20 कहिनेकी हमरलगत तिमोथीके जुगुर स्वभावके दोसर कोय नैछै, जे शुद्ध मनसे तोरसिके चिन्ता करै।
ऊ आदमी भेंडासिके छोडिके इहे ल्याके भागी जैछै, कहिनेकी ऊ ते खाली मजदूरी पर काम करेवाला नोकर छै, ओकरा भेंडासिके कोनो चिन्ता-फिकिर नैरहैछै।
यहूदा यी बात यी ल्याके नैकहैल्कै कि ओकरा गरिबसिके चिन्ता-फिकिर रहै, ऊ एरं कहैल्कै रहे कहिनेकी ऊ चोर रहै। पैसाके थैली ओक्रहै राखैले देल रहै आर ऊ थैलीसे पैसा चोराबै।
हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर तोरासिके धीरज आर उत्साह दौ ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके अनुसरण कर्ते आपसमे एकतामे रहैं।
यदि तिमोथी तोरसिकेलगत कोरन्थी सहरमे ऐतौ ते, तोरसिके बीचमे ओकर स्वागत करिहैं, कहिनेकी ऊ हमरे जुगुर प्रभुके काम करैछै।
सेल्याके तुहेंसब एक-दोसरसे सहमत हु, एक-दोसरसे प्रेम कर, एक चित्तके भ्याके एक्केटा मकसद राख आर अहिने करिके हमर आनन्द पुरा कर।
मगर तोरासिके मालुम छौ कि केरंके तिमोथी अपने आपके विश्वासयोग्य देखैल्कै छे। जेरंके बेटा बाबुके सेवा करैछै ओहिने करिके ऊ हमरसंगे खुश-खबरी फैलाबैमे हमरसंगे मेहनत कैल्कै छे।
आर येशू जकरा आदमीसब युस्तस कहैछै, तोरासिके नमस्कार भेजल्कौ छे। यहूदी विश्वासीसिके बीचमे खाली यी तीनटा आदमीसब ही परमेश्वरके राज्यके लिए हमर सहकर्मी आर उत्साह भेलै छे।
हमे यी चिट्ठी तिमोथीके लिखैछियै। तुहें हमर आपने बेटाके जुगुर छैं कहिनेकी तुहें भी ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर पिता आर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट तोरासिके अनुग्रह, कृपा आर शान्ति दौ।
यदि तुहें विश्वासी भ्या-बहिनसिके हमर सिखैल बातसिके निरन्तर सिखैभैं, जकर बारेमे हमे तोरा एखन निर्देशन देलियौ छे आर तुहें विश्वासके सन्देशद्वारा मजगुत कैल गेल्हैं छे आर बढियाँ शिक्षाके अनुसरण कैल्हैं छे ते, तुहें येशू ख्रीष्टके एकटा बढियाँ सेवक हैभैं।
हमरा तोर मयाँके येशू ख्रीष्टमे सच्चा विश्वासके याद आबैछै। तोर नानी लोइसके भी ओहिने विश्वास रहै, आर हमरा निश्चय छै कि ऊ विश्वास तोरामे भी छै।
मगर तिमोथी, तोरा बढियाँसे मालुम छौ कि हमे कि सिखाबैछियै आर केरंके जियैछियै, हमर जीवनके मकसद कि छै आर हमे कि विश्वास करैछियै। तोरा मालुम छौ कि हमे धीरज धारण करैछियै आर सभे प्रकारके आदमीसिके प्रेम करैछियै, हमे कठिनाईसब सहलियै छे।