपाफ्राससे सिख्लहैं, जे हमरसिके संगे सेवा करैछै आर हमरसिके प्रतिनिधिके रुपमे ख्रीष्टके विश्वासयोग्य सेवक छै।


आर येशू जकरा आदमीसब युस्तस कहैछै, तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। यहूदी विश्वासीसिके बीचमे खाली यी तीनटा आदमीसब ही परमेश्वरके राज्यके लिए हमर सहकर्मी आर उत्साह भेलै छे।


आर हमेसब तिमोथीके, जे ख्रीष्टके खुश-खबरी प्रचार करैमे हमरसिके विश्वासी भ्या आर परमेश्वरके सेवक छै, ओकरा तोरसिकेलगत भेज्लियौ ताकी ऊ तोरासिके विश्वासमे स्थिर कराबौ आर तोरसिके विश्वासके विषयमे तोरासिके उत्साह दौ।


ओहिने करिके मर्कूस, अरिस्तार्खस, डेमास आर लूका भी जे हमरसंगे प्रभुके काम करैछै, एकरोसिके तरफसे तोरा नमस्कार छौ।


सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, जेसब परमेश्वरसे सम्बन्ध राखैछैं, तुहेंसब स्वर्गमे ओकरसंगे सामिल हुऐके लिए बोलैल गेल्हैं छे। प्रभु येशूपर ध्यान दहैं, जे आपनसिके लिए परमेश्वरके सन्देशवाहक आर प्रधान पुजारी छै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements