Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 2:15 - केवट नया कारार

15 ताकी तुहेंसब भ्रष्ट आर दुष्ट आदमीसिसे भर्ल यी संसारमे परमेश्वरके सिद्ध बेटा-बेटीसिके जुगुर साफ आर निर्दोष जीवन जी। यी संसारके आदमीसिके बीचमे तोरासिके आकाशके तारासिके जुगुर अनहारमे चमकना चाही जब तुहेंसब ओकरासिके उटा वचन बताबैछैं जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 2:15
42 Cross References  

“देख्, हमे तोरासिके खटिहासिके बीचमे भेंडाके जुगुर पठाबैछियौ, सेल्याके तुहेंसब साँपके जुगुर बुद्धिमान आर पेर्वाके जुगुर भोला-भाला बन।


तब येशू कहैल्कै, “हे अविश्वासी आर भ्रष्ट पिढीके आदमीसब, हमे कहियातक तोरसिकेलगत रहबौ? तोरासिके कतनें सहियौ? ऊ लडकाके हमरलगत आन।”


एरं कर्भैं ते तुहेंसब स्वर्गमे भेल परमेश्वर पिताके बेटा-बेटीसब हैभैं। कहिनेकी परमेश्वर भी भला आर बुरा दोनो तरहके आदमीसिके सुरुजके रौद दैछै, आर धर्मी आदमी आर पापी आदमी दोनोके लिए बर्षा बरसाबैछै।


सेल्याके, जेरंके स्वर्गमे रहेवाला परमेश्वर पिता सभे समय सही काम करैछै, ओहिने करिके तहुँसब भी सभे समय उहे कर जे सही छै।”


यी दोनो झन परमेश्वरके नजरीमे धर्मी रहै, आर परमेश्वरके सभेटा आज्ञा आर विधि-विधानके अनुसार निर्दोष भ्याके जीवन जिते रहै।


मगर तुहेंसब आपन दुश्मनसिसे प्रेम कर, ओकरसिके भलाइ कर आर फेर वापस पाबैके आशा नैराखिके पैंच-उधार दहैं। तब तोरा बडका इनाम मिल्तौ आर तुहेंसब परमप्रधान परमेश्वरके बेटाबेटी कहलैभैं। कहिनेकी परमेश्वर उपकार नैमानेवालासब आर खराब आदमीसिपर भी कृपा करैछै।


यूहन्ना ते एकटा बरेवाला आर चम्केवाला चिरागके जुगुर रहै मगर तुहेंसब ओकर उजेतमे कनेबेर तक आनन्द मनाबैले राजी भेल्हैं।


आर बहुते बातके द्वारा पत्रुस ओकरासिके गवाही देल्कै, आर यी बातसब दोहोर्या-दोहोर्याके कहिके ओकरासिके बिन्ती कैल्कै, “यी दुष्ट पुस्तासे तुहेंसब अपने आपके बचाब।”


एत्तेतक कि तोरसिके आपने विश्वासीसिके समूहसे आदमीसब ऐतौ, जे विश्वासीसिके आपन तरफ लज्याके आपन चेला बनाबैले उल्टा-पुल्टा शिक्षा देतौ।


सभेको जानैछै कि तुहेंसब कतनें बढियाँसे प्रभुके आज्ञा मानैछैं। सेल्याके तोरसिके विषयमे हमे आनन्द मनाबैछियै। मगर हमे यी चाहैछियै कि तुहेंसब कि बढियाँ छै यी जानैमे बुद्धिमान मगर खराब करैमे निर्दोष र।


आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके यी संसारमे वापस आबैके दिनमे तोरासिके दोषरहित राखैले परमेश्वर तोरासिके अन्ततक विश्वासमे मजगुत राख्तौ।


सेल्याके प्रभु अपनासिके धरमशास्त्रके द्वारा कहैछै, “ऊ आदमीसिके बीचसे बाहार आबी जो, जेसब परमेश्वरके अनुसरण नैकरैछै, आर ओकरसिसे तुहेंसब अलग र, आर गन्दा चीजसब जे हमे वर्जित कैलियौ छे ओकरासे हट्ल र, तब हमे तोरासिके स्वीकार कर्बौ।


ऊ आपन आदमीसिके लिए भी मर्लै ताकी ऊ आपन मण्डलीके सिद्ध बनाबे सकै आर अपनासब सभैके आपन उपस्थितिमे आने सकै, जकरामे कोनो दोष या पाप या कोनो खराब बात नैहैतै, बरु विश्वासीसब पवित्र आर दोषरहित हैतै।


ताकी तुहेंसब चुने सक्हैं, कि करना सही छै, आर जब ख्रीष्ट वापस ऐतै ते तुहेंसब शुद्ध आर निर्दोष रहे सक्हैं।


उत्साहके विषयमे यदि कहैं ते मण्डलीके सताबेवाला, आर यहूदी विधि-विधानके पालन करैमे हमे एकटा धर्मी आदमी रहियै कहिनेकी हमे ऊसब पालन कैलियै रहे।


शान्ति दिएवाला परमेश्वर आपनहैं पुरा रुपसे तोरासिके पवित्र बनाबौ आर तोरसिके सारा आत्मा, प्राण आर शरीर आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके फेर वापस आबैके दिनतक निर्दोष रहौ।


जब मण्डलीके सेवकसब चुन्ल जैछै, पहेला ओकरसिके संगे सही गुणसब छै कहिके साबित करे दहैं। आर यदि कोय ओकरासिमे दोष नैपाबैछै ते ऊसब मण्डलीके सेवक बनक।


सेल्याके मण्डलीके देख-रेख करेवालासिमे यी गुणसब होना चाही: ओकरासिमे कोनो दोष नै होना चाही। आर ऊसब आपन पतनीके प्रति वफादार होना चाही। ऊसब शान्तिके साथ व्यवहार करेवाला होना चाही। ऊसब अपने आपके वशमे राखेवाला होना चाही। ऊसब आदमीसिके द्वारा सम्मान पैल होना चाही। ऊसब आपन घरमे मैजमानसिके स्वागत करैले तैय्यार रहे पडैछै आर ऊसब परमेश्वरके वचन सिखाबे सकेवाला होना चाही।


सेल्याके हमे चाहैछियै कि कम उमेरके मोसामातसब बिहा करक, बालबच्चा पाबक, आर घरद्वार सम्भालक आर दुश्मन हमरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैके मौका नैदै।


तुहें पाप करेवाला मण्डलीके अगुवासिके सभे विश्वासी आदमीसिके समनामे धोप ताकी बाँकी मण्डलीके अगुवासिके डर है।


यी निर्देशनसब विश्वासीसिके बता जकर कारणसे कोय भी ओकरासिके दोष नैलगैतै।


मण्डलीके अगुवाके एक्केटा पतनी होना चाही। ऊ दोषरहित आर एरंको आदमी होना चाही जकर बेटा-बेटीसब विश्वासी छै, आर ऊ बेटा-बेटीसब बढियाँ व्यवहार करक ताकी ओकरसिके खराब व्यवहारके लिए कोय भी आदमी ओकरासिके दोषी नैठहराबै।


दाससब आपन मालिकके चीज चोरी नैकरै, मगर खुदके सभे दिन इमानदार साबित करै। ताकी आदमीसब ओकरसिके बढियाँ व्यवहारपर ध्यान दै आर ऊसब जे करैछै ओकरासे आदमीसिके परमेश्वर, आपनसिके उद्धारकर्ताके विषयमे सन्देश सुनैके लिए इच्छुक बनैतै।


सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ।


येशू ओरंको प्रधान पुजारी छै जकर जरुरत अपनासिके छै। ऊ पवित्र छै, पापरहित छै, शुद्ध छै, पापीसिसे प्रभावित नैहैछै आर ओकरा स्वर्गसे भी उप्पर उठैल गेलै छे।


कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।


मगर तुहेंसब ओरं नैछैं, कहिनेकी तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब छैं, तुहेंसब परमेश्वरके पुजारीसब छैं, जे राजा छै। तुहेंसब परमेश्वरके सेवा करैले समर्पित भेल आदमीसब आर परमेश्वरके निजी प्रजा छैं। ऊ तोरासिके अनहारसे आपन अदभुद उजेतमे आन्लकौ छे, ताकी तुहेंसब परमेश्वरके आश्चर्यपूर्ण कामसिके घोषणा करे सक्हैं।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, परमेश्वर संसारके न्याय करैके दिनके तुहेंसब इन्तजार करैबेरियाँ तोरासिके पवित्र आर निष्खोट हुऐके लिए आर ओकरसंगे शान्तिमे रहैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश करे पडैछै।


सेल्याके याद कर कि तुहें शुरुआतमे हमरासे केरं प्रेम कर्ते रहैं आर आब तुहें हमरा ओरंको प्रेम नैकरैछैं। यी बातसे पाप करैले छोडिके हमर तरफ मन लगा। हमरासे उहे तरहसे प्रेम करना शुरु कर जेरं तुहें शुरुआतमे कर्ते रहैं। यदि तुहें परिवर्तन नैहैभैं ते, हमे तोरलगत ऐबौ आर हमे दियाके ओकर जगहसे हट्याके तोरा सजाय देबौ।


हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब झुठ बोलैछै, वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै। हमे ओकरासिके तोरलगत आबिके तोर पैरीमे गोड लागैले लगैबै आर हमे तोरा प्रेम करैछियौ कहिके ओकरासिके बुझ्या देबै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements