Biblia Todo Logo
Online Bible

- Advertisements -




फिलिप्पी 2:14 - केवट नया कारार

14 तुहेंसब बिना कुड-कुडैले आर बिना वाद-विवाद सभे काम कैले जो।

See the chapter Copy




फिलिप्पी 2:14
36 Cross References  

रोजी पैलके बाद ऊसब जमिनदार लगत जैके ओकर विरुद्धमे कुड-कुडाबे लाग्लै।


यी गमकौव्वा तेल तीन स चानीके सिक्कामे बेचे सक्तियै आर गरिबसिके देतियै ते हैतियै, तब ऊसब उटा जनानीके बहुते खराबसे धोपल्कै।


जब येशू आर ओकर तीनटा चेलासब पहाडसे दोसर चेलासिके लगत वापस ऐलै। ओकरासिके एकटा बडका भीड घेरिके राखल्कै रहे आर यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसिके ओकरसिसे बहस कर्ते देखल्कै।


येशूके चेलाके विरोधमे एरं कहिके यहूदी धरमशास्त्रके पण्डितसब आर फरिसी समूहके आदमीसब कुड-कुडैते येशूके चेलासिके कहैल्कै, “तुहेंसब कर उठाबेवालासिके संगे आर पापी कहलैल ज्यावाला आदमीसिके संगे कहिने खानपिन करैछैं?”


जब पावल आर बरनाबासके ओकरसिके संगे बहुते मतभेत आर वाद-विवाद भेलके बाद यी निर्णय भेलै, कि पावल आर बरनाबास आर ओकरसिमे कुछु आदमी यी बातके विषयमे छलफल करैले चुन्ल आर भेज्ल चेलासब आर मण्डलीके अगुवासिके लगत यरूशलेम सहरमे जैले तय कैल्कै।


पावल आर बरनाबासके बीचमे एतनें बडका विवाद खडा भ्यागेलै कि ऊसब एक दोसरसे अलग भ्यागेलै, आर बरनाबास मर्कूसके ल्याके जहाज चढिके साइप्रस टापुमे चल गेलै।


तब बहुते बहस भेलके बाद पत्रुस खडा भ्याके ओकरासिके कहैल्कै, “भैय्यासब, तोरासिके मालुमे छौं, शुरुके दिनसिमे केरंके परमेश्वर तोरासिमेसे हमरा चुन्लकै, कि हमरद्वारा गैर-यहूदी आदमीसब खुश-खबरीके वचन सुनिके विश्वास करे सकै।


उटा समयमे प्रभु येशूके चेलासिके संख्या बढ्ते जैते रहै। तब हिब्रू भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसिके विरोधमे यूनानी भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसब कुड-कुडाबे लाग्लै। हरेक दिन खाना-पिना या पैसा बाँटै बेरियाँ ओकरसिके मोसामातसिके वास्ता नैभेलै कहिके यूनानी भाषा बोलेवाला यहूदी विश्वासीसिके कहना रहै।


हुए सकैछै ते सकभर सभैसे संगे मेल-मिलापमे र।


विश्वासमे कमजोर आदमीके ओकर मान्यताके विषयमे ल्याके कोनो भी शंकाके बिना ही स्वीकार कर मगर ओकरा कि करना चाही आर कि नैकरना चाही यी विषयमे ओकरसंगे बहस नैकर।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ, कि ऊ आदमीसब जे तोरसिके बीचमे फुट पैदा करैछै आर जे आदमीसिके गलत बातसिपर विश्वास करैके लिए लगाबैछै, ओकरसिसे होशियार र आर ओकरासिसे दूर र।


आर अपनासिके नैकुड-कुडाना चाही, आर जेरंके ओकरसिमेसे कुछु आदमीसब कैल्कै आर एकटा दूत जकरा परमेश्वर भेजल्कै रहे, ऊ ओकरसिके जान मारल्कै।


कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ।


मगर यदि तुहेंसब लगातार एक दोसरसे लड्ते रहैछैं आर एक दोसरके परेशान कर्ते रहैछैं ते होशियार र, तुहेंसब खुदके बर्बाद करि देभैं।


अपनासिके घमण्ड नैकरना चाही, अपनासिके एक दोसरके परेशान नैकरना चाही आर अपनासिके एक दोसरके जर्नी नैकरना चाही।


स्वार्थ या अहंकारमे कुछु नैकर मगर नम्रतामे दोसरके आपनसे बेसी महत्व दहैं।


आर तोरसिके लिए ओकरसिके कामके खातिर ओकरासिके बहुते प्रेम कर आर ओकरासिके बहुते उच्च आदर कर। तुहेंसब एक दोसरसे शान्तिपूर्ण व्यवहार कर।


यी ध्यान राख कि कोय भी खराबीके बदला खराबी नैकरक, मगर सभे दिन दोसर विश्वासी आर दोसर आदमीसिके दयालु व्यवहार करैके कोशिश कर।


सभे आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके आर एकटा पवित्र जीवन जियैके कोशिश कर। कहिनेकी पवित्रता बिना कोय भी प्रभुके देखे नैसक्तै।


कहिनेकी जब एकटा आदमी गोस्सा करैछै, परमेश्वरके खुश करेवाला धर्मी रस्ताके मुताबिक ऊ जिये नैसकैछै।


मगर यदि तोरसिके मनमे बहुते ईर्ष्या आर स्वार्थ राखैछैं ते यी बातमे घमण्ड नैकर आर सचके विरोधमे झुठ नैबोल।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एक दोसरके विरोधमे नैकुडकुडा। एरंके परमेश्वर तोरसिके न्याय नैकर्तौ। देख्, न्यायधीश बहुते नज्दिक छै आर आबैके लिए तैय्यार छै।


ओकरा निश्चय ही खराब काम करैले बन्द करि देना चाही, एकर बदलामे ओकरा उहे करना चाही जे बढियाँ छै, दोसर आदमीसिके संगे शान्तिमे रहैके लिए कडा मेहनत करना चाही।


आदमीसिके आपन घरसिमे स्वागत कर आर एरंको बिना कोनो सिकायत करिके कर।


यी आदमीसब सभे दिन परमेश्वरके विरुद्धमे बोलैछै आर दोसर आदमीसिमे गल्ती खोजैछै। ऊसब लगातार उटा खराब कामसिके करैछै जे ओकरसिके दिल करैले चाहैछै। ऊसब आपन विषयमे घमण्डसे दावा करैछै आर खुदके लिए फैदा लियैके खातिर दोसर आदमीसिके चापलुसी करैछै।


Follow us:

Advertisements


Advertisements